विनीत ठाकुर

जी एस आई क सर्वेक्षण मे भागलपुर जिला मे कोयला क भंडार १३६६.७५ मीट्रिक टन अनुमानित अछि जकर सूचना केंद्र सरकार केँ पठाओल गेल अछि।जल्दिये खुदाई शुरू होयबा क आसार अछि। खान आ भू -तत्व विभाग क अधिकारिक सूत्रानुसार भारतीय भू वैज्ञानिक विहार क कतेको जिला मे सर्वेक्षण कय रहल छथि।एही क्रम मे हुनका लोकनिक केँ भागलपुर जिला क श्रीनगर आ लक्ष्मीपुर प्रखंड में कोयला भेटल। महत्त्वपूर्ण खनिज प्लेटिनम, निकेल आ क्रोमियम क खोज गया जिला क इमामगंज प्रखंड मे कैल जा रहल अछि जे २०२० ई तक खत्म होयत।
बांका जिला क बेलहरिया में आर ई ई आ रेयर अर्थ मेंटल भेटबाक संभावना अछि। मुंगेर क खड़गपुर, पहाड़,भखा,सारण आ रोहतास जिला क अघौरा, बंजारी पहाड़ मे बाक्साइट, गया आ जहानाबाद के पूर्व उत्तर क्षेत्र में मैग्नेटाइट आ इलमेनाइट क खोज कैल जा रहल अछि। नवादा, जमुई आ गया मे माइका भेटबा क संभावना अछि। कैमूर, रोहतास जिला मे टाइटेनियम, वैनेडियम आ गैलियम भेटबाक संभावना अछि। सुखद बात जे खनिज संपदा संपन्न राज्य भेला सँ रोजगार क संग आर्थिक लाभ सेहो होयत।