टॉप 10 प्रदुषित शहर मे बिहारक तीन टा शहर
गया चारिम सबसे बेसी प्रदुषित, पटना पाँचम आ मुजफ्फरपुर नौअम स्थान पर
डब्ल्यूएचओ 2016 मे pm 2.5 क आधार पर जारी कयलक अपन रिपोर्ट, कानपुर दुनियां क सबसे बेसी प्रदूषित शहर
पटना । पीएम 2.5 कए आधार मानिकए वर्ल्ड हेल्थ ऑर्गेनाईजेशन बिहार क तीनटा शहर कए विश्व क 10 सबसँ बेसी प्रदूषित शहर मानल गेल । रिपोर्ट क अबिते दिल्ली सँ लए क पटना धरि वायु प्रदूषण क लेल हड़कंप मचि गेल अछि। एहि बेर पटना कए दिल्ली सँ बेसी प्रदूषित बताओल गेल अछि । संगहि बिहार सँ गया आ मुजफ्फरपुर कए सबसे बेसी प्रदूषित शहर मे राखल गेल अछि । 2016 धरि वायु प्रदूषण मे खाली एकटा घटक कए आधार बनाकए एकरा घोषित कैल गेल अछि ।
“रिपोर्ट कए हमसब गंभीरता सँ लय रहल छी । एतय क सड़क सब कम चौड़ा अछि । सड़क जाम प्रदूषण कए पैघ कारण अछि । पटना आ मुजफ्फरपुर कए स्मार्ट सिटी बनेबाक अछि । गया, हेरिटेज सिटी मे शामिल अछि । एहिलेल एहिठाम क स्थिति जल्दिए सुधरत।” – सुरेश कुमार शर्मा, नगर विकास मंत्री
पटना मे पीएम 2.5 क संख्या 144 माईक्रोन प्रति घनमीटर, गया मे 149 माईक्रोन प्रति घनमीटर आ मुजफ्फरपुर मे 120 माईक्रोन प्रति घनमीटर घोषित कैल गेल अछि ।
बिहार प्रदूषण पर्षद कहलक – गलत अछि आँकड़ा, खाली मात्र एकटा मानक पीएम 2.5 कए किएक बनाओल गेल आधार
आँकड़ा पर बिहार राज्य प्रदूषण नियंत्रण पर्षद सवाल केलक अछि । राजधानी मे प्रदूषण क स्तर कए गलत बताबैत डब्ल्यूएचओ कए खुला चैलेंज कैल गेल अछि । पर्षद क चैयरमैन प्रो. अशोक घोष कहलथि जे ई आँकड़ा गलत अछि। वायु प्रदूषण लेल पीएम 2.5 क संग सल्फर डाय आऑक्साइड, नाईट्रोजन डाय ऑक्साइड, कार्वन मोनोऑक्साइड, आ ओजोन कए मानीटर कैल जाएत अछि । एहि सभ हिसाब सँ पटना क नंबर कहियो विश्व क 10 प्रदूषित शहर में नहिं आओत ।
तीन उपाय सँ रोकब प्रदूषण
ईंटा भट्ठा सँ वायु प्रदूषण बढैत छल, भट्ठा जिगजैग तकनीक के लागू कए देल गेल अछि । एहिना बेसी धुँइया छोड़यवला गाड़ी सबपर रोकि कए कार्रवाई प्रारंभ कैल गेल अछि । संगहि नदी सबहक किनारा पर पैघ पैमाना पर गाछ-वृक्ष लगाओल जायत जे गंगा संगे आन नदी सँ आबयवला धूलकण कए रोकत ।