पटना । स्पाइस जेट क एसोसिएट वाइस प्रेसिडेंट नवनीत कुमार कहला अछि जे दरभंगा एयरपोर्ट पर स्पाइसजेट अपने ग्रांउड स्टाफ क नियुक्ति मे मैथिली भाषी कए प्राथमिकता देत। कम स कम एकटा कमर्मचारी मैथिली भाषी लेल काज करत। एहन मे अगर अहां हिंदी या अंग्रेजी नहि जनैत छी त मैथिली भाषा मे अहां कए संवाद संभव भ सकैत अछि। मैथिल भाषी लेल इ सुविधा एखन धरि आन ठाम उपलब्ध नहि अछि। दरभंगा इ सुविधा देनिहार पहिल शहर होएत आ स्पाइसजेट पहिल एयरलाइन्स कंपनी। कंपनी में रेवेन्यु मैनेजमेंटक प्रमुख नवनीत कुमार कहला जे दरभंगा एयरपोर्ट क संभावना बहुत अछि। कंपनी संभावना कए देखिए सेवा शुरु करबाक फैसला केलक अछि। ओ कहला जे हर हाल मे जून स सेवा शुरु क देबाक अछि। एकरा लेल बहुत मेहनत कैल जा रहल अछि। कंपनी एक दरभंगा से बहुत उम्मीद अछि आ दरभंगा निराश नहि करत।
मधुबनी क मूल निवासी नवनीत कुमार कहला जे दरभंगा एयरपोर्ट लेल ओ व्यक्तिगत रूप से प्रयास कलथि अछि। ओ एहि क्षेत्रक संभावना स परिचित छथि। नवनीत कहला जे दरभंगा एयरपोर्ट शुरु भेला स उत्तर बिहार क एयर ट्रेफिक बढत आ हवाई सफर करबा लेल नव यात्री तैयार होएत। ओहुना उत्तर बिहार स दुबई समेत कईटा देश मे लोकक आवाजाही खूब अछि, जाहि स कंपनी कए उमरद अछि जे भविष्य मे सीधा विदेशी उडान सेहो एहि ठाम स संभव भ सकत आ कंपनी एकर प्रस्ताव राखत। ओना एखन घरेलू उडान पर कंपनीक फोकस अछि। दरभंगा स दिल्ली एक घंटा क सफर होएत जखन कि मुंबई दू घंटा आ बंगलुरु ढाइ घंटाक सफर होएत।
नवनीत कहला जे एयरपोर्ट शुरु भेला स एहि इलाका में रोजगार आ कारोबारक नव अवसर पैदा होएत। खास क बेंगलुरु से सीधा उडान उपलब्ध भेल ा स दरभंगा मे आइटी सेक्टर क विकासक संभावना देखल जा रहल अछि। नवनीत कहला जे कंपनी दरभंगा स सेवा शुरु करबा लेल उत्साहित अछि आ एहि लेल कंपनी मिथिला चित्रकला क रंग में रंगल जा रहल अछि।