पटना । बिहार मे पांचटा नब मेडिकल कॉलेज खुलत। सरकार अगिला पांच साल मे राज्य मे पांचटा नब मेडिकल कॉलेज आ अस्पताल खोलबाक फैसला केलक अछि। इ फैसला गुरुदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्वास्थ्य विभाग क समीक्षा बैसार मे लेलथि। बैसार मे एकर अलावा सेहो कईटा महत्वपूर्ण फैसला लेल गेल। समीक्षा बैसार क बाद स्वास्थ्य सचिव आर के महाजन कहला जे बिहार मे पहिने स 17टा मेडिकल कॉलेज अछि। सरकार अगिला पांच साल मे पांचटा नब मेडिकल कॉलेज खोलबाक फैसला केलक अछि। एकर अलावा सबटा नब आ पुरान मेडिकल कॉलेज मे नर्सिंग कॉलेज खोलल जायत।
ओ कहला जे बैसार मे चारिटा बेड क आईसीयू कए 10 बेड क करबाक सेहो फैसला लेल गेल। महाजन कहला जे राज्य क सबटा पीएचसी यानि प्राथमिक स्वास्थय केन्द्र क सूरत सरकार बहुत जल्द बदलत। ओ कहला जे बिहार मे सबटा 101 सब डिवीजन मे एएनएम कॉलेज खुलत। एकर अलावा सबटा जिला मे जीएनएम आ पारा मेडिकल लेल इंस्टीट्यूट खोलल जायत। समीक्षा बैसार मे पटना मेडिकल कॉलेज हॉस्पिटल, नालंदा मेडिकल कॉलेज आ आईजीएमएस मे अंतरराष्ट्रीय स्तर क सुविधा क निर्माण करबा लेल अधिकारी कए योजना तैयार करबा लेल कहल गेल। बैसार क बाद स्वास्थ्य मंत्री तेज प्रताप कहला जे दवा दुकान पर छापेमारी जारी रहत।