• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

गोल्ड लोन घोटाला : बैंकक अधिकृत गोल्ड जाँच एक्सपर्ट आन कर्मचारी सबसंग मिलकए लगेलथि चपत

June 10, 2018
in समाचार
A A
6
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

बैंक देलक 300 गोटेक गोल्ड लोन, 181 मे 77 क सोना नकली छल

मणिभूषण झा
गोपालगंज । गोपालगंज क बैंक सबमे सबकिछु ठीक नहिं चलि रहल अछि । कोनो बैंक स ग्राहक कए जाली नोट भेटि रहल अछि त कोनो बैंक मे नकली गोल्ड राखिकय करोड़ों लोन उठा लेने छथि । नकली गोल्ड दए क लोन लेबाक मामला क खुलासा होईते जिला क बैंक सब अपन लाकर में राखल सोना के पहचान केनाइ प्रारंभ कए देलक। जेना-जेना शहर के बंजारी मोड़ स्थित एसबीआई बैंक क एडीबीआई शाखाक जाँच बढ़ि रहल अछि, रोज नव-नव खुलासा भए रहल अछि । एखन धरि एहि बैंक स 23 करोड़ 90 लाख टकाक लोन 300 लोक कए देल गेल छल । एहिमें स 181 क जाँच भए रहल अछि । एहिमें स 77 लोकक सोना पूरा नकली भेटल । एहि सबगोटे पर प्राथमिकी दर्ज कैल गेल अछि । एहिक खुलासा भेलाक बाद अधिकारी सबहक हाथ-पैर फूलय लागल छनि ।

प्रथम दृष्टि मे बैंक कर्मचारी सेहो संदेह के घेरा मे छथि । एसबीआई क क्षेत्रीय प्रबंधक क आदेश पर भेल जाँचक बाद कैकटा तथ्य सोझा आबि रहल अछि । एहि फर्जी कांड लेल तत्कालीन शाखा प्रबंधक शैलेन्द्र कुमार नगर थाना मे गोल्ड लोन लेनिहार 77 गोटे पर नकली सोना जमाकए लोन लेबय के आरोप में एफआईआर दर्ज करौलथि ।

नकली गहना लए क लोन लेबय पहुँचल छल बैंक

11 मई कए बैंकक अधिकृत सोना चाँदी जाँच एक्सपर्ट सतीश प्रसाद मांझा बजार क मो. यूनिस क संग बैंक आबिकय सर्विस मैनैजर सुरेश राम आ कैश अधिकारी प्रवीण पाठक स भेंट कयलथि आ कहलथि जे लोन लेबाक अछि । एहि एवज मे मोट रकम देबाक पेशकश सेहो कैल गेल । युनिस अपना संगे सोना क हार, चेन, अंगूठी, सिकड़ी आनने छल । जखन दूनू अधिकारी क संदेह भेलनि त ओ दूनू क पकड़बाक प्रयास केलनि मुदा नकली गहना छोड़ि दुनू पड़ा गेलाह ।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

एफआईआर क बाद 24 घंटा मे तीन आरोपी लोन वापस जमा कयलनि

एफआईआर दर्ज हेबाक 24 घंटाक भीतर तीनटा बड़का लोनी अपन लोन जमा करौलथि । आशा देवी गहना राखिकय 4 लाखक लोन लेने छलथि ओ वापस केलन्हि । रमाकांत प्रसाद 3 लाख टका आ मांझा थानाक भरकुईया गामक चन्द्रभूषण पाण्डेय 2 लाख 43 हजार टका बैंक मे जमा केलथि । नगर थाना क राजेश कुमार दू टा बैंक खाता सँ 6 लाख 40 हजारक लोन नकली गोल्ड राखिकय लेने छलथि, जखन धोखाधड़ी क मामला दर्ज भेल तँ 3 लाख टका दए खाता कए बंद करौलथि ।

3 साल मे तीनटा बैंक आफिसर क बदली भेल मुदा खेल जारी रहल

तीन साल मे तीनटा बैंक प्रबंधक क बदली भेल, फील्ड अधिकारी आ कैश अधिकारी क बदली होएत रहल आ लोन देबाक खेल जारी रहल । शाखा प्रबंधक राधव पाण्डेय क तबादला क बाद रंजन कुमार, फेर शैलेन्द्र कुमार एलाह । फील्ड अधिकारी सुरेंद्र सिंह क तबादला क बाद नव अधिकारी योगदान देलथि ।

Tags: Bank Loan ScamBank ScamGold Loan Scam
Share6TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

मिड डे मील घोटाला : दोषी सबसँ वसूलल जाय गबन क राशि

कन्ज्यूमर कान्फिडेंस सर्वे करेलक : महंगाई बढ़ल, आमदनी बढ़बाक संभावना

इनफिनीटी वार मे कुदल Samsung

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि