रामबाबू

अगस्तमे दू पहिया आ हल्लुक वाहन सभक लेल पुल खोलल जा सकैत अछि। सितंबर महीना सँ पुल पर सभ तरहक वाहन सभक परिचालन शुरू भ’ जाएत। केके रंजन, प्रोजेक्ट मैनेजर, निर्माण कंपनी
50 करोड़क लागत सँ वर्ष 2015 मे शुरू भेल छल केबल स्टे ब्रिजक निर्माण। लंदन केर टावर ब्रिज जकाँ पुलक डिजाइन अछि। पुलक दुनु भागमे106 मी. निर्माण शेषमे 17 करोड़क लागत सँ वैकल्पिक व्यवस्थाकें अंतर्गत स्टील पाइप पुल बनाओल गेल छल। 250 मजदूर पुलक निर्माण काजमे दिन-राति लागल अछि। एसपी सिंगला कंपनी करा रहल अछि निर्माण। 290 मीटर लंबा पुलक 184 मीटर केर निर्माण पूर भेल। 106 मीटर केर सुपर स्ट्रक्चर केर निर्माण चलि रहल अछि।