• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मुंगेर क रनवे तैयार, बिहटा क मापी पूरा

June 21, 2016
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

Mungair Runwayपटना । केंद्र सरकार क नव विमानन नीति एलक बाद वायुसेवाक क्षेत्र मे उपेक्षित रहल बिहार सन राज्य मे एकटा नव उम्मीद जगल अछि।  मुंगेर आ रक्सौल सन छोट-छोट रनवे कए मरम्मत कैल जा रहल अछि। संगहि गया बिहटा सन पैघ रनवे वाला एयरपोर्ट क विस्तार क प्रक्रिया तेज कैल गेल अछि।

बेगूसराय, रक्सौल, गोपालगंज समेत कईटा रनवे पर मरम्मत क काज चालू अछि। सब किछु ठीक रहल, त शीघ्र सफियाबाद हवाई अड्डा स हवाई जहाज उड़ान भरत। मुंगेर स हवाई सेवा प्रारंभ करबा लेल सफियाबाद हवाई अड्डा क कायाकल्प कैल जा चुकल अछि। मुंगेर रनवे करीब आठ करोड खर्च भेलाक बाद छोट विमान क परिचालन लेल तैयार भ गेल अछि। पिछला सप्ताह मुख्यमंत्री एहि नवनिर्मित रनवे कए लोकार्पित केलथि। मुंगेर जिला प्रशासन क कहब अछि जे शीघ्र एहि एयरपोर्ट कए ऑथोरिटी कए सौंपल जायत। दोसर दिन बिहटा कए पटना एयरपोर्ट क विकल्प बनेबाक प्रयास जारी अछि। बिहटा एयरबेस कए वायुसेना सिविल एविएशन लेल देबाक फैसला क लेलक अछि। नागर विमानन मंत्रालय बिहटा स अंतरराष्ट्रीय उडान शुरु करबा लेल करीब 120 एकड जमीन क मांग प्रशासन स केने छल। मांग क संग तीनटा नक्शा सेहो उपलब्ध करेने छल। जिला प्रशासन आहि मे स एकटा नक्शा अनुसार जमीन क नापी पिछला दू दिन मे संपन्न क सोमदिन जिला अधिकारी कए सौंप देल गेल। ऑथिरिटी क जरुरत क हिसाब स तीनटा गाम क कुल 120 एकड जमीनक मापी कैल गेल अछि। डीसीएलआर बृंदा लाल क नेतृत्व मे भेल एहि मापी मे एहि गप क ख्याल राखल गेल जे एयरपोर्ट विस्तार लेल जे जमीन अधिग्रहित होएत ओहि स ककरो घर नहि क्षतिग्रस्त होई। सीओ रघुवीर प्रसाद संग करीब एक दर्जन अमीन आ अधिकारी एहि काज मे लागल छलाह। सीओ रघुवीर प्रसाद कहला जे विशंभरपुर, कुतलुपुर और दोघडा गामक बधार क किछु हिस्सा मापी मे आयल अछि। मापी क रिपोर्ट केंद्र कए पठाउ जाएत, ओकर बाद अधिग्रहण लेल कार्रवाई शुरु होएत। उल्लेखनीय अछि जे इसमाद अपने लोकनि कए पहिने एहि संदर्भ मे समाद द चुकल अछि जे बिहार मे प्रस्तावित अंतरजिला हवाईसेवा लेल एयरपोर्ट आ रनवे क मरम्मत क काज जारी अछि। भागलपुर एयरपोर्ट क मरम्मत पहिने संपन्न भ गेल छल। मुंगेर आ बेगूसराय क लोक क हवाई सफर क सपना सेहो जल्द साकार होए जा
रहल अछि।

सफियाबाद हवाई अड्डा स हवाई सेवा आरंभ करबा लेल रनवे क लंबाई-चौड़ाई आओर बढ़ा देल गेल अछि। 10 सीटर हवाई जहाज लेल सुरक्षित लैंडिंग आ टेकऑफ लेल कम स कम तीन हजार वर्ग फुट जमीन पर रनवे तैयार कैल गेल अछि। पहिने इ 2520 वर्ग फुट क दायरा मे छल । बेगूसराय कए सेहो हवाई मार्ग स जोडबा लेल स्थानीय एयरपोर्ट क मरम्मत क काज जारी अछि।

Tags: airportBihta AirportMunger Runway

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

दोसर मिथि‍ला रंग महोत्सव लेल दरभंगा तैयार

पांचटा नव मेडिकल कॉलेज लेल 400 करोड निर्गत

बेरोजगार छी त आब भेटत भत्ता

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि