मधुबनी। जिला पदाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोक द्वारा बुध दिन स्थानीय नगर भवन मे जिला बैडमिंटन एसोसिएशन द्वारा आयोजित राज्य स्तरीय सब जुनियर बैडमिंटन प्रतियोगिता का तैयारी कर निरीक्षण कयलन्हि। एहि अवसर पर श्री विनोद कुमार पंकज, वरीय उप समाहर्ता, मधुबनी, श्री कृष्णा नन्द जायसवाल, सचिव, विहार बैडमिंटन एसोसिएशन, पटना, श्री सुरेश बैरोलिया, सचिव, मधुबनी जिला बैडमिंटन एसोसिएशन, श्री इंद्रभूषण रमण सहित अन्य पदाधिकारी उपस्थित छलाह।
निरीक्षण पश्र्चात अहर्ता (क्वालिफाइंग) मैच क आयोजन भेल जाहि मे पुरूष ( १३ वर्ष से कम) एकल राऊंड १ मे वेदांक वत्स , मुजफरपुर ,आकाश आर्य, पटना के २३-१,१९-२१,२१-१९ स हरौलनि। अंकित कुमार, पटना , जीशान आलम, पूर्णिया, क विरुद्ध वाक ओभर प्राप्त कयलन्हि। आयुष कुमार, पटना से स्वास्तिक, जहानाबाद हारलाह।
एकल रांउड २ मे तनवीर अहमद , मुजफरपुर ,से अमन कुमार, पटना २१-०५, २१-०८ से हारला। वेदांक वत्स ( मुजफरपुर) कृष( पटना )क विरुद्ध आ अंकित कुमार ( पटना) मो अतहर क विरुद्ध वॉक ओभर पौलन्हि। आयुष कुमार ( पटना) से मुजफरपुर के लक्ष्य २१-०४,२१-११ से हारला।
एहि तरहें पुरुष एकल मे अंकित कुमार,अदिकअख्तर, तनवीर अहमद, वेदांक वत्स आ आयुष कुमार अहर्ता प्राप्त कय प्रतियोगिता क मुख्य ड्रा हेतु अपन स्थान सुनिश्चित कयलन्हि।
पुरुष (१५ वर्ष से कम) एकल मे अमृत राज, हिमांशु कुमार आ रौनक कुंवर अहर्ता प्राप्त कय प्रतियोगिता का मुख्य ड्रा हेतु अपन स्थान सुनिश्चित कयलन्हि। ध्यातब्य अछि जे बृहस्पति दिन एक बजे प्रतियोगिता क उद्घाटन नगर भवन, मधुबनी मे श्री मयंक बरसे, आयुक्त, दरभंगा दिस स कैल ।