• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

राजा जनकक नगरी जनकपुर मे देखायल PM मोदीक मिथिला-मैथिली प्रेम

May 13, 2018
in समाचार
A A

कहलनि-अहां नोत द क बजेलौ एहि लेल आभारी छी

पटना । जनकपुर यात्राक दौरान पीएम मोदीक मन मे मिथिला आ मैथिलीक प्रति अपार प्रेम देखल गेल। सभाक बीच ओ मैथिली मे संबोधन क क उपस्थित लोक सभक मन मोहि लेलनि। अपन भाषणक दौरान पीएम मोदी कहलनि जे जगत जननी मां जानकी केर प्रवित्र भूमि गौरवशाली इतिहास भेल मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानी इ जनकपुर धाम में हमरा न्यौत द के बजेलौ, आ सम्मान देलौ एकरा लेल हम सम्पूर्ण मिथिला वासी आ जनकपुर वासी केर नमन करैत छी। एकरा बाद पीएम पग पग पोखरि माछ मखान, सरल बोल मुसकी मुख पान, विद्या वैभव दानीक प्रतीक जनक नगर मिथिलांचल थीक केर माध्यम मिथिलाक इतिहास कें उद्धृत केलनि।

नरेंद्र मोदी दो दिनक नेपाल यात्रा पर शुक्रक भोरे विशेष विमानसं जनकपुर पहुंचला। सबसं पहिने ओ ऐतिहासिक जनकपुर मंदिर मे दर्शन केलनि। एकरा बाद अयोध्या-जनकपुर केर बीच बस सेवा कें हरी झंडी दिखा विदा केलनि। ओतहि जनकपुर जनसभा कें संबोधित करैत मोदी कहलिन जे नेपालक बिना राम अधूरा छथि। नेपाल-भारतक संबंध मे 5 गोट T अर्थात ट्रेड, ट्रेडिशन, ट्रांसपोर्ट, टूरिज्म और टेक्नोलॉजी केर फॉर्मूला देलनि। मोदी नेपाल मे एक हाइड्रो प्रोजेक्टक नाउ सेहो लेलनि।

जनसभा कें संबोधित करैत काल पीएम कहलिन जे “पहिल बेर नेपाल आयल रही तं संविधान सभा मे कहने रही जे बहुत जल्द जनकपुर आयब। सबसं पहिने अहां सबसं क्षमा मंगैत छी। कारण हमरा एबा मे बड़ देरी भ गेल। हमर मन कहैत अछि जे माता सीता संभवतः आइ भद्रकाली एकादशीक दिन अपन दर्शन देबाक इच्छा ठानि लेने रही।

मोदी कहलनि जे मिथिलाक तुलसी भारतक आंगन मे शुचिता आ मर्यादाक सुगंध पसारैत अछि। दुनिया भरि मे मिथिलाक संस्कृतिक स्थान बहुत ऊपर अछि। कवि विद्यापतिक रचना आइयो भारत आ नेपाल दुन केर साहित्य मे रचल बसल अछि। जनकपुर धाम आबि अहां सभक अपनापन देख एहन लागि रहल अछि जे हम अपने देश मे छी।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: modinarendra modinepalPashupatinath Templepm

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मधुबनी मे सब तरहक ईलाज संभव करत क्रिब्स हॉस्पीटल

पूरनिया मे बिहारक पहिल फ्रोजेन सीमेन स्टेशनक शिलान्यास, गौ नश्ल होएत उन्नत

दिल्ली आ बेंगलुरु लेल दरभंगा सं उड़त प्लेन, अगिला मास सं आरम्भ होयत उड़ान योजनाक तहत विमान सेवा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि