• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

जयनगर द कए 30 कए जनकपुर पहुंचत पहिल ट्रेन

नेपाल सरकार एक जोडी ट्रेन लेल 20 प्रतिशत धनराशि क भुगतान कंपनी कए केलक अछि। शेष 80 प्रतिशत क भुगतान ट्रेन कए परिचालन मे एलाक बाद होएत।

January 10, 2020
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
  • नेपाल लेल मकर संक्रांति पर 15 जनवरी विदा होएत ट्रेन
  • तिरहुत सरकार स लीज पर जमीन लेने अछि नेपाल रेलवे

दरभंगा। कोंकण रेलवे कॉर्पोरेशन मकर संक्रांति पर 15 जनवरी कए नेपाल लेल एक जोड़ी ट्रेन मे स पहिल ट्रेन जयनगर द कए जनकपुर लेल रवाना करत। कोंकण रेलवे कॉर्पोरेशन, मुंबई ट्रेन क इंजन सहित बोगी कए तैयार करबा मे जुटल अछि। पेंटिंग क काज पूरा भ गेल अछि आ मकर संक्रांतिक दिन एकटा ट्रेन नेपाल लेल विदा क देल जायत। इ ट्रेन 15 दिन मे विजयवाड़ा,  इटारसी,  इलाहाबाद,  पटना,  जयनगर होइत नेपाल क जनकपुर पहुंचत। जनकपुर मे इ ट्रेन कए नेपाल रेलवे कए सौंप देल जायत। ट्रेन कए जयनगर-जनकपुर-धनुषा (कुर्था) रेललाइन पर चलाउल जायत। परिचालन शुरु भेला स रामायण सर्किट क सपना आब सेहो साकार होएत, जे तत्‍कालीन रेलमंत्री लालू प्रसाद अपन बजट भाषण क दौरान सीता-राम क भक्‍त सब कए देखौने छलाह। एहि लेल जयनगर मे एकटा आव्रजन चेक पोस्ट बनत। आव्रजन चेक पोस्ट बनेबाक जिम्मेदारी आव्रजन ब्यूरो या राज्य क होएत। एहि रेलखंड द कए एबा आ जेबा लेल भारतीय आ नेपाली नागरिक कए वीजा क जरूरत नहि होएत, मुदा आन देशक लोक लेल वीजा क जांच होएत। एहि रूट पर यात्री आ मालगाड़ी दूनू चलत।

नेपाल क भौतिक पूर्वाधार आ यातायात मंत्री वसंत नेमांग कहला जे भारत सरकार 15 जनवरी कए नेपाल लेल एकटा ट्रेन रवाना करत। ट्रेन कए नेपाल पहुंचबा मे 15 दिन लागि सकैत अछि। नेपाल पहुंचलाक बाद कई साल स बंद पडल नेपाल रेलवे क सेवा फेर स शुरू भ जायत। ओ कहला जे दोसर ट्रेन फरवरी मे जनकपुर पहुंचत। दूनू ट्रेन जयनगर होइत जनकपुर स धनुषा (कुर्था) तक आउत। दूनू ट्रेन कए जीटूजी स्तर पर (दू सरकार क स्तर पर) एक भारतीय कंपनी स कीनल गेल अछि। ओ कहला जे कोंकण रेलवे कॉर्पोरेशन मुंबई स 84.65 करोड़ टका मे दूनू ट्रेन कीनल गेल अछि। डीजल इलेक्ट्रीफाइड मल्टीपल यूनिट (डेमू) विद्युत व डीजल स संचालित एहि ट्रेन मे पांचटा डिब्बा होएत। आगू आ पाछू दूनू दिस इंजन होएत। विभाग क दावा अछि जे ट्रेन क दूनू दिस इंजन भेला स टर्मिनल पर बेसी परेशानी नहि होएत। पांचटा डिब्बा मे स एकटा ड्राइविंग पावर कार, एक ड्राइविंग ट्रेलर कार, एक एसी ट्रेलर कोच आ दूटा ट्रेलर कोच एसी आ नॉन एसी होएत। एहि ट्रेन मे 16 सौ हॉर्स पावर क इंजन होएत। ट्रेन क अधिकतम गति 110 किमी/घंटा होएत। एकर बॉडी स्टेनलेस स्टील स बनल होएत। नेपाल सरकार एक जोडी ट्रेन लेल 20 प्रतिशत धनराशि क भुगतान कंपनी कए केलक अछि। शेष 80 प्रतिशत क भुगतान ट्रेन कए परिचालन मे एलाक बाद होएत। दूनू ट्रेन जयनगर- जनकपुर- विजलापुर रूट पर चलत। एहि रेलखंडक लंबाई 51 किमी अछि। रेलवे विभाग क महानिदेशक बलराम मिश्र कहला जे जयनगर-जनकपुर-धनुषा (कुर्था) तक 34 किलोमीटर क रेललाइन क विस्तार कैल जा चुकल अछि। शेष धनुषा-विजलापुर 17 किमी रेललाइन भारत क सहयोग स बनाउल जा रहल अछि। देश क कोनो कोने स ट्रेन स पहुंच सकैत छी। जनकपुर-जयनगर-धनुषा (कुर्था) रेल लाइन शुरू भेला स अयोध्या नहि, भारतक कोनो शहर भाया जयनगर क पहुंचल जा सकैत अछि। ओ कहला जे एहि रेलखंड पर परिचालन शुरु भेला स रामायण सर्किट क सपना पूरा भ जायत।  एहि रेलखंड पर आठटा रेलवे स्टेशन अछि। भारत क जयनगर आ नेपाल क्षेत्र क इनरुवा, खजुरी, मैनथपुर, वैदेही, परवाह, जनकपुर, धनुषा (कुर्था), पिपराडी आ बिजालपुरा। उल्‍लेखनीय अछि जे 1940 मे नेपालक तत्‍कालीन राजा जनकपुर आ जयनगर क बीच रेलसेवा शुरु करबा लेल दरभंगा महाराज स लीज पर जमीन लेने छलाह जे आइ धरि नेपाल रेलवे पर लग अछि। नैरो गेज पटरी कए भारत सरकार क सहयोग स नेपाल रेलवे ब्रॉड गेज मे बदलबाक काज केल‍क अछि। एहि आमान परिवर्तनक कारण जनकपुर-जयनगर रेलखंड पर सेवा किछु साल स वाधित अछि।

Tags: mitilanepaltrain

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
कविता : कुमुद रंजन क आब आओर कतेक प्रतीक्षा?

कविता: कुमुद रंजनक कियै छै ,यौ?

कविता :  मतिनाथ मिश्रक प्रलय काल

कविता : मतिनाथ मिश्रक प्रलय काल

कविता : तारानंद वियोगी क विस्मयादि

कविता : तारानंद वियोगीक क्यो नहि पसंद करै छनि हुनका

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि