बिहारमे बीजेपी अपन हरायल राजनीतिक जमीन फेर स’ आपस पयबाक लेल हरसंभव प्रयासमे जुटि गेल अछि. 2015 केर विधानसभा चुनावमे लालू आ नीतीश यादवक समीकरणमे बीजेपीक खेल एहन बिगड़ल छल जे बिहारक १४टा जिलामे खाता धरि नहि खुजि सकल छल. बीजेपी अपन परंपरागत सीटके सेहो नहि बचा सकल छल. यद्यपि, एक बेर फेर स’ जेडीयू आ बीजेपी एक संग मैदानमे उतरि रहल अछि आ एहनमे देखबाक अछि जे नीतीशक सहारे की बीजेपी एहिठाम कमल खिलयबामे सार्थक भ’ पाबैत अछि व नहि?
बिहारक शिवहर, किशनगंज, मधेपुरा, सहरसा, समस्तीपुर, बेगूसराय, खगड़िया, भागलपुर, मुंगेर, शेखपुरा, भोजपुर, जहानाबाद, अरवल आ बक्सर एहन जिला अछि, जतय महागठबंधनक राजनीतिक ताकतिक आगू बीजेपी पूरा तरहे धराशाही भ’ गेल छल. एहि 14 जिलाक कुल 61 विधानसभा सीटमे स’ एको टा सीट पर बीजेपी कमल नहि खिला सकल छल. ओतहि, जेडीयू 29, आरजेडी 22, कांग्रेस 9 आ एक टा सीट पर सीपीआई माले जीतक परचम लहरौने छल.
बिहारक राजनीतिक समीकरण एहि बेरक चुनावमे बदलि गेल अछि. नीतीश कुमार महागठबंधन स’ अलग भ’ एक बेर फेर एनडीए दलक नेतृत्वकर्ता छथि. एहनमे एनडीएक निशान पर कांग्रेस, आरजेडी आ मालेक 32 विधानसभा सीट अछि, किए त’ इ तीनू एहि बेर महागठबंधनक हिस्सा अछि. एहनमे जेडीयूके अपन सीट बचओने रखबाक चुनौती अछि त’ बीजेपीके अपन परंपरागत सीटके आपस आरजेडी आ कांग्रेस स’ छीनबाक चैलेंज अछि. भाजपा अपन परंपरागत सीट पर जीतक रणनीति बना रहल अछि. सीटक बंटवारामे
ओकरा जे क्षेत्र भेटय, मुदा एहि बेर ओकरा निशाना पर आरजेडी आ कांग्रेसे रहत.
महागठबंधनक लहरिमे बीजेपीक तमाम दिग्गज नेता सेहो अपन परंपरागत सीट नहि बचा सकल छलाह. भागलपुरमे अश्वनि चौबेक बेटाक पराजय भेल छल त’ आराक सीट पर विधानसभाक पूर्व उपाध्यक्ष अमरेंद्र प्रताप सिंह सेहो अपन सीट नहि बचा सकल छलाह. बीजेपी एहि बेर नीतीशक सहारे अपन हरायल राजनीतिक ताकतिक दोबारा पयबाक लेल बेताब अछि. सीमांचलक सीट पर ओवैसीक पार्टी दमदारी स’ लड़ी रहल अछि त’ दोसर दिस एनडीएक सेहो घेराबंदी करबामे जुटल अछि, जकरा कारणे आरजेडी आ कांग्रेसक मोश्किल बहुत बढ़ि गेल अछि. बता दी जे बीजेपी एहि बेरक विधानसभा चुनाव लेल जबरदस्त तैयारी क’ रखने अछि. बीजेपी एक दिस जेडीयू आ एलजेपीक संग मजगूत गठबंधन क’ रखने अछि त’ दोसर दिस विधानसभा चुनावमे नीक प्रबंधन करबाक लेल अपना केंद्रीय मंत्री आ सांसदके सेहो कमान सौंपि रखने अछि. अलग-अलग क्षेत्रमे नीक ऑउटपुट आ चुनाव स’ जुड़ल हर संबंधित क्षेत्रमे मजगूती स’ काज करबाक लेल एकरा अतिरिक्त जिम्मेदारी सौंपल गेल अछि.