• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

काष्ठ कला क अद्भुत नमूना अछि बिहार क नेपाली मंदिर,

July 16, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
विनीत ठाकुर 
पटना। मंदिर भारतक सामाजिक, सांस्कृतिक एकताक प्रकाश स्तंभ क रूपेँ प्राचीन काल से विद्यमान अछि आ अपन भव्यता, शिल्प क लेल विश्वविख्यात अछि। एहि मंदिर सबहक मध्य विहार क राजधानी पटना क समीप हाजीपुर मे कौनहारा घाट पर बनल नेपाली मंदिर काष्ठ कला क अद्भुत नमूना अछि। ई गाँधी सेतु क बाद जडुआ मोड़ से छ किमी दूर हाजीपुर क पश्चिम क्षेत्र मे अवस्थित अछि।  मंदिर काठ सँ बनल अछि आ परिसर मे लकड़ी क खम्भा सब पर काम कलाक विभिन्न आसन प्रदर्शित करैत मूर्त्ति सब बनल अछि जे अनायासे खजुराहो, अजंता, एलोरा क मूर्त्ति सबहक स्मरण करबैत अछि।विहार क ई मंदिर काम कला क शिक्षा दैत स्वयं में अद्भुत अछि।
स्थानीय लोक सब एहि मंदिर क महत्व से अवगत नहि छथि परन्तु देशी विदेशी सैलानी सब मंदिर क मंच सौन्दर्य क आनन्द लेबा लेल भारी संख्या मे अबैत छथि। मंदिर मे पूजा पाठ कम होइए।ई भारतीय पुरातत्व विभाग सँ संरक्षित अछि तथापि अगल बगल मे निर्माण भेल छैक।  गंगा आ गंडक नदी क संगम पर बनल एहि मंदिर क प्राकृतिक दृश्यावली अत्यन्त मनोरम अछि। एक दिश महाश्मशान मे सतत चिता प्रज्वलित रहैत अछि,लगे मे अछि नारायणी घाट जकरा से आगू एक विशाल कक्ष क मध्य नेपाली मंदिर अवस्थित अछि। मंदिर क वाह्य ऊपरी भाग आ शिखर नेपाल क पशुपतिनाथ मंदिर क अनुकृति थिक। एकर शिल्प अन्य मंदिर से भिन्न अछि।
मंदिर क निर्माण लगभग ५५० वर्ष पूर्व ओतुका राजा अपन साम्राज्य विस्तार आ अन्य राजा सबकेँ अपन अधीन करबाक उपलक्ष मे करौने छलाह।यौन शिक्षा सँ समाज केँ अवगत करेबा लेल बनल ई मंदिर क वास्तुकला पैगोडा शैलीक अछि जे सैलानी सब केँआकर्षित करैत अछि। एहि मंदिर क निर्माण नेपाली कमांडर मातवर सिंह थापा के निदेश मे भेलाक कारणे ई नेपाली मंदिर कहबैछ। मूलतः ई भोला नाथ, शिवजी क मंदिर थिक। काशी प्रसाद जायसवाल शोध संस्थान क अनुसार विहार क उत्तर मुगलकालीन देवालय सब मे ई मंदिर अपन बनाबट आ युग्म मूर्तिसब लेल विश्व प्रसिद्ध अछि।ओना त पर्यटक सालोभरि अबैत छथि परन्तु श्रावण आ कार्तिक मास मे लाखो क संख्या मे अबैत छथि।
Tags: Kanhaura Ghat MandirKashtkalaNepali Mandir

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मृत्‍युभोज : कतेक आ कोना ?

जिला स्तरीय खेल प्रतियोगिताक आयोजन अगस्त मे

जयनगर मे हवलदार क एटीएम सँ 1.11लाख निकासी करनिहार अरवल सँ गिरफ्तार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि