• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मृत्‍युभोज : कतेक आ कोना ?

July 16, 2018
in समाचार
A A

आब कि जखन फेसबुक पर मृत्‍युभोज लेल विधवा विलाप भए रहल अछि । मृत्‍युभोज कए अनर्गल आ अहितकारी बताओल जा रहल अछि । आ दोसर दिस किछु गोटे मृत्‍युभोज कए सही बतेबाक लेल कैक तरह क तर्क कुर्तक कए रहल अछि ओहि समय फेसबुकर पर धर्मशास्‍त्र क ज्ञाता, मैथिली आ लिपि क अनन्‍य विद्वान आ महवीर मंदिर पटना क रिसर्च पंडित भवनाथ झाजी विष्‍णुपुराण क इ दसटा श्‍लोकों दिस लोगक ध्‍यान आकृष्‍ट केने अछि । विष्‍णुपुराण क ई दसटा श्‍लोक आम जन कए श्राद्ध, मृत्युभोज आ ओकर पॉछां क जानकारी कए बुझबा मे मदद करत – समदिया

विष्णुपुराण (3.14.21-30), वराहपुराण (13.53-58) आ अन्य धर्मशास्त्रों मे श्राद्ध पर होए बला खर्च क विषय मे बताओल गेल अछि । इ दसो श्‍लोक प्रतिष्‍ठित विष्‍णुपुराण से लेल गेल अछि । ओ कहैत अछि जे ध्यान राखब जे ई निर्देश हमर पितर क अछि जिनकर सन्तुष्टि क लेल श्राद्ध कैल जाएत अछि ।

पितृगीतांस्तथैवात्र श्लोकास्तांश्च शृणुष्व मे।
श्रुत्वा तथैव भवता भाव्यं तत्रादृतात्मना।।21।।

पितरों दिस स कहल गेल पितृगीता क श्लोकों कए हमरा स सुनू आ सुनि‍कए आदरपूर्वक एहि प्रकार क आचरण करू ।।21।।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

अपि धन्यः कुले जायेदस्माकं मतिमान्नरः।
अकुर्वत् वित्तशाठ्यो यः पिण्डान्नो निर्वपिष्यति।।22।।

कि हमरालोग क कुल मे एहन विचारबला धनमान लोग उत्पन्न अछि जे धनक घमण्ड नहि करैत होए सैह हमरा पिण्ड देत ? 22।।

रत्नं वस्त्रं महायानं सर्वभोगादिकं वसु।
विभवे सति विप्रेभ्यो योस्मानुद्दिश्य दास्यति।।23।।

सामर्थ्य भेला पर हमरा लक्ष्य कए ब्राह्मणों कए रत्न, वस्त्र, विशाल वाहन, सभ प्रकार क भोग्य सामग्री क दान करत ?।।23।।

अन्नेन वा यथाशक्त्या कालेस्मिन् भक्तिनम्रधीः।
भोजयिष्यति विप्राग्र्यांस्तन्मात्रविभवो नरः।।24।।

अथवा एहि समय, श्राद्ध काल, भक्ति से नम्र बुद्धि बला अपन सामर्थ्य क अनुसार ओतबे विभव बला व्यक्ति अन्न से ब्राह्मणश्रेष्ठ कए भोजन कराओत ।24।

असमर्थोन्नदानस्य धन्यमात्रां स्वशक्तितः।
प्रदास्यति द्रिजाग्रेभ्यः स्वल्पाल्पां वापि दक्षिणाम्।25।।

अन्नदान करबा मे सेहो जों ओ समर्थ नहि अछि त अपनी शक्ति क अनुसार ब्राह्मणश्रेष्ठ कए खाली धन दान करत, संगे, कनिकटा दक्षिणा सेहो देत ।25।

तत्राप्यसामथ्र्ययुतः कराग्राग्रस्थितांस्तिलान्।
प्रणम्य द्विजमुख्याय कस्मैचिद् भूप! दास्यति।।26।।

हे राजन्, जों एतबा मे सेहो सामर्थ्य नहि होए त आंगुर क अगि‍ला भाग से तिल (एक चुटकी तिल) उठाकए कोनो श्रेष्ठ ब्राह्मण कए देत ।26।

तिलैः सप्ताष्टभिर्वापि समवेतं जलाञ्जलिम्।
भक्तिनम्रः समुद्दिश्य भुव्यस्माकं प्रदास्यति।।27।।

अथवा सात वा आठ तिल स युक्त जल अंजलि में लकए भक्ति से नम्र भकए हमरा लक्ष्य कए धरती पर देत ।27।

यतः कुतश्चित् सम्प्राप्य गोभ्यो वापि गवादिकम्।
अभावे प्रीणयन्नस्माञ्छ्रद्धायुक्तः प्रदास्यति ।।28।।

अथवा एकरो अभाव मे जतय कतहू से गायक एक दिनक भोजन संग्रह करि हमरा प्रसन्न करैत श्रद्धा क संग गाय कए अर्पित करत ।28।

सर्वाभावे वनं गत्वा कक्षमूलप्रदर्शकः।
सूर्यादिलोकपालानामिदमुच्चैर्वदिष्यति ।।29।।
न मेस्ति वित्तं न धनं न चान्यच्छ्राद्धोपयोग्यं स्वपितृन्नतोस्मि।
तृप्यन्तु भक्त्या पितरो मयैतौ कृतौ भुजौ वर्त्मनि मारुतस्य।।30।।

कि‍छुओ टा नहि रहला पर वन मे जाकए अपन काँख देखाबैत अर्थात् दुनू हाथ ऊपर उठाकए सूर्य आदि लोकपाल क प्रति जोर स ई कहेगा-
हमरा लग न‍ि‍ह त सम्पत्ति अछि, नहिए अन्न, नहिए श्राद्ध लेल उपयोगी आन कोनो वस्‍तू । हम अपन पितर क प्रति नतमस्तक छी हमर एहि भक्ति स हमर पितर तृप्त होए, हम वायु क रास्ता अपन दुनू हाथ ऊपर उठा नेने छी ।।29-30।

इत्येतत् पितृभिर्गीतं भावाभावप्रयोजनम्।
यः करोति कृतं तेन श्राद्धं भवति पार्थिव।।31।।

हे राजन्, एहि प्रकारक, सामर्थ्य आ अभाव दुनू गप कहनि‍हार पितर क एहि वाणी क अनुसार जे कर्म करैत अछि हुनके द्वारा श्राद्ध सम्पन्न मानल जाएत अछि ।31।।

यैह अंश वाराहपुराण मे सेहो अछि 13.51 से 13.61 तक अविकल उद्धृत अछि ।

Tags: Bhavnath JhaMrtyuBhojVarah PuranVishnu PuranVishnupuran

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

जिला स्तरीय खेल प्रतियोगिताक आयोजन अगस्त मे

जयनगर मे हवलदार क एटीएम सँ 1.11लाख निकासी करनिहार अरवल सँ गिरफ्तार

सामाजिक सहयोग सँ होयत भैरवा में जलाभिषेक : डीएम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि