नीट ऑल इंडिया कोटाक लेल 13 सँ होयत काउंसलिंग, शिड्यूल जारी
मणिभूषण झा
पटना । देशभरि मे 15% ऑल इंडिया कोटा सीट, डीम्ड युनिवर्सिटी आ ईएसआई हास्पीटल मे एमबीबीएस आ बीडीएस मे दाखिला क लेल 13 जून सँ रजिस्ट्रेशन शुरू होएत । मेडिकल काउंसलिंग कमिटी शिड्यूल जारी कए चुकल अछि । एहि साल दू राउंड क काउंसलिंग होएत । राज्य मे 15 प्रतिशत कोटा सीट क तहत पीएमसी पटना, डीएमसी लहेरियासराय, जेएलएनएमसी भागलपुर, एनएमसी पटना, एसकेएमसी मुजफ्फरपुर, एएनएमएमसी गया, आईजीआईएमएस पटना, जीएमसी बेतिया, वर्धमान मेडिकल कालेज पावापुरी, नालंदा आ पटना डेंटल कालेज मे नामांकन लेल जाएत। नीट क्वालीफाई करनिहार छात्र सब 13 जून सँ 18 जून धरि रजिस्ट्रेशन, पेमेंट आ च्वॉइस फीलिंग कए सकताह । ओहेन छात्र, जे 18 जून धरि रजिस्ट्रेशन कए लेताह मुदा फीस नहिं जमा कए सकताह ओ 19 जून धरि फीस दए सकैत छथि । सीट एलाटमेंट 20 आ 21 जून कए होएत। फाईनल सीट एलाटमेंट 22 जून कए होएत । चयनित छात्र 23 जून सँ 3 जुलाई धरि संस्थान मे रिपोर्ट कए सकताह।
6 जुलाई स दोसर राउंड लेल होएत रजिस्ट्रेशन
दोसर राउंड क प्रक्रिया 6 जुलाई स 8 जुलाई धरि होएत । 9 जुलाई क दुपहरिया 12 बजे धरि काउंसलिंग फीस जमा होएत । 9 जुलाई क रजिस्ट्रेशन आ च्वॉइस फीलिंग खतम भए जाएत । 10 आ 11 जुलाई क सीट एलाटमेंट होएत । रिजल्ट 12 जुलाई क आओत । विद्यार्थी 13 सँ 22 जुलाई धरि रिपोटिंग कए सकताह । 23 जुलाई कए नॉन रिपोर्टिंग आ नान ज्वाइनिंग सीट स्टेट कोटाक भेट जाएत ।
मॉपअप राउंड सेहो होयत
डीम्ड आ सेंट्रल युनिवर्सिटी क बचल सीट सबपर नामांकन लेल मॉप अप राउंड काउंसलिंग कैल जाएत । एहि लेल बचल सीटक जानकारी 10 आ 11 अगस्त कए देल जाएत । 12 सँ 14 अगस्त साँझ 5 बजे धरि रजिस्ट्रेशन कैल जा सकत । 17 अगस्त कए सीट एलाटमेंट रिजल्ट आओत । छात्र सब 18 अगस्त स 26 अगस्त धरि नामांकन करा सकताह ।