पटना | बिहार माध्यमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा (एसटीईटी) 2019 पुनर्परीक्षाक प्रवेश पत्र जारी क’ देल गेल अछि। बिहार बोर्ड वेबसाइट www.bsebstet2019.in आ biharboardonline.gov.in पर जा क’ एकरा डाउनलोड कयल जा सकैत अछि। प्रवेश पत्र डाउनलोड करबाक लेल अभ्यर्थीके अपन एप्लीकेशन नंबर आ डेट ऑफ बर्थ दिय पड़त। परीक्षा 9 सितंबर स’ 21 सितंबरक बीच बिहार राज्यक पटना, भोजपुर, नालन्दा, गया, छपरा, वैशाली, मुजफ्फरपुर, औरंगाबाद, दरभंगा, समस्तीपुर, भागलपुर एवं पूर्णियां जिला मुख्यालयमे तीन भागमे आयोजित होयत। प्रवेश-पत्र डाउनलोड करबामे अथवा प्रवेश-पत्र संबंधित आन कोनो प्रकारक असुविधा होअय त’ संबंधित परीक्षार्थी bseb.stethelpdesk@gmail.com पर अपन शिकायत पठा सकैत छथि, जाते समस्याक समाधान कयल जायत तथा सूचित कयल जायत।
अभ्यर्थीक प्रवेश पत्र पर परीक्षा केंद्रक नाम, परीक्षाक तिथि, परीक्षाक समय, परीक्षाक विषय, परीक्षा केंद्र पर पहुंचबाक निर्धारित समय आ परीक्षा केंद्रक गेट बंद होयबाक समय देल रहत। बोर्डक मानब त’ पेपर-एक आ पेपर-दू केर अलग-अलग प्रवेश पत्र अभ्यर्थीके डाउनलोड करय पड़त। ऑनलाइन परीक्षाक अभ्यासक लेल बोर्ड एगो लिंक सेहो तीन सितंबर स’ परीक्षार्थीके द’ रहल अछि। एहि लिंक पर जा क’ छात्र ऑनलाइन परीक्षा देबाक अभ्यास क’ सकैत छथि। एसटीईटी नौ स’ 21 सितंबर धरि होयब निर्धारित अछि। परीक्षामे दू लाख 47 हजार स’ बेसी परीक्षार्थी शामिल होयत। केंद्र पर प्रवेश काल टेंपरेचर टेस्ट होयत। अभ्यर्थीक टेंपरेचर 99.14 डिग्री फारेनहाइट स’ बेसी नहि होयबाक चाही। ज’ बेसी भेल त’ प्रवेश नहि भेटत। एहन अभ्यर्थी परीक्षा स’ वंचित रहि जायत।
बिहार बोर्डक मानब त’ अभ्यर्थीके मास्क लगा क’ केंद्र पर प्रवेश भेटत. एकरा लेल सभ अभ्यर्थीके मास्क लगा क’ आयब अनिवार्य अछि. परीक्षा केंद्र पर हर दिन हर पाली स’ पहिने परीक्षा केंद्रके सेनेटाइज करबाक व्यवस्था बोर्ड द्वारा कयल गेल अछि। एकर अलावा केंद्र पर प्रवेश काल अभ्यर्थीक दुनू हाथके सेनेटाइज सेहो कराओल जायत।
परीक्षार्थीक लेल निर्देश
– जूता मोजा आ घड़ी पहिरि क’ नहि जाथि
– अपलोड कयल गेल फोटोक पासपोर्ट आकारक रंगीन फोटोके मूल प्रवेश पत्रक निर्धारित स्थान पर सटबाक अछि
– पहचान पत्र संगमे राखू
– समय पर परीक्षा केंद्र पहुँचि जाउ
– पेंसिंल, बॉल पेन ल’ आयब
– परीक्षा शुरू होयबाक पहिने कंप्यूटर पर नाम, रौल नंबरके चेक करू
परीक्षा कार्यक्रम इ रहत
पाली रिपोर्टिंग समय गेट बंद होयबाक समय परीक्षा शुरू
प्रथम 7 बजे 7.30 बजे 8 स’ 10.30 बजे धरि
द्वितीय 11 बजे 11.30 बजे 12 स’ 2.30 बजे धरि
तृतीय 3 बजे 3.30 बजे 4 स’ 6.30 बजे धरि