• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016
in समाचार, समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

शोफिया/ रोशन मैथिल

Bhawna-Kanthहैदराबाद / दरभंगा । आजुक दिन दरभंगा लेल खास अछि। बिहार क सबस पैघ दरभंगा एयरबेस चाहे जेतबा उपेक्षित रहै, मुदा दरभंगा क बेटा-बेटी देशकवायुसेना मे नित्य नव इतिहास रचबा मे लागल छथि।  भारतक पहिल लडाकू विमान तेजस क निर्माण दरभंगा क बेटा मानस बिहारी वर्मा क नेतृत्व मे भेल, त शनिदिन देश क पहिल महिला फाइटर पायलट बनि दरभंगा क बेटी भावना कंठ इतिहास रचि देलथि। सच पूछु त इ नहि केवल मिथिलानी लेल बल्कि समस्त भारतीय महिला लेल ख़ास अछि। भारतीय वायुसेना कए पहिल तीन गोट एहन महिला अफ़सर भेटल अछि जे फाइटर पायलट हेतीह। दरभंगा क बेटी फ्लाइंग कैडेट भावना कंठ क संग मोहना सिंह आ अवनी चतुर्वेदी कए हैदराबाद क समीप वायुसेना एकेडमी मे कमीशन देल गेल। एहि अवसर पर रक्षामंत्री मनोहर परिकर उपस्थित छलाह। वायुसेना प्रमुख अरुण साहा क कहब अछि जे करीब साल बाद इ पहल महिला पायलट क खेप फाइटर जेट्स उड़ेबा लेल तैनात क देल जेतीह। फिलहाल वायुसेना मे
1500 स बेसी महिला पायलट छथि, मुदा ओ सब केवल परिवहन विमान आ हेलीकॉप्टर उड़ा लैत छथि।

उल्लेखनीय अछि जे भारत सरकार अंतरराष्ट्रीय महिला दिवस क मौका पर तीनू फ़ाइटर पायलट क ट्रेनिंग क एलान केने छल। इंजीनियरिंग मे ग्रेजुएट भावना अपन शुरुआती ट्रेनिंग पूरा क चुकली अछि आ आब हिनकर एक साल क एडवांस ट्रेनिंग कर्नाटक क बीदर मे होएत। भावना कहैत छथि जे हुनकर नैनपन क सपना छल जे ओ एकटा  लड़ाकू विमान क पायलट बनथि। अपन चुनौतीक संबंध मे ओ कहलीह जे महिला आ पुरुष मे कोनो अंतर नहि होइत छै। दूनू मे एक तरह क हुनर, क्षमता होइत छै, दूनू क चुनौती बराबर होइत छै। भावना कहैत छथि जे ट्रेनिंग क दौरान बहुत एहन अनुभव प्राप्त भेल जेकरा सोचि कए एखनो रोमांच स भरि जाइत छी। ट्रेनिंग काफी कठिन छल आ सच पूछु त पहिने नहि अंदाजा छल जे एतबा कठिन होएत। जखन लड़ाकू विमान उडेबाक निर्णय केने रही तखन कई गोटे कहने छलाह जे काज कठिन अछि, मुदा हम इ चुनौती स्वीकार केलहुं। लड़ाकू विमान ट्रेनिंग क संबंध मे जानकारी दैत भावना कहलीह जे हम पहिने सेहो पढ़ाई क दौरान विमान उड़ेने रही। एक स एक कलाबाजी करैत छलहुं। मुदा लड़ाकू विमान एकदम अलग होइत छै। एहि पर जखन कलाबाजी करबाक समय आयल त क्षण भरि लेल सबकुछ नव लागल। बीस हजार फुट क उंचाई स करतब करब रोमांच दैत अछि। भावना कहैत छथि जे ट्रेनिंग के दौरान ओ बहुत नीक जेका  विमान कए गेाता लगवा अपन प्रशिक्षक क मन जीत लेलथि। उल्लेखनीय अछि जे दरभंगा क घनश्यामपुर प्रखंड क बाउर गाम क भावना कंठ अपन दसवीं तक क पढ़ाई बेगुसराय क बरौनी रिफाइनरी क डीएवी स्कूल स केने छथि।

Tags: Bhawna KanthdarbhangaFighter Plane

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मुंगेर क रनवे तैयार, बिहटा क मापी पूरा

दोसर मिथि‍ला रंग महोत्सव लेल दरभंगा तैयार

पांचटा नव मेडिकल कॉलेज लेल 400 करोड निर्गत

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि