भागलपुर । कोरोना वायरस क खिलाफ चौतरफा जंग मे ट्रिपल आईटी, भागलपुर क इंजीनियर अरविंद चौबे, संदीप राज, गौरव कुमार क टीम कोरोना संक्रमण क पता लगेबा लेल एआइ आधारित एक्सरे तकनीक तकलक अछि। एहि तकनीक स बस 100 टका मे जांच भ सकत आ रिपोर्ट सेहो सेकेंड मे भेट जायत। ट्रिपल आईटी, भागलपुर क कोरोना जांच क डिजिटल एक्सरे सॉफ्टवेयर कए आब बस इंडियन काउंसिल ऑफ मेडिकल रिसर्च (आईसीएमआर) स स्वीकृतिक इंतजार अछि, जे एहि सप्ताह भेट जायत।
ओना एमएचआरडी सेहो सॉफ्टवेयर क सराहना केलक अछि आ निदेशक प्रो अरविंद चौबे संग हुनकर टीम कए बधाई देलक अछि। एमएचआरडी क कहब अछि जे एहि सॉफ्टवेयर क सबस पैघ गुण इ अछि जे इ पता क सकैत अछि जे मरीज कोरोना संक्रमित अछि या ओकरा सामान्य सर्दी-जुकाम छै। उल्लेखनीय अछि जे एखन सीजनल सर्दी-खांसी कए सेहो लोक कोरोना कहि दैत छथि। जांच लेल सैंपल द रहल छथि।
ट्रिपल आईटी क निदेशक प्रो अरविंद चौबे कहला जे एहि सॉफ्टवेयर क जानकारी एमएचआरडी कए द देल अछि। मंत्रालय कए सेहो इ प्रोजेक्ट पसंद छै। सॉफ्टवेयर क रिपोर्ट आईसीएमआर कए सेहो पठाउल गेल छल। आईसीएमआर एहि मे किछु सुधार करबा लेल कहने छल, से सुधार क देल गेल अछि। एक दू दिन मे प्रमाणपत्र आबि जायत। प्रो. चौबे कहला जे प्रमाणपत्र भेटलाक बाद इ सॉफ्टवेयर कोरोना क जांच लेल अधिकृत भ जायत।
जानकारी क अनुसार ट्रिपल आईटी अपन एहि सॉफ्टवेयर कए मई मे तैयार क लेने छल। प्रो चौबे कहला जे डिजिटल एक्सरे यानी एक्सरे क साफ्ट कॉपी भेटला पर सॉफ्टवेयर क माध्यम से कोरोना क पता चल जायत। संस्थान एकर पेटेंट लेल सेहो आवेदन क देलक अछि।
ओ कहला जे ट्रिपल आईटी कनाडा क कोरोना मरीज क डाटा बेस स इ तैयार केलक अछि। स्वास्थ्य विभाग आ एमएचआरडी कए रिपोर्ट पठेबा स पहिने ट्रिपल आईटी एकर परीक्षण मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे केने छल।