• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नालंदा क गौरव लौटेबा मे मदद देबा लेल थैक्य यू

October 25, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

m-samaad
हुआ हिन (थाइलैंड)। प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह बिहार क गौरवपूर्ण इतिहास क स्मरण कराबे वाला नालंदा विश्वविद्यालय क जीर्णोद्धार मे खुलिकए मदद देबा लेल पूर्वी एशियाई देश कए मन स शुक्रिया अदा कलथि। प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह नालंदा परियोजना मे दिलचस्पी देखेबा लेल धन्यवाद दैत उम्मीद जतेलाह जे इ विश्वविद्यालय एक बेर फेर अपन प्रतिष्ठा क अनुरूप उत्कृष्ट अंतरराष्ट्रीय संस्थान बनिकए उभरत। एकर संगहि मनमोहन सिंह नालंदा विश्वविद्यालय कए वैश्विक संस्थान बनेबा मे आसियान देश क लेल ठोस सहयोग क रास्ता खोलबाक घोषणा केलथि अछि।
एहि स पूर्व सातम भारत-आसियान सम्मेलन क दौरान भारत दक्षिण-पूर्व एशिया क संग आर्थिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक क्षेत्र मे साझेदारी क नव कथा लिखबा पर जोर देल गेल। एहि क्रम मे प्रधानमंत्री बिहार क नालंदा मे प्राचीन आ ऐतिहासिक नालंदा विश्वविद्यालय कए विश्व मे शिक्षा आ संस्कृति क नायाब केंद्र क रूप मे फेर स विकसित करबा क भारत क तैयारी क उल्लेख केलथि। प्रधानमंत्री कहलथि जे दक्षिण-पूर्व एशिया क देश क नालंदा स जुड़ाव रहल अछि आ भारत हिनकर सहयोग स एहि विश्वविद्यालय कए वैश्विक शिक्षा क केंद्र बनबय चाहैत अछि। मनमोहन सिंह कहला जे नालंदा विश्वविद्यालय कए ओकर गौरवपूर्ण स्थान दियेबा लेल हम आसियान आ पूर्वी एशियाई देश क संग मिलकए काज कए रहल छी। शिखर सम्मेलन मे भाग लेलाक बाद पत्रकार स गप करैत प्रधानमंत्री कहला जे नालंदा परियोजना कए मदद भेटब हमारा लेल संतोष क गप अछि। आब हमार अगिला कदम होइत नालंदा कए अंतरराष्ट्रीय स्तर पर सर्वश्रेष्ठ संस्थान क रूप मे विकसित करब। 1197 ईस्वी तक अस्तित्व मे रहल नालंदा विश्वविद्यालय कए लिखित इतिहास क पहिल महान विश्वविद्यालय कहल जाइत अछि। एहि विश्वविद्यालय मे कोरिया, चीन, जापान, तिब्बत, इंडोनेशिया, ईरान आ तुर्की स विद्यार्थी ज्ञान क भूख शांत करबा लेल अबैत छलाह। 1197 मे एहि विश्वविद्यालय कए बख्तियार नामक सेनापति आगिक भेंट चढ़ा देलक। एकर पुस्तकालय कए राख हेबा मे तीन साल लागल। ज्ञात हुए जे बख्तियारपुर क रहनिहार बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार फेर एकरा अपन रूप देबा मे लागल छथि। एहि लेल नोबेल पुरस्कार विजेता अर्मत्य सेन क नेतृत्व मे 11 सदस्यीय नालंदा मेंटर ग्रुप क गठन कैल गेल अछि, जे एकर जीर्णोद्धार क निगरानी करि रहल अछि। पहिल चरण मे 400 भारतीय आओर 46 विदेशी गुरु क देखरेख मे सात शिक्षाशाला शुरू कैल जाइत।

Tags: BiharIndiamanmohannalandanewspmनालंदाप्रधानमंत्रीमनमोहन

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

पटना मे लागत 2500 देशी-विदेशी इंजीनियर क जमावड़ा

Esamaad Epaper Website

रैयाम आ सकरी चीनी मिल क शिलान्यासक तारीख तय

देशी-विदेशी पर्यटक कए रेलवे आनत उत्तर बिहार

Comments 2

  1. ईश्वर झा says:
    16 years ago

    अहाँक वेबसाइट सेहो देखलौं आ एक प्रकार स मन अभिभूत भय गेल की अहाँ मैथिल भाषा के इन्टरनेट से जोड़ में सतत कार्यरत छि. हमरा लायक कोनो सेवा आवश्यकता होए त् जरूर याद करब.

    Reply
  2. Prakash K Jha says:
    16 years ago

    “bahut sundar!!!”

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि