• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहारक ओ  14टा जिला, जतय पछिला चुनावमे एको टा सीट नहि जीति सकल बीजेपी

September 3, 2020
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

बिहारमे बीजेपी अपन हरायल राजनीतिक जमीन फेर स’ आपस पयबाक लेल हरसंभव  प्रयासमे जुटि गेल अछि. 2015 केर विधानसभा चुनावमे लालू आ नीतीश यादवक समीकरणमे बीजेपीक खेल एहन बिगड़ल छल जे बिहारक १४टा  जिलामे खाता धरि नहि खुजि सकल छल. बीजेपी अपन परंपरागत सीटके सेहो नहि बचा सकल छल. यद्यपि, एक बेर फेर स’ जेडीयू आ बीजेपी एक संग मैदानमे उतरि रहल अछि आ एहनमे देखबाक अछि जे नीतीशक सहारे की बीजेपी एहिठाम कमल खिलयबामे सार्थक भ’ पाबैत अछि व नहि?

बिहारक शिवहर, किशनगंज, मधेपुरा, सहरसा, समस्तीपुर, बेगूसराय, खगड़िया, भागलपुर, मुंगेर, शेखपुरा, भोजपुर, जहानाबाद, अरवल आ बक्सर एहन जिला अछि, जतय महागठबंधनक राजनीतिक ताकतिक आगू बीजेपी पूरा तरहे धराशाही भ’ गेल छल. एहि 14 जिलाक कुल 61 विधानसभा सीटमे स’ एको टा सीट पर बीजेपी कमल नहि खिला सकल छल. ओतहि, जेडीयू 29, आरजेडी 22, कांग्रेस 9 आ एक टा सीट पर सीपीआई माले जीतक परचम लहरौने छल.

बिहारक राजनीतिक समीकरण एहि बेरक चुनावमे बदलि गेल अछि. नीतीश कुमार महागठबंधन स’ अलग भ’ एक बेर फेर एनडीए दलक नेतृत्वकर्ता छथि. एहनमे एनडीएक निशान पर कांग्रेस, आरजेडी आ मालेक 32 विधानसभा सीट अछि, किए त’ इ तीनू एहि बेर महागठबंधनक हिस्सा अछि. एहनमे जेडीयूके अपन सीट बचओने रखबाक चुनौती अछि त’ बीजेपीके अपन परंपरागत सीटके आपस आरजेडी आ कांग्रेस स’ छीनबाक चैलेंज अछि. भाजपा अपन परंपरागत सीट पर जीतक रणनीति बना रहल अछि. सीटक बंटवारामे

ओकरा जे क्षेत्र भेटय, मुदा एहि बेर ओकरा निशाना पर आरजेडी आ कांग्रेसे रहत.
महागठबंधनक लहरिमे बीजेपीक तमाम दिग्गज नेता सेहो अपन परंपरागत सीट नहि बचा सकल छलाह. भागलपुरमे अश्वनि चौबेक बेटाक पराजय भेल छल त’ आराक सीट पर विधानसभाक पूर्व उपाध्यक्ष अमरेंद्र प्रताप सिंह सेहो अपन सीट नहि बचा सकल छलाह. बीजेपी एहि बेर नीतीशक सहारे अपन हरायल राजनीतिक ताकतिक दोबारा पयबाक लेल बेताब अछि. सीमांचलक सीट पर ओवैसीक पार्टी दमदारी स’ लड़ी रहल अछि त’ दोसर दिस एनडीएक सेहो घेराबंदी करबामे जुटल अछि, जकरा कारणे आरजेडी आ कांग्रेसक मोश्किल बहुत बढ़ि गेल अछि. बता दी जे बीजेपी एहि बेरक विधानसभा चुनाव लेल जबरदस्त तैयारी क’ रखने अछि. बीजेपी एक दिस जेडीयू आ एलजेपीक संग  मजगूत गठबंधन क’ रखने अछि त’ दोसर दिस विधानसभा चुनावमे नीक प्रबंधन करबाक लेल अपना केंद्रीय मंत्री आ सांसदके सेहो कमान सौंपि रखने अछि. अलग-अलग क्षेत्रमे नीक ऑउटपुट आ चुनाव स’ जुड़ल हर संबंधित क्षेत्रमे मजगूती स’ काज करबाक लेल एकरा अतिरिक्त जिम्मेदारी सौंपल गेल अछि.

Tags: bjp

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
‘मन की बात’: मोदी कहलनि – आत्मनिर्भर भारतमे ‘कनिया-पुतरा’ कए पैघ भूमिका निभयबाक अछि

PM मोदी केर पर्सनल वेबसाइटक ट्विटर अकाउंट हैक, हैकर कयलक बिटक्वाइनक मांग

Esamaad Epaper Website

बिहार बोर्ड मैट्रिकक रजिस्ट्रेशनमे फीसक नाम पर कयल जा रहल अछि वसूली, टाका नहि देबा पर भेटि रहल धमकी

Esamaad Epaper Website

बिना टेंडर तीन टा एजेंसीके मतदाता सूची प्रकाशनक कांट्रेक्ट देबय पर निर्वाचन विभागके नोटिस पठओलक हाईकोर्ट

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि