• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अध्यात्मिक और शैक्षणिक दृष्टिकोण सँ प्रख्यात रहल अछि लोहना पाठशाला 

September 4, 2018
in विचार, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
गजानन मिश्र
पुरना दरभंगा के वर्तमान मधुबनी जिला मे लोहना ग्राम एवं एकर परोपट्टा प्राचीन कालहिं सँ अध्यात्मिक और शैक्षणिक दृष्टिकोण सँ प्रख्यात रहल अछि| लोहना ओ एकर परोपट्टा के ग्राम यथा सरिसब,उजान गंगोली भौर,भट्टपुरा, रुपौली आदि सांस्कृतिक,अध्यात्मिक और शैक्षणिक मामला मे मिथिला, बल्कि समस्त भारत मे पछिला एक सहस्त्राब्दि मे एक महत्वपूर्ण स्थान रखलक अछि|
पुरना संस्कृत अभिलेख मे लोहिनी नाम के उल्लेख भेटैत अछि| लोहिनी के भगवती प्राचीन कालहिं सँ एहि परिसर के तीर्थस्थल बनौने छथि| तहिना लोहना के वीरेश्वर महादेव सेहो प्राचीन काले सँ पूज्य ओ तीर्थस्थल रहलाह अछि| १७-१८ वी सदी मे जाहि विदेश्वर मठ के स्थापना होयबाक उल्लेख भेटैत अछि, से पहिलुक महादेव वीरेश्वरनाथ के मात्र नव स्थापत्य प्रतीत होईत अछि| १५-१६ वी सदी के अप्रकाशित संस्कृत अभिलेख जे यामलसारोद्धार के अंश थिक और जे पंडित भवनाथ झा के सौजन्य सँ प्रकाश मे आयल अछि, के अनुसार लोहिनी भगवती तथा वीरेश्वरनाथ महादेव प्राचीन कालीन थिक| लोहिनी सँ लोहना ओ वीरेश्वर सँ विदेश्वर कोना और कहिया भेल-से खोज के विषय थिक| एहि लोहना सँ सटले अछि पुरान नगर सर्षप जे आई सरिसब के नाम सँ प्रख्यात अछि| एहि परिसर मे अछि लोहिनी भगवती के विशाल उद्यान जे आई उजान के नाम सँ जानल जाईत अछि| लक्ष्मण नदी सँ संपोषित रहल अछि ई परोपट्टा| ई लक्ष्मणा नदी एक छोटक्षीण धार के रूप मे आइयो एतय बहैत अछि| ई नदी कमला के एक सहायक ढहर थिक,ओहिना जेना जीबछ कमला के एक धार थिक| खजौली-रामपट्टी-भौर—पैएटघाट होईत जे कमला धार आइयो बहैत अछि, से लक्ष्मणा नदी प्रतीत होईत अछि जेना आई उपलब्ध सॅटॅलाइट इमेजरी सँ बुझना जाईत अछि| सकरी सँ लोहना धरि भूखंड बहुत उंच अछि जे कमला और लक्ष्मणा नदी सँ संपोषित होईत अछि| सकरी के कमला धार सँ लोहना क पूरब वला बलान धार के क्षेत्र के खूब उंचगर होयब तथा कमला-लक्ष्मणा सँ पोषित होयब एहि परोपट्टा के विकास हेतु उपयुक्त प्राकृतिक सेटिंग तैयार कयलक| प्राचीन तिरभुक्ति और मध्यकालीन तिरहुत के एक शासन केंद्र दरभंगा सँ जे राजमार्ग तत्कालीन बंगाल के पुरनिया होईत जाईत छल और आइयो जाईत अछि, से एहि लोहना-सरिसब होईत जाईत अछि| ई राजमार्ग आवागमन के सहज बनौलक|
लोहिनी भगवती तथा विरेश्वर् देव महादेव के संग-संग गौरी सहित कन्यकेश्वर महादेव, सिधेश्वर देव एवं सिधेश्वरी देवी के आशीर्वाद सँ ई परोपट्टा विगत एक सहस्त्रावदी मे मिथिला मे विद्या के सभ सँ पैघ केंद्र रहल अछि| एहि परोपट्टा के विरासत के द्योतक अछि लोहना पाठशाला जे आई अपन गौरवशाली अतीत के कनौसियो भरि नहि अछि| इतिहास लिखैत अछि सिंहाश्रम सँ बीजी महामहोपाध्याय पंडित हलायुध के बारे मे जे ११-१२ सदी मे गौर बंगाल के राजा बल्लाल सेन के महामात्य छलाह| ओ एहि परोपट्टा के छलाह| हुनकहिं वंश मे एहि परोपट्टा मे भेलाह १३ वी सदी मे गुरु हलेश्वर जे अपन भाई महामहोपाध्याय सुरेश्वर के संग एतय शिक्षण करैत छलाह| एहि हलेश्वर और सुरेश्वर के सोदरपुर ग्राम राजकीय दान मे प्राप्त भेल छल| एहि सुरेश्वर के पुत्र महामहो पाध्याय विश्वनाथ जनिक पुत्र महामहोपाध्याय जीवनाथ छलह| एहि जीवनाथ के पुत्र भेलाह महामहोपाध्याय भवनाथ जे मिथिला मे अयाची के नाम सँ प्रख्यात छथि| एहि अयाची के पुत्र शंकर जे ‘बालोहम जगदानंद’ सँ समस्त भारत मे विख्यात छथि| एहि परिसर मे चमेनिया पोखरि प्रख्यात अछि| एहि वंश मे १५ वी सदी मे भेलाह पक्षधर जे अपना काल मे नव्य न्याय के सम्पूर्ण भारत मे सर्वश्रेष्ठ विद्वान छलाह| गौर बंगाल मे नव्य न्याय के संस्थापक वासुदेव सार्वभौम तथा रघुनाथ शिरोमणि पक्षधरे के शिष्य छलाह| एहि परोपट्टा के भौर ग्राम मे महामहोपाध्याय और खंडवला राज के संस्थापक राजा महेश ठाकुर के वंश मे कैक पीढ़ी सँ वैदुष्य एवं शिक्षण कयल जा रहल छल| ई अध्ययन-अध्यापन के कार्य महेश ठाकुर धरि जारी रहल|
विश्वविख्यात मिथिला विद्या केंद्र लगभग १६ वी सदी धरि भारत मे सिरमौर बनल रहल ताहि मे लोहना परोपट्टा के योगदान सर्वाधिक थिक| कर्नाट और ओईनवार वंश के शासन धरि मिथिला क राजनीतिक स्वतंत्रता/स्वायत्त कमोवेश बनल रहल तैं मिथिला स्कूल पल्लवित-पुष्पित होईत रहल| ई राजनीतिक अस्मिता मुग़ल काल(१६ सँ १८ वी सदी) मे ख़त्म भ गेल; दरभंगा मे सरकार तिरहुत के मुस्लिम फौजदार एक पैघ सेना संग बैसैत छल| भौअरा मधुबनी मे सेहो मुग़ल फौज रहैत छल| तैं खंडवला राजा लोकनि के होयबाक बादो हिन्दू दर्शन और मैथिल मेधा हेतु उपयुक्त वातावरण आब नहि छल| ताहि पर सकरी-लोहना- राजमार्ग पूरब मे गौड़-बंगाल तथा पश्चिम मे जौनपुर-दिल्ली के बीच दरभंगा बाटे तुर्क-अफगान-मुग़ल सैन्य के प्रयाण के मुख्य मार्ग छल| खंडवला राज के राजधानी भौर सँ उठि भौअरा मधुबनी आबि गेल जतय मुस्लिम कुप्रभाव अधिक छल| उपरोक्त परिस्थिति मे मिथिला पीठ क्षीण सँ क्षीणतर होईत गेल| निःसंदेह लोहना पाठशाला एक महान विरासत के धारण करैत अछि|
Tags: Bihardarbhangalohnamithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

सिकंदराबाद लेल 3 नवंबर सँ चलत स्पेशल ट्रेन

मैथिली कए उत्‍कृष्‍ट भाषा क रूप मे अधिसूचित करबाक मांग

तेलंगाना विधानसभा भेल भंग, समय सँ पहिले होयत चुनाव

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि