सहरसा । चंदा झा आधुनिक मैथिलीक युग प्रवर्तक छलाह, हुनकर साहित्य मैथिली भाषा-साहित्य मे आधुनिक युगक सुत्रपात केने छल । मैथिली भाषा मे पहिल रामायण हिनकरे देन छथि, ओ ऐतिहासिक अन्वेषण-आलोचना कए सेहो साकार रूप प्रदान केने छलाह । उक्त गप रबि दिन बड़गाव स्थित विषहरा उच्च विद्यालय क परिसर मे मैथिली क युग-प्रवर्तक चंदा झाक स्मृतिपर्व समारोह मे पटना स आयल श्री रामानंद झा रमण कहि रहल छलाह ।
स्मृतिपर्व क शुभारंभ ओतुका ग्रामीण क वेद स भेल, तकर बाद आगत अतिथि क स्वागत मिथिला क परंपरा अनुसार पाग आ चादर स कैल गेल । संस्था क अध्यक्ष चन्द्रशेखर झाजी देश विदेश स आयल पाहुन क स्वागत केलाह आ ग्रामवासी क सेहो अभिनंदन करैत कहलाह जे ई संपूर्ण आयोजनक क श्रेय हम अपन ग्रामवासी क दैत छी हिनकर सहयोग क बिना ई संभव नहि अछि । तकर बाद आगत अतिथि दीप प्रज्जवलित कए कार्यक्रम क विधिवत उद्धटान केलाह । उद्धाटन अभिभाषण मे मैथिली क वरिष्ट प्राध्यापक डा. नरेश मोहन झा, ओंकारनाथ झा एवं देवदत्त झा अपन उद्गार राखलथि । तकर बाद विशिष्ट अतिथि क रूप मे आयल विधायक रत्नेश सादा, पुर्व विधायक संजीव झा, इस्ट एंड वेस्ट क निदेशक श्री रजनीश रंजन, विमलकांत झा, खेलन झा, आदि अपन वक्तव्य से कवि कए श्रद्धासुमन अर्पित केलथि । मुख्य अतिथि क रूप मे आयल डा. महेन्द्र, डा कुलानंद झा, विनय कुमार चौधरी, अजित आजाद, डा. के.पी. यादव आदि अपन वक्तव्य राखलथि । उद्धाटन सत्र क समापन क बाद कविश्वर क व्यक्तित्व आ कृतित्व पर केन्द्रित चर्चा भेल। जाहि मे आगत अतिथि अपन उद्गार राखलथि ।
तकर बाद कवि-गोष्टी क आयोजन भेल, जाहि मे अजित आजाद, शैलेन्द्र शैली, नवल, नीरज, स्वाती शाक्भरि, डॉ, महेन्द्र, दीप नारायाण विद्यार्थी आदि मैथिली क कविता पाठ केलथि । सांझ मे मैथिली लोकरंग दिल्ली क तरफ से तिरहुताम नाटक क मंचन भेल । जाहि रंगकर्मी राजीव रंजन बेस प्रशंसनीय अभिनय केलथि । तकर बाद सांस्कृतिक कार्यक्रम क आयोजन भेल जाहि मे सुनील मल्लिक, जूली झा आदि गीत-गायन प्रस्तुत केलथि । आयोजन मे राजेश रंजन, बौआ खां, मुरारी मयंक, रमण झा, मुकेश मानस, भीमशंकर झा, शेखर मंडल, पिन्टु झा, विकास झा, नरेश झा आदि क भागीदारी अनुकरनीण छल ।