• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अहिंसा आ सूचिता स समाज मे आउत बराबरी : बिंदेश्वर पाठक

November 29, 2014
in समाचार
A A

 

Sulabhदरभंगा । पद्मभूषण डॉ बिंदेश्‍वर पाठक कहला जे महाराजा डॉ कामेश्‍वर सिंह एकटा प्रबुद्ध शासक क संगहि संस्‍कृति, कला, शिल्‍प, संगीत आ शिक्षा क संरक्षणक अपन कुलवंशक परंपरा क अनुपालक सेहो छलाह। अपन लोकतांत्रिक व्‍यवस्‍था में बहुत खूबी अछि, मुदा योग्‍यता क जे परख राजतंत्र मे छल ओ लोकतंत्र मे नहि देखबा लेल भेटैत अछि। आजुक काल मे अयोग्‍य व्‍यक्ति कए सेहो सम्‍मान आ संरक्षण भेट जाइत अछि आ योग्‍य व्‍यक्ति सब पर चयनकर्ताक नजरि नहि जाइत अछि । महाराजा कामेश्‍वर सिंह क 107म जयंती पर ‘महात्‍मा गांधी के अनुसार वर्ण, डॉ अंबेदकर का मत तथा जाति के प्रश्‍न के समाधान के लिए सुलभ का रास्‍ता’ विषय पर व्‍याख्‍यान दैत श्री पाठक कहला जे जातिवाद व अस्‍पृश्‍यता क विषय पर गांधी आ अंबेदकर क बीच मतभेद छल। दूनू क बीच भेल संवाद स प्रतीत होइत अछि जे गांधी सब जाति कए एक स्‍तर पर अनबाक प्रयास करैत छलाह, जखन कि अंबेदकर जाति व्‍यवस्‍थाक खिलाफ छलाह। सुलभ एहि दूनू मत क बीच समाधानक रास्‍ता बनल। सुलभ आंदोलनक चर्च करैत श्री पाठक कहला जे हम बिना ककरो जाति क बदलने समाज मे छूआ-छूत मिटा देबाक प्रयास केलहुं अछि। दरभंगा जिला क सकरी बलिया गाम क मूल निवासी श्री पाठक कहला जे जखन धरि सब घर मे शौचालय नहि बनत ता धरि हम देश कए विकसित नहि कहि सकैत छी। ओ कहला जे आइ दिल्‍ली मे बैस कए लंदन मे पढि कए आयल गाम लेल योजना बना रहल अछि। पंडित कए हल-बैल देला स ओकर विकास नहि होएत, ओकरा विकास लेल की चाही इ ओकरा स पूछबाक जरुरत अछि । हल-बैल स जेकर विकास होएत ओ ओकरे देल जाए। इ तखन संभव अछि जखन योजना पंचायत स्‍तर पर बनत।

श्री पाठक कहला जे अहिंसा आ सूचिता स समाज मे बराबरी आबि सकैत अछि। ओ दक्षिण भारत क एकटा मंदिर क चर्च करैत कहला जे ओहि मंदिर मे दलित क प्रवेश नहि छल, मुदा जखन सुलभकर्मी मंदिर मे पूजा लेल पहुंचल त पूजारी कोनो विरोध नहि केलक। पूछबा पर पूजारी सब कहलथि जे अहां सब मंदिर क नियम क अनुसार काज केलहुं अछि। मंदिर एबा स पूर्व स्‍नान क, दू वस्‍त्र धारण क शास्‍त्र क अनुसार मंत्रोचार क पूजा केलहुं अछि। विरोध त हुनकर होइत अछि जे मंदिरक नियमक विपरित आचरण करबा लेल आक्रामक होइत छथि। बिना नहेने, जूता पहिरने मंदिर मे एबा लेल मारि करैत छथि। श्री पाठक कहला जे हुनकर समानता आ जाति क प्रति सोच क पाछु कतहु ने कतहु मिथिला मूल क छाप अछि। ओ कहला जे पोखरिक जल पर दलित क अधिकार लेल जखन महाराष्‍ट्र मे दलित लडाई लडि रहल छल, ताहि स बहुत पहिने मिथिला मे इ अधिकार दलित कए भेट चुकल छल। ओ कहला दलित उत्‍थान आ सूचिता क प्रति मिथिला क महत्‍वपूर्ण योगदान अछि। श्री पाठक कहला जे सूचिता क लडाई अपन शरीर आ अपन घर स शुरू करबाक चाही। अगर अहांक शरीर आ अहांक घर गंदा अछि त शहरक सफाई क कोनो अर्थ नहि। मिथिलाक इतिहास पर शोध क आवश्‍यकता आ प्रकाशनक अभाव पर चिंता व्‍यक्‍त करैत श्री पाठक कहला जे महाराजाधि‍राज कामेश्‍वर सिंह कल्‍याणी फाउंडेशन एहि दिशा मे नीक काज क रहल अछि। सुलभ एहि काज मे अपन छोट सन भागीदारी निभेबाक इच्‍छा रखैत अछि ताहि लेल फांउडेशनक प्रबंध न्‍यासी डॉ हेतुकर झा कए एक लाख प्रति माह पांच वर्ष क लेल सुलभ हेरिटेज फेलोशिप देबाक निर्णय लेलक अछि, संगहि फाउंडेशन कए पुस्‍तक प्रकाशन लेल 10 लाख टका दान कैल जा रहा अछि। ओ युवा कए खास तौर पर शोधपरक पुस्‍तक लिखबा लेल आग्रह केलथि आ ओकर प्रकाशन क आश्‍वासन देलथि। एहि अवसर पर कामेश्‍वर सिंह हेरिटेज सीरीज क 19म पुस्‍तक भैरवलाल दास क हाथ स संपादित ‘गांधी के चंपारण आंदोलन के सूत्रधार : राजकुमार शुक्‍ल की डायरी’ क लोकार्पण सेहो भेल। समारोह मे स्‍वागत भाषण फांउडेशनक प्रबंध न्‍यासी डॉ हेतुकर झा देलथि, जखन कि धन्‍यवाद ज्ञापन प्रसिद्ध वैज्ञानिक आ फांउडेशनक न्‍यासी डॉ मानसबिहारी वर्मा देलथि। महारानी कामसुंदरी साहिबा एहि अवसर पर आयल सब अतिथि कए आशिर्वाद देलथि।

 

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार छुअत आकाश, डाटाविंड करत निवेश

बिहार बंटवारा क पक्ष मे नहि छी : पप्पू

Esamaad Epaper Website

मेट्रो, क संग चलत मोनो आ स्काई ट्रान

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि