नव दिल्ली: प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक पर्सनल वेबसाइटक ट्विटर अकाउंट हैकर हैक क’ लेलक. ट्विटर एहि बातक पुष्टि सेहो कयलक अछि. हैकर पीएम मोदीक पर्सनल वेबसाइटक ट्विटर हैंडल स’ एकक बाद एक कतेको ट्वीट कयलक आ क्रिप्टों करेंसी स’ जुड़ल कतेको ट्वीट कयल गेल.
हैकर कोविड-19 रिलीफ फंडक लेल डोनेशनमे बिटक्वॉइनक मांग सेहो कयलक अछि. यद्यपि शीघ्रहि इ ट्वीट्स डिलीट क’ देल गेल. टि्वटर अकाउंट पर कयल गेल एगो ट्वीटमे लिखल छल, “हम अहाँ सभ स’ अपील करैत छी जे कोविड-19 केर लेल बनाओल गेल पीएम मोदी रिलीफ फंडमे डोनेट करू.” ट्विटर कहलक जे ओकरा प्रधानमंत्री मोदीक वेबसाइट अकाउंटक गतिविधिक जनतब छल आ आब एकरा सुरक्षित करबाक लेल डेग उठाओल जा रहल अछि.
पीएम मोदीक पर्सनल वेबसाइटक ट्विटर अकाउंट हैक होयबाक खबरि जुलाईमे प्रमुख हस्तीक कतेको ट्विटर अकाउंट हैक होयबाक बाद आयल अछि. अमेरिकाक पूर्व राष्ट्रपति बराक ओबामा, एमेजन सीईओ जेफ बेजोस, वारेन बफेट, बिल गेट्स, एलन मस्क, जो बिडेन समेत कतेको लोक हैकर्सक शिकार भ’ चुकल अछि. हैक कयल गेल वेरिफाइड अकाउंट स’ पोस्ट क’ बिटकॉइनक नाम पर दान मांगल गेल.