144696 करोड़ क बजट पेश, पांच टा नब यूनिवर्सिटी खोलबाक प्रस्ताव
युवा क लेल पांच सौ करोड़ क वेंचर फंड गठित, महिला क लेल 35 फीसदी आरक्षण क वादा
पटना । वित्त मंत्री अब्दुल बारी सिद्दीकी बिहार क लेल वित्तीय वर्ष 2016-17 क बजट पेश केलथि । 144696 करोड़ क एहि बजट मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क सात टा निश्चय कए प्राथमिकता देल गेल अछि । वित्तमंत्री कहलथि कि एहि वित्तवर्ष मे राजकोषीय घाटा 3 फीसदी से कम रहत। संगे ओ कहलथि कि राज्य क राजस्व बचत करीब 14649.46 करोड़ रहबाक अनुमान अछि जे सकल घरेलू उत्पाद कए करीब 2.62 फीसदी अछि। ओ कहलथि कि लोक ऋणक अधिशेष सेहो 105564.53 करोड़ रहबाक अनुमान अछि जे सकल घरेलू उत्पाद कए 18.89 फीसदी अछि। ओ कहलथि कि राज्यक पूंजीगत खाता नीक जेंका समृद्ध अछि आओर एहि मामला मे बिहार देश मे दोसर स्थान रखैत अछि। श्री सिद्धकी कहलथि कि गैर योजना व्यय क बजट 72276.95 करोड़ रहबाक अनुमान अछि, जखनकि योजना व्यय 71501.84 करोड़ रहबाक अनुमान अछि । केंद्रीय योजनागत योजना क लेल बजट मे 917. 48 करोड़ क प्रावधान कैल गेल अछि । वित्तमंत्री कहलथि कि कुल राजस्व प्राप्ति 124590.24 करोड़ अनुमानित अछि, जखनकि आन स्रोत स 29730.27 करोड़ प्राप्त हेबाक उम्मीद अछि। ओ भरोसा दिलोलथि कि राज्य अपन स्तर स गैर कर राजस्व क रूप मे 2358.11 करोड़ जुटाओत। एहि क संगे ओ कहलथि कि राज्य अपन रिसोर्सेज कए मजबूत करत। वित्त मंत्री सिद्दीकी कहलथि कि मिठाई मे चीनी कम वाली बात नहि होएत। सरकार क इरादा मजबूत अछि। ओ कहलथि कि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक बिहार कए देल गया 1.25 लाख क पैकेज खाली मृग तृष्णा अछि। बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा देल जाए । ओ कहलथि कि 14वां वित्त आयोग स 45803 करोड़ क नुकसान भेल अछि। केंद्र क अनदेखी क बादो हमार इरादा अटल अछि ।
महागठबंधन सरकार क एहि पहिल आम बजट मे युवा आओर महिला क खास ख्याल राखल गेल अछि। युवा क लेल पांच सौ करोड़ क वेंचर फंड गठित करबाक गप कहल गेल अछि, जखनकि महिला क लेल 35 फीसदी आरक्षण क प्रस्ताव कैल गेल अछि । ओ कहलथि कि युवा कए रोजगार भेटय एहिलेल हरेक जिला मे रोजगार प्रशिक्षण केंद्र स्थापित होएत। ओतय कृषि मजदूर कए प्रशिक्षण देबाक सेहो व्यवस्था होएत। एहिक संग कॉलेज वा स्कूलों कए वाइ-फाइ से जोड़बाक गप सेहो कहल गेल अछि ।
वित्तमंत्री कहलथि कि राज्य मे पांच टा नब यूनिवर्सिटी खोलबाक प्रस्ताव अछि। किशनगंज मे कृषि विवि खोलबाक प्रस्ताव अछि। एहि क आलावा ओ कहलथि कि अखैन 7टा इंजीनियरिंग कॉलेज, 22टा पॉटेक्निक, 11टा महिला आईटीआई क संचालन कैल जा रहल अछि। सरकार आओर 11टा इंजीनियरिंग कॉलेज, छपरा, समस्तीपुर आओर पूर्णिया मे मेडिकल कॉलेज, हरेक जिला मे एकटा जीएनएम स्कूल, हरेक जिला में एकटा पारा मेडिकल कॉलेज आओर सभटा अनुमंडल मे एकटा एएनएम स्कूल खोलबाक प्रस्ताव रखैत अछि।
बजट मे सबसे बेसी राशि शिक्षा विभाग कए देल गेल अछि। एहि विभाग कए 21,897.02 करोड़ आवंटित कैल गेल अछि। ओ कहलथि कि 5423 माध्यमिक शिक्षक क नियोजन, 686 नृत्य, 686 ललितकला, 2937 संगीत क शिक्षक क नियोजन प्रक्रिया शुरू अछि। हरेक घर बिजली क वादा पूरा करबाक लेल एहि वर्ष ऊर्जा विभाग कए शिक्षा क बाद सबसे बेसी राशि भेटल अछि। कुल बजट क 13 फीसदी राशि बिजली पर खर्च कैल जाएत । ओना वित्तमंत्री दावा केने छथि कि कृषि क विकास सेहो सरकार क प्राथमिकता अछि। कृषि विभाग कए 2016 17 मे 2,718.13 करोड़ टका आवंटित कैल गेल अछि । एहि साल पीएम कृषि योजना क तहत भूजल कए ऊपर आनल जाएत। सरकार 4350
हेक्टर अतिरिक्त सिचाई क्षमता भूमि क नब सृजन केने अछि । सिद्दीकी कहलथि कि घर तक पक्की सड़क पहुंचेबा लेल हम संकल्पित छी। पथ निर्माण विभाग कए साल 2016 17 मे 6,599.06 करोड़ आवंटित केल गेल अछि।
asha achi ki poora hoit …