• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

जीएसटी पर निर्भर करैत अछि बिहार क शराब नीति

December 18, 2015
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

कानून लागू नहि भेला पर चरणबद्ध बंद होएत शराब क दुकान

कुमुद सिंह

GSTपटना। बिहार मे शराब बंदी पर पेंच फंसल अछि। नीतीश कुमार एहि पर अपन इच्छा  प्रकट क चुकल छथि, मुदा बाट की होएत ताहि पर नव नीति एबाक बाट देखा रहल छथि। नव शराब नीति बनेबा मे जुटल अधिकारी दुविधा मे छथि। एक दिस नीतीश क संकल्पा त दोसर दिस राज्यि क आर्थिक हित। ऊपर स शराब लॉबीक अलगे दबाव। सूत्र क मानी त नब शराब नीति तखन धरि कोनो ठोस मूर्त रूप नहि ल सकैत अछि जा धरि केंद्र मे जीएसटी बिल पास नहि भ जाइत अछि । यैह कारण अछि जे नीतीश कुमार शराब बंदी क तारीख सेहो एक अप्रैल तय केने छथि जे देश मे जीएसटी लागू हेबाक तारीख अछि। एहन मे तय मानल जा रहल अछि जे बिना जीएसटीपर फैसला कए बिहार मे नब शराब नीति पर कोनो अंतिम फैसला नहि भ सकैत अछि । सूत्रक मानी त मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जीएसटी क प्रावधान क मद्देनजर राज्य मे शराब बंदी कघोषणा एक अप्रैल स केने छथि। नीतीश कुमार क नजरि जीएसटी पर टिकल अछि ।

केंद्र सरकार जीएसटी क ओहि प्रावधान कए मंजूर क चुकल अछि जाहि स बिहार मेशराबबंदी क बाद राज्य क आर्थिक सेहत पर पडैवाला कुप्रभाव कए कम कैल जासकैत अछि । जानकार लोकक मानी त जीएसटी क प्रावधान क अनुसार जाहि राज्य मे उद्योग स राजस्व क प्राप्ति कम भ रहल अछि, ओहि राज्य  कए जीएसटी क माध्यम स केंद्र अतिरिक्त सहायता प्रदान करत। एहि प्रावधान स बिहार जइसन राज्य कए सबस बेसी फायदा भेटत । एहि प्रावधान क बल पर शराब बंदी क बाद राज्य क आर्थिक सेहत पर पडैवाला कुप्रभाव कए कम करबाक योजना पर काज कैल जा रहल अछि । उत्पाद आ मद्यनिषेद विभाग क अधिकारी क मानी त स्प्रीट टाइप-1 केंद्र क अधिकार क्षेत्र मे अछि, जखनकि स्प्रीट टाइप-2 पर पाबंदी क अधिकार राज्य  लग अछि। स्प्रीट टाइप-2 स देसी शराब क निर्माण होइत अछि । एथौनॉल सेहो एहि श्रेणी मे आबैत अछि। एहन मे राज्य सरकार एकर उत्पादन कए बंद नहि क सकैत अछि । पाबंदी केवल एकर बिक्री पर लगा सकैत अछि। एहि पाबंदी स सरकार एक कुल 4882 करोड क राजस्व क हानि क आशंका अछि। एखन देसी शराब स 16 सौ आआरे विदेशी शराब स करीब 26 सौ करोड क राजस्व अबैत अछि । राजस्व विभाग क एकटा पैघ अधिकारी क अनुसार जीएसटी अगर लागू भ गेल, त राज्य मे एक झटका मे शराबबंदी संभव अछि, मुदा अगर कोनो कारण स लागू नहि भेल, त बिहार सन विकासशील राज्य लेल एक झटका मे शराबबंदी आत्मघाती साबित होएत। एतबा पैघ पैमाना पर राजस्व क भरपाई करब नामुकिन अछि। एहन मे अधिकारी क कहब अछि जे सरकार लग मुख्यमंत्री क एहि संकल्प  कए पूरा करबा लेल केवल एकटा रास्तान अछि जे एकरा चरणबद्ध तरीका स लागू कैल जाये। दरअसल केंद्र में मचल घमासान स इ संकेत भेट रहल अछि जे मोदी सरकार एहि सत्र मे एहि बिल कए पास नहि करा सकत, एहन मे विभाग विकल्पर पर काज सेहो क रहल अछि । चरणबद्ध तरीका स शराबबंदी लेल पहिल चरण मे पूरा राज्य मे कंपोजिट आ देसी शराब क बिक्री पर पाबंदी लगाउल जायत। दोसर चरण मे विदेशी शराब क बिक्री कए जिलास्तर तक सिमित कैल जायत। ओकर बाद ओकरा प्रमंडल स्तर तक सिमित कैल जायत। मुख्य सचिव क अध्यक्षता मे बनल समिति एकर अलावा आओर सेहो कईटा प्रस्ताव पर काज क रहल अछि, जाहि पर मुख्यमंत्री समीक्षा करताह। मुदा कोनो अंतिम फैसला संसद मे जीएसटी क पास आ फेल भेला क बाद सामने आउत।

Tags: Ban on LiquorBihar LiquorGST Billनीतीशशराबबंदी
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

केदार नाथ चौधरी कए साल 2016 क प्रबोध साहित्य सम्मान

अनिल मिश्रा सम्मानित होएत ''रंगकर्मी श्रीकांत मंडल सम्मान 2015'' से

प्रलय क बाट तकैत दुनिया

Comments 1

  1. sohan & neha says:
    7 years ago

    बढिया विश्लेषण..! धंयवाद.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

by संपादक
June 4, 2021
0
कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

पटना : कोरोना मामलाक सुनवाई क दौरान राज्य सरकार दिस स देल गेल हलफनामा मे हाईकोर्ट कए कहल गेल अछि...

Read more

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

by संपादक
May 31, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

डॉ सत्येन्द्र कुमार झा मैथिली गीतक सर्वाधिक लोकप्रिय हस्ताक्षर मैथिलीपुत्र प्रदीप आब एहि नश्वर संसारमे नहि छथि। चौरासी बरखक अवस्थामे...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि