• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

मिथिला पेटिंग कैल मास्‍क भेल हिट त आब बाजार मे धमाल करबा लेल आयल सिक्‍की स बनल राखी

पर्यावरण अनुकूल एहि राखीक सुंदरता अदभुत अछि, संगहि घर बैसल कम दाम मे उपलब्‍ध भ रहल अछि।   

July 15, 2020
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

पटना। मिथिला पेंटिंग वाला मास्क क बाद आब बाजार मे धमाल करबा लेल सिक्की स बनल राखी उतराल गेल अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी क लोकल कए वोकल बनेबाक प्रयासक तहत मधुबनीक संस्‍था क्राफटवाला मिथिला क लोकशिल्प कए बाजार उपलब्ध करेबा मे लागल अछि। एहि प्रयासक तहत संस्‍था सिक्की स बनल राखी आनलाइन बाजार मे उतारबाक काज केल‍क अछि। पर्यावरण अनुकूल एहि राखीक सुंदरता अदभुत अछि, संगहि घर बैसल कम दाम मे उपलब्‍ध भ रहल अछि।

क्राफटवाला क प्रमुख राकेश झा एहि संबंध मे कहैत छथि जे जा धरि अर्थ स मिथिला के मजगूत नहि करब ता धरि भाखा आ साहित्य के आंदोलन अर्थहीन रहत। तैं मिथिला के आर्थिक क्रांति के सूत्रधार बनू  जाहि स हमर अहाँ कए भैयारी कए रोजी रोटी वास्ते, अपन्न मैट पईन स दूर नय जाय परै जा धरि गाम मजगूत नय होयत ता धरि भाखा के बजनिहार कतअ स आनब। कटु गप्प छय मुदा सत्य यैह छै। बाद बाँकी कहै में आ सुनय में त जय मिथिला आ जय मैथिली सच्चे बड्ड नीक लगैत छय।

क्राफटवाला क काज पर टिप्‍पणी करैत पत्रकार पुष्‍यमित्र कहैत छथि जे राकेश झा नीक काज क रहल छथि। मिथिला पेंटिंग क मास्क कए त देश भरि क लोक पसंद केलक, हमरा लगैत अछि जे सिक्की क पर्यावरण मित्र राखी कए सेहो हमरा सब कए अपनेबाक चाही।

विज्ञापन आ पीआर क दुनियाक बादशाह आ मोदी है तो मुमकिन है सन नारा बनेनिहार राज झा कहैत छथि जे ग्रामीण महिला सब सबस शुभ धागा राखी बना रहल छथि। परंपरागत रूप स जे अहां क हाथ पर राखी बांधल जाइत अछि ओ बनेनिहारक अहां रक्षा करू। आजुक काल मे बहिन भाई कए हाथ मे तरह तरह कए राखी बांधैत अछि। एकटा दूरस्थ गांव कए बहिन सिक्‍की स राखी बना रहल छथि, घास क खरपात जे सुंदर अछि। हमरा सब कए एहि राखीक उपयोग करबाक चाही।

चुनाव आयोगक ब्रांड एम्‍बेसडर रहल मणिकांत झा कहैत छथि जे परम्परागत प्रकृति प्रदत सँ बनल ई राखी सरिपहुँ बड्ड अनमोल अछि। सिक्की आउर घास सँ बनल एहि राखीक पर्यावरणक संगे मजगूत बन्हन केर सम्बंध निर्वहन करबाक सशक्त उदाहरण कहब कोनो अतिशयोक्ति नहि । जहिना अदो काल सँ प्रकृति सँ मनुखक गहीरगर संबंध रहलैए आउर आगूओ जुग जुगान्तर शाश्वत रहतैक। ओहिना भाय-बहिनक सिनेहक मजगूत जोर एहि राखी केर कहल जाए, सैह उचित।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

श्री झा सार्थक प्रयास लेल क्राफटवाला कए साधुवाद देलथि जे अपन मिथिलाक गौरवमय पहचान देश विदेश धरि पहुँचेबाक काज भ रहल अछि। ओ कहला जे एकरा मिथिलाक आर्थिक विकासक एकटा नव डेग कहल जा सकैछ। एहि प्रकारे निधोख कही त’ कुटीर उद्योग केर रुप मे लोक कलाक फेरो सँ स्थापित करबाक सराहनीय प्रयास । सभक सहयोग सँ मिथिलाकेँ आर्थिक सबल करबा मे हमरा लोकनि केर सेहो भागीदारी होएबाक चाही।

Tags: Biharbihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

एक्सक्लूसिव: सुशांत केर बैंक खाताक फॉरेंसिक ऑडिट रिपोर्टमे पैघ खुलासा, रियाक लए क सोझां आयल ई बात

एक्सक्लूसिव: सुशांत केर बैंक खाताक फॉरेंसिक ऑडिट रिपोर्टमे पैघ खुलासा, रियाक लए क सोझां आयल ई बात

Delhi Metro, Delhi, Delhi Metro News

अनलॉक-4 : मेट्रो मॉल खुजि सकैत अछि, स्कूल कॉलेज पर संशय बरकरार

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

by संपादक
June 4, 2021
0
कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

पटना : कोरोना मामलाक सुनवाई क दौरान राज्य सरकार दिस स देल गेल हलफनामा मे हाईकोर्ट कए कहल गेल अछि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि