• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आसमान मे बिहार

September 25, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना हवाई अड्डा पर भीड़ बढ़ल, आन शहरों से जहाज उड़ल

रेलगाड़ी क छुक-छुक क स्थान पर टेक ऑफ आ लैंडिंग आइ बिहार मे आम शब्द बनि गेल अछि। आब इंडियन एयरलाइंस,जेट, किंग फिशर, इंडिगो सन हवाई कंपनी विकास क पथ पर अग्रसर बिहार मे सेहो अपन भूमिका ताकि रहल अछि। आब विभिन्न कंपनी क अधिकारी, प्रतिनिधि, विभिन्न व्यवसाय स जुड़ल लोक बेधड़क पटना आबैत आ जाइत छथि । एकर जीबैत प्रमाण हवाई यात्रा करैवाला यात्री क संख्या आओर बढ़ैत आमदनी अछि।
airplane

पटना। एकटा जमाना छल, जहिया पटना हवाई अड्डा पर भरि दिन मे एक-आध टा हवाई जहाज उतरैत छल आ ओहि पर स किछु सवारी। मुदा आइ पटना हवाई अड्डा पर भीड़ बढि़ गेल अछि। पहिने जे प्रांगण खाली-खाली लगैत छल, लोक हवाई जहाज तक चलि जाइत छल। आब ओ प्रांगण छोट बुझबा जा रहल अछि। हवाई अड्डा क सुरक्षा सेहो काफी बढि़ गेल अछि। एतबा अंतर कोनो एक दशक मे नहि आयल अछि। पांच-छह साल पहिने, जतय पटना स मात्र पांचटा उड़ान छल, ओतहि आइ सातटा विमानन कंपनीक सब दिन 10टा उड़ान उपलब्ध अछि। पहिने पटना केवल दिल्ली स जुड़ल छल, मुदा आइ था, पटना स देश क कईटा शहर क लेल उड़ान उपलब्ध अछि। आइ पटना स मुंबई ,बेंगलुरु क दूरी महज किछु घंटा भरि कए रहि गेल अछि।
2004-05 मे पटना स नई दिल्ली सेक्टर क बीच विमानन कंपनी कए मात्र 16.5 करोड़ क आमदनी भेल । 2006-07 मे एहि सेक्टर स कंपनी कए आमदनी 28.5 करोड़ कए पार करि गेल। वर्ष 2002 मे पटना स नई दिल्ली, रांची आ कोलकाता क लेल विमान सेवा मौजूद छल। यात्री क बढ़ैत संख्या क असर अछि जे वर्ष 2009 मे एहि शहर क अलावा मुंबई, लखनऊ आ बेंगलुरु क लेल सेहो हवाई सेवा शुरू भ चुकल अछि। हवाई सेवा स जुड़ल दू टा पैघ कंपनी रांची, मुजफ्फरपुर, भागलपुर, पूर्णिया, दरभंगा आ मधुबनी सहित बिहार क अन्य शहर क लेल सेहो हवाई सेवा शुरू करबाक घोषणा कैलक अछि। किछु ठाम स सेवा शुरू भ चुकल अछि आ किछु ठाम अगिला माह स शुरू भ सकैत अछि। 2002 मे पटना स इंडियन एयरलाइंस, एयर सहारा आ जेट एयरवेज क विमान सेवा छल। 2005-06 मे एयर डेक्कन पटना स अपन हवाई सेवा शुरू केलक। चालू वर्ष मे इंडिगो क हवाई सेवा शुरू भ चुकल अछि। निकट भविष्य मे जेट एयरलाइंस आओर स्पिरिट एयरलाइंस क सेवा शुरू होइवाला अछि। कुल मिला कए इ कहल जा सकैत अछि जे किछु साल पहिने तक जतय पटना आ गया स लोक उड़ैत छल आइ पूरा बिहार उड़बा लेल तैयार अछि।

Tags: Bihardarbhangaesamaadgayamaithilimithilapatna

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

बदलल पटना, मुदा नहि बदलल पटनाक दुर्गा पूजा

पाठक बनलाह टाइम मैगजीन क 'पर्यावरण हीरो'

शुष्क शौचालय क कलंक स मुक्ति नहि

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि