• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

गडकरी स गदगद मिथिला, भारतमाला क तहत औरंगाबाद स जयनगर बनत फोरलेन

February 1, 2018
in समाचार
A A
65
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
* गाँधी सेतुक एक लेन अही साल शुरू भS जाएत। चीन सँ मंगाओल जाएत स्टील।
* सभटा एनएच 50 केर 50 किलोमीटर पर एम्बुलेंस आओर क्रेनक सुविधा रहत।
* आरा-मोहनियां एनएच एनएचएआई बनाओत।
* 218 करोड़ के गंगा रिवर फ्रंटक दोसर फेजकें मंजूरी। 
* गंगा पर नवका बैराज आब नैS बनाओल जाएत।
* हल्दिया सँ वाराणसीक मध्य फेरी सेवा शुरू करबाक विचार।
* फरक्का बराज केर असरि आकलन हेतु नव कमेटी।
* स्टेट कैपिटल रीजन केर नींव राखल गेल।
रामबाबू

पटना । इंडो-नेपाल बाॅर्डर पर 552 किलोमीटर सड़कक भारत माला प्रोजेक्ट केर माध्यमसँ आब केन्द्र सरकार बनाओत। अहि लेल एनएचएआई केर डीपीआर बनाबय लेल कहल जा रहल अछि। भारत माला प्रोजेक्ट केर अधीनस्थ औरंगाबाद सँ जयनगर धरि राजमार्ग निर्माण काज यथाशीघ्र शुरू होमय वाला अछि। केन्द्रीय सड़क परिवहन आऔर राजमार्ग मंत्री नितिन गडकरी सोमदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकें साथ करीब 6 घन्टा धरि भेल बैठकक उपरान्त संयुक्त संवाददाता सम्मेलनमे ई घोषणा कएल गेल। दिल्लीकें लेल जतेक महत्वपूर्ण एनसीआर मतलब स्टेट कैपिटल रीजन होयत अछि तहिना पटनाकेँ लेल सेहो एनसीआर महत्वपूर्ण होयत। अहि एनसीआर केर नींव फोरलेन रिंग रोड सँ शुरू होयत। ग्रेटर पटनाक बनबाक रास्ता स्पष्ट भ चुकल अछि। एकर चारु कात फ़ॉर लेन रिंग रोड बनत। राज्य सरकार अहि काज लेल जमीन अधिग्रहण करत आ केंद्र सरकार सँ एकर निर्माण काराओत। अहिसँ पटनाक मुखाकृति बदलि जाएत।

आगामी 25 वर्षकें ध्यानमे राखि पटना रिंग रोडकें एलाइनमेंट बनाएल गेल अछि। वैशाली जिला केर हाजीपुर सँ सारण केर सोनपुर आऔर पटना जिला केर बिहटा सँ कच्ची दरगाह धरि ग्रेटर पटनाकें विस्तार कएल जाएत। राजधानीमे अनीसाबाद सँ फुलवारीशरीफ होयत पटना एम्स धरि नव एलिवेटेड रोडक निर्माण कएल जाएत। राज्य सरकारक अहि प्रस्तावकेँ गडकरी तत्काल मंजूरी द देलक।
पटना रिंग रोड प्रोजेक्ट केर माध्यम जेपी सेतु केर बरोबरि एकटा नव पुलक निर्माण होयत। अहिसँ जेपी सेतु फोर लेन भ जाएत। गांधी सेतु केर बरोबरि 3300 करोड़क लागत सँ अहि  नव सेतुक निर्माण अही वर्ष शुरू भ जाएत। एकर पहुंच पथ आठ लेनक बनत।
रिंग रोड केर तहत दीघा मनेर एलिवेटेड रोडक निर्माण होयत। गंगा केर काते-कात दीघा सँ मनेर धरिक ई जाममुक्त नव मार्ग होयत।
लोकनायक गंगा एक्सप्रेस-वे सँ मनेर धरि विस्तार भेलासँ लाभ पूर्वी पटनाकें कच्ची दरगाह सँ पश्चिमी पटनाकें मनेर धरि जएबामे आसान होयत। शहरकें भीतर नहि आबय पडत।  गंगा पर दीघा सेतु केर बरोबरि एकटा नव पुल आऔर गंगा पथकें दीघा सँ मनेर धरि विस्तार करय पर सेहो सहमति बनि गेल अछि। संगहि भागलपुरमे बिक्रमशिला पुलकें बरोबरि पुल बनाएल जाएत। गडकरी स्पष्ट कहलनि कि आरा-मोहनियां राजमार्ग सेहो आब एनएचएआई बनाओत।
Tags: BharatmalaGadkari
Share65TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

बिहारक 11 रेलखंड पर 773 किमी रेल लाइनक होएत विद्युतीकरण

पटनाकेँ सेहो भेटल सी-प्लेनक सनेस

जनताकें खैरात लेल खकटल खैरातीलालक खाँहिस

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि