• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कोरोना स रूकल बिहार, सभटा सार्वजनिक स्थान बंद, चैती दुर्गा पुजा आ छठि पर सेहो रोक

March 22, 2020
in समाचार
A A

चैती दुर्गा पुजा आ छठि पर सेहो रोक

सभटा रेस्‍टूरेंट आ होटल कए 31 मार्च धरि बंद करबाक आदेश

इंटर सिटी आ स्‍टेट बस सेहो बंद

 

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

माननीय मुख्यमंत्री, बिहार केर अध्यक्षता मे शनिदिन वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग क माध्यम सँ कोरोना वायरस केर समीक्षा बैठक भेल । एहि में सब रेस्टोरेंट, सड़क कातक सब ढ़ाबा, चाय क दोकान कए बंद करबाक निर्देश देल गेल । संगे इंटर स्टेट बस आ सिटी बस कए अखन सेहो बंद करबाक निर्देश देल गेल । आन राज्य सँ ट्रेन एनिहार यात्री कए ए0एन0एम0 आ अन्य स्वास्थ्य कर्मी क संग टैग कैल जाएत,  ताकि हुनकर सतत निगरानी कैल जा सकय । सब बी0डी0ओ0, सी0ओ0 आ थानाध्यक्ष कए वीडियो कांफ्रेंसिंग क माध्यम सँ गाड़ी में ध्वनि विस्तारक यंत्र लगा कए ओकर माध्यम सँ सब गोटेक अनावश्यक रूप सँ घर से बाहर नहि निकलबाक या मात्र अति आवश्यक कार्य लेल घर सँ बहरेबा लेल कहल जा रहल अछि । हरेक पी0एच0सी0 के चारि-चारिटा अतिरिक्त वाहन भाड़ा पर ल कs कोरोना वायरस क संक्रमण सँ बचाव आ सतर्कता लेल जागरूकता फैलायब लेल कहल गेल अछि । सब मंदिर, मस्जिद आ गुरुद्वारा, गिरिजाघर संगे धरना प्रदर्शन के स्थानीय पदाधिकारि सब के दिस सँ भीड़ जमा नहि होए ताहि लेल ओकरो सेहो बंद करबाक अनुरोध कैल जाएत ।

 

बिहार राज्य धार्मिक न्यास बोर्ड दिस स निर्देश देल गेल अछि जे तत्काल प्रभाव सँ सभटा मंदिर कए श्रधालू लेल बंद कैल जाए,  मात्र आरती,  पुजा आ भोग लेल अधिकतम तीन गोटे ओहिमे शामिल भs सकैत छथि‍ । मंदिर क पट्ट बंद रहत, कोनो भक्तजन दर्शन लेल नई जेताह। सब मंदिर कए बंद राखल जाएत,  कोनो दर्शन इत्यादि नई हैत। एकर निगरानी आ जागरूकता के लेल चौकीदार आ आंगनवाड़ी सेविका के लगाओल जाएत।

 

बिहार लोक सेवा अधिकार अधिनियम(RTPS) क अंतर्गत पंचायत भवन, प्रखंड सह अंचल कार्यालय, अनुमंडल कार्यालय आ जिला समाहरणालय क आर.टी.पी.एस.काउंटरों पर भौतिक(physically) रूप सँ  आवेदन पत्र प्राप्त करबाक व्यवस्था दिनांक 31.03.2020  तक स्थगित रहत । एहि कार्यालय सब सँ आर.टी.पी.एस. क सेवा प्राप्त करबा लेल ऑनलाइन आवेदन करबाक आ ऑनलाइन प्रमाण पत्र डाउनलोड करबाक सुविधा पहिने जेंका जारी रहत ।

 

बिहार लोक शिकायत निवारण अधिकार अधिनियम (BRPGRA) क अंतर्गत अनुमंडल, जिला आ राज्य मुख्यालय क लोक शिकायत प्राप्ति काउंटरों पर भौतिक(physically) रूप सँ परिवाद/अपील/पुनरीक्षण आवेदन प्राप्त करबा क व्यवस्था दिनांक 31.03.2020 धरि स्थगित रहत। ऑनलाइन/मेल/कॉल सेन्टर क माध्यम सँ परिवाद/अपील/पुनरीक्षण आवेदन दायर करबाक व्यवस्था पहिने जेंका चालू राहत।

 

बिहार लोक शिकायत निवारण अधिकार अधिनियम क तहत दायर परिवाद, अपील आ पुनरीक्षण आवेदन पर लोक शिकायत निवारण पदाधिकारी, प्रथम एवं द्वितीय अपीलीय प्राधिकार आ पुनरीक्षण प्राधिकार क स्तर पर होई वाला सबटा सुनवाइ सेहो दिनांक 31.03.2020 धरि स्थगित रहत। निकटवर्ती सुनवाइ वाला पक्षकार कए ई स्थगनक सूचना दूरभाष सँ देल जाएत।

 

डी0आर0सी0 सी0 केंद्र आ रजिस्ट्री ऑफिस आ डी0टी0ओ0 कार्यालयों कए सेहो बंद कs देल गेल अछि । सब कर्मी कए एक दिनक अंतराल पर कार्यालय बजाओल जा रहल अछि। मधुबनी मेडिकल कॉलेज मे 100 बिस्‍तरक आइसोलेशन वार्ड बनाओल जा रहल अछि। एकर संगे सब अनुमंडल मे सेहो आइसोलेशन वार्ड बनाओल जाएत आ आन स्थान पर सेहो आइसोलेशन वार्ड बनाओल जाएत ।

 

जिलाधिकारी मधुबनी जिलावासी सँ अपील केलाह जे बेस जरुरी हेबाक स्थिति मे ही घर सँ बाहर निकलैथ। एक दोसर सँ एक मीटर की दुरी बना कs राखैत, संगे बेसी-स-बेसी साबुन आ हैण्डवास सँ लगभग एक मिनट धरि हाथ क सफाई करैत रहय । संगे कोनो तरहक सोशल मीडिया पर चलि रहल अफवाह पर ध्यान नहि देल जाए । वा अफवाह फैलायल जाए ।

Tags: BiharCoronaCorona Virusnitish kumar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

MithilaCalling : लामबंदी मे कमजोर रहल मैथिल समाज ट्विटर पर ट्रेंड भ दुनिया कए चौंकेलक

MithilaCalling : लामबंदी मे कमजोर रहल मैथिल समाज ट्विटर पर ट्रेंड भ दुनिया कए चौंकेलक

Corona Virus Test in India, Corona Virus,. Corona Virus maithlii news, Maithili news

विकिपीडिया कए रहल अछि मैथि‍ली मे कोरोना वायरसक सूचना क प्रसार

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि