• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार क बेटी बनल पहिल महिला फाइटर पायलट्स

March 10, 2016
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

Bhawna Kant

पटना । भारतीय वायुसेना क पहिल तीनटा महिला पायलट मे स एकटा बिहार क भावना कंठ छथि। भावना मूल रूप स दरभंगा जिला क घमश्यामपुर क छथि, मुदा हिनकर पढाई लिखाई बेगूसराय में भेल अछि। 2400 किमी क रफ्तार स उडय़ बला भारतीय वायु सेना क शान सुखोई कए उड़ेबाक मौका अखैन धरि देशक पुरुष पाइलट्स टा कए भेटैत छल। मुदा महिला दिवस क अवसर पर एयरचीफ मार्शल अरुप राहा घोषण केलथि जे एहि साल 18 जून कए भारत क 3 टा महिला फाइटर प्लेन उडेबाक लाइसेंस पाबि लेतीह। पिछला साल अक्टूबर मे भारत सरकार महिला कए बतौर फाइटर पायलट वायूसेना मे लेबाक मंजूरी देने छल। भावना क चयन एयफोर्स एकेडमी, डुंडीगल मे 120 टा कडैट्स मे स कैल गेल अछि। जानकारी क अनुसार दरभंगा क घनश्यामपुर प्रखंड क बाउर गाम क भावना कंठ 18 जून स अवनी चतुर्वेदी आ मोहना सिंह संग फाइटर प्लेन उड़ौतीह। । एखन धरि भावना भारतीय वायुसेना मे भारी ट्रांसपोर्ट विमान आ हेलीकॉप्टर उड़बैत छलीह।

भावना कंठ अपन शुरुआती पढाई बेगूसराय क बरौनी रिफाइनरी डीएवी स्कूल स केने छथि। भावना क कहब अछि जे महिला लेल फाइटर पायलट बनब हरदम सही वक्त छल, मुदा आब एकर समय आयल अछि। ओ एकरा लेल सरकार कए शुक्रगुजार छथि। ओ कहलीह जे नैनपन स हुनका एकटा फाइटर पायलट बनाक इच्छा छल। परिवार क हुनका पूरा सपोर्ट भेटल। ओ कहलथि जे घर मे कहियो इ आभास नहि भेल जे हम बेटी छी आ इ सब काज बेटा करैत छै। एहि लेल किछु अलग सोची सकलहुं। ओ कहलीह जे एहि लेल बड कड़ा पशिक्षण होइत छै। एयरफोर्स एकेडमी में ट्रेनिंग भेटलाक बाद तीनटा फायलट क चयन भेल अछि। हमर अलावा मध्यप्रदेश क रीवा क अवनी चतुर्वेदी आ वडोदरा क मोहना सिंह देश सेहो फाइटर पायलट बनलीह अछि।

उल्लेखनीय अछि जे प्रथम विश्वयुद्ध मे दरभंगा महाराज ब्रिटिश सेना लेल हवाई जहाज दान देने छथि। बिहार मे पहिल हवाई जहाज 22 मार्च 1932 मे पूर्णिया मे उतरल अछि। 1950 मे दरभंगा एविएशन क स्थापना भेल अछि आ तिरहुत क पहिल पायलट दरभंगा क सुरेंद्र चौधरी भेलाह, जे एयर इंडिया क महाप्रबंधक भ सेवानिवृत भेलथि। जमीन अपन इतिहास फेर दोहरा देलक अछि। सुरेंद्र चौधरी स भावना कंठ तक क इतिहास हमर इतिहास छी। देश क पहिल महिला फायटर पायलट सेहो दरभंगा क भावना कंठ भेलीह। सुरेंद्र चौधरी दरभंगा एविएशन क जहाज दरभंगा एयरपोर्ट पर कई बेर उतारि चुकल छथि। उम्मीद करैत छी जे एक दिन भावना सुखोई उडा कए दरभंगा एयरबेस कए चूमबा लेल जरुर औतीह।

Tags: Bhawna KantFighter Pilotsभावना कांत

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - भारती

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह – अहल्या

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - मैत्रैयी

Comments 2

  1. भरत किशोर says:
    9 years ago

    अति सुन्दर…

    Reply
    • S P Karna says:
      9 years ago

      AAP PAR GARV HAIN

      Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि