पटना । मंगल दिन माननीय मुख्यमंत्री श्री नीतिश कुमार क अध्यक्षता मे राज्य कैबिनेट क बैसक भेल जाहि मे किसान के डीजल अनुदान राशि ३५ टाका से बढ़ाके चालीस टाका कयल गेल। एक एकड़ सिंचाई हेतु दस लीटर अनुदान मान्य होयत।
बैसक मे बाढि, सुखा सनक आपात स्थिति उत्पन्न भेला पर डीजल अनुदान लेल ६० करोड़ आ आकस्मिक फसल योजना हेतु१५ करोड़ खर्च करबाक स्वीकृत देल गेल।
बैसक के बाद कैबिनेट सचिवालय विभाग क विशेष सचिव श्री उपेंद्र नाथ पांडेय कहलनि जे धान, मकई, दलहनी, तेलहनी, मौसमी सब्जी, औषधीय आ सुगंधित पौधा सबहक सिंचाई क लेल ई अनुदान देल जायत। ई निर्णय वर्ष २०१८-१९ क हेतु लेल गेल अछि। कैबिनेट मे कुल २२ प्रस्ताव पर निर्णय लेल गेल जाहि मे मुख्य अछि दानापुर से खगौल , चारि कि. मी. आठ.लेन सड़क क निर्माण। राज्य क ई पहिल आठ लेन सड़क होयत।