नई दिल्ली । अपन देश भारत सोम दिन जैव ईंधन सँ विमान उड़ाकय ओहि गिनल-चुनल देश में शामिल भेल जिनका सबलग ई क्षमता छनि। निजी विमानन कंपनी स्पाइसजेट के बॉम्बार्डियर क्यू 400 विमान जैव ईंधन के इस्तमाल करैत देहरादून सँ दिल्ली तक के उड़ान भरलक।
एयरलाइंस कहलक कि पहिलबेर देश में जैव जेट ईंधन सँ संचालित विमान सफलतापूर्वक परिचालन पूर्ण कयलक। एहि उड़ान के इस्तमाल ईंधन 75 प्रतिशत एविएशन टरबाईन फ्यूल(एटीएफ) आ 25 प्रतिशत जैव जेट ईंधन के सम्मिश्रण कयल गेल छल।
एयरलाइन बयान में कहलक कि एटीएफ के तुलना में जैवजेट ईंधन इस्तमाल सँ कॉर्बन उत्सर्जन घटैत अछि आ कम लागत संग इंजन के दक्षता बढ़ैत अछि। स्पाइसजेट कहलक कि जेट्रोफा सँ बनल एहि ईंधन के विकास सीएसआईआर- भारतीय पेट्रोलियम संस्थान, देहरादून कयने अछि। परीक्षण उड़ान पर करीब 20 गोटे सवार छलथि।
परीक्षण के लेल बॉम्बार्डियर क्यू 400 विमान के इस्तमाल कयल गेल। बामा कात इंजन में पारंपरिक ईंधन भरल गेल। दहिना इंजन में 25 प्रतिशत जैवजेट ईंधन आ 75 प्रतिशत एटीएफ भरल गेल। जैव ईंधन के मात्रा 430 लिटर छल।
स्पाइसजेट के चेयरमैन एवं प्रबंध निदेशक अजय सिंह कहलथि कि जैव ईंधन के लागत कम अछि। एहिमें हमर सबके परंपरागत विमान ईंधन पर प्रति उड़ान में निर्भरता लगभग 50 प्रतिशत कमी आनल जा सकैत अछि।