• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home संपादकीय

कांग्रेस आइ बिहार मे हीरो अछि

May 23, 2019
in संपादकीय, समाचार
A A
43
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

कुमुद सिंह
लोकसभा चुनाव मे भाजपानीत राजग गठबंधन कए अभूतपूर्व सफलत भेटल अछि। 1977 आ 1985 क चुनाव क बाद तेसर बेर एहन परिणाम बिहार मे देखबा लेल भेटल। निश्चित रूप स प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी देश में अजय नेताक रूप मे ओहिना स्‍थापित भेलाह अछि जेना अपन कालखंड मे नेहरू छलाह। 2014 मे मोदीक जीत बहुत हद तक कांग्रेस आ मनमोहनक हारि छल, मुदा 2019 निश्चित रूप स मोदी क जीत छी आ मोदी क एहि सफलता मे हुनकर पार्टी आ सहयोगीक भूमिका सेहो उल्‍लेखनीय अछि। बिहार मे जखन महागठबंधन बनल छल त काफी जोर शोर स जातीय समीकरण क ढोल पीटल गेल छल। मुदा कागज पर कैल गेल सबटा सियासी समीकरण धरातल पर जमींदोज भ गेल। मोदी क सबका साथ-सबका विकास क नीति आ सीएम नीतीशक सात निश्चय मे विरोधी दल क जातीय गणित फेल भ गेल। दरभंगा प्रमंडलक तीन मे स तीन, कोसी क दो मे स दो, सीमांचल क चार मे स तीन, अंग क्षेत्र क तीन मे स तीन, चम्पारण क चार मे स चार, तिरहुत क चार मे स चार सीट पर एनडीए विजय भेल अछि।
एहिना मगध क औरंगाबाद, गया, नवादा, पटना साहिब, नालंदा, पाटलिपुत्र मे सेहो एनडीए जीत चुकल अछि। जहानबाद सारण, महाराजगंज, गोपालगंज, आ सीवान पर एनडीए जीतल अछि।
बिहारक परिपेक्ष मे इ परिणाम बहुत किछु कहैत अछि। नीतीश कुमार क लोकप्रियता क एकबेर फेर स परीक्षा भेल। 17टा सीट मे स 16टा सीट जदयू जीत चुकल अछि। एक बेर फेर साबित भेल जे नीतीश जाहि समूह मे रहताह ओकर सफलता अपूर्व होएत। विधानसभा चुनाव मे लालू क करिश्‍मा केतबा छल से एहि परिणाम स देखार भ रहल अछि। निश्चित रूप स 2015 क चुनाव मे जीत का श्रेय नीतीश कुमारक काज आ छवि रहल छल। नीतीश कुमार कए बिहार मे कमजोर हेबाक सबटा आशंका निर्मूल साबित भेल।
जहां धरि लोकसभा चुनाव परिणाम मे महागठबंधन क सवाल अछि त आकर महा हारि क पाछु कईटा कारण रहल। नैना नेतृत्‍व, सीटक गलत वितरण आ निजी स्‍वार्थ आ अहं क संग-संग कांग्रेस क ताकत कए अस्‍वीकार करब राजद कए महग पडि गेल। राजद कए एहि बेर शून्य सीट स संतोष करै पडल। हम, रालोसपा आ वीअइपी संन पार्टी कए सेहो खाता नहि खुलल। केवल ओहि कांग्रेस कए 1 सीट पर जीत भेटल जाहि कांग्रेस कए राजद बिहार मे मुकेश सहनीक वीआपी पार्टी स कम जनाधार वाला दल बतेने छल। राजद अपना कए सबस बेसी जनाधार वाला दल बता महागठबंधन क मुखिया बनल छल, मुदा परिणाम इ रहल जे पार्टी कए एहन हारि एखन धरिक इतिहास मे नहि भेटल छल। लालू प्रसाद क बेटी मीसा भारती तक चुनाव हारि गेलीह।
लोकसभा चुनाव तेजस्वी यादव क नेतृत्व मे लडल गेल छल मुदा हुनकर जिंदगी क पहिल लड़ाई में ओ असफल रहलाह। गठबंधन कए भेटल हारिक बाद ओ मौन छथि मुदा हुनका एखन बहुत सवालक जबाव देबाक अछि। जाहि कांग्रेस कए ओ मुकेश सहनी स कम जनाधार बना कईटा सीट देबा स मना क देने छलाह ओहि सीट पर महागअबंधन क हारि हुनक राजनीतिक क्षमता कए देखार करैत अछि। आजुक तारीख मे अगर कानो विपक्षी दल बिहार में भाजपा कए हरेबाक क्षमता देखेलक अछि त ओ कांग्रेस अछि। तेजस्वी यादव मौन साधि रखने छथि। राजद कार्यालय मे सन्‍नाटा अछि, मुदा अगर कोनो विपक्षी दलक कार्यालय मे जीतल उम्‍मीदवारक बाट ताकल जा रहल अछि त ओ राजद, हम, रालोसपा या वीआइपी नहि बल्कि वो कांग्रेस कार्यालय अछि। निश्चित रूप स कांग्रेस संगठन मे एहि जीत स उत्‍साहक संचार होएत। निश्चित रूप स कांग्रेस अपन नेतृत्‍व आ जनाधार कए मजबूत करत आ जेना लोकसभा चुनाव मे राजद आ अन्‍य दल ओकरा जनाधारहीन बता कम हिस्‍सेदारी देलथि तेना आब विधानसभा मे कांग्रेस कए कम हिस्‍सेदारी शायद नहि द पौताह। सवाल गठबंधन क नेतृत्‍व पर सेहो कांग्रेस उठा सकैत अछि। ताहि लेल भाजपानीत राजग कए त एहि अपूर्व जीत पर बधाई, मुदा आजुक हीरो त कांग्रेस अछि बिहार मे…

Tags: BiharElection in biharIndiamodiRJD
Share43TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

बहुमत एकटा भीड़क नाम थिक, एकरा लग विवेक नहि होइत छैक

आब गाम-गाम मे सेहो उठायल जाएत कचड़ा

राजद लग 80 विधायक मुदा जीत भेटल मात्र 9 विधानसभा मे

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

by संपादक
June 4, 2021
0
कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

पटना : कोरोना मामलाक सुनवाई क दौरान राज्य सरकार दिस स देल गेल हलफनामा मे हाईकोर्ट कए कहल गेल अछि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि