• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

दीपावली आ छठ क बीच अक्टूबर मे होएत कोशी फिल्म फेस्टिवल सीजन-2

August 19, 2019
in समाचार
A A
63
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

सहरसा । सहरसा ग्रुप क बैनर तर आयोजित भ रहल कोशी फिल्म फेस्टिवल क दोसर आयोजनक घोषणा क देल गेल। कोशी फिल्म फेस्टिवल क संयोजक आनंद झा कहला अछि जे एहि साल कोशी फिल्म फेस्टिवल क आयोजन दुर्गापूजा आ छठ क बीच होएत। इ आयोजन 30-31 अक्टूबर कए सहरसा मे होएत। रविदिन एफ.वाई.आई मे आयोजित प्रेस बैसार मे श्री झा कहला जे पाबनि-तिहार लेल लोक सब गाम अबैत अछि, एहि दौरान एकर आयोजन स प्रवासी सब सेहो एहि मे शामिल हेताह। ओ कहला जे गत वर्ष सहरसा मे कोशी फिल्म फेस्टिवल क एतिहासिक आयोजन कैल गेल। फिल्म फेस्टिवल मे जतय 18 बेहतरीन फिल्मक स्क्रीनिंग भेल ओतहि क्षेत्र क निर्माता-निर्देशक आ पैघ – छोट परदा क कलाकार कए आमंत्रित कैल गेल छल। फेस्टिवल मे पंकज झा, नवनीत झा, मनीष सिंह राजपूत, श्रीराम यादव, विपुल आनंद, अमिय कश्यप, मनोज श्रीपती, रजीनकांत पाठक, अमृत सिन्हा आदि अनेक फिल्म निर्माता क शामिल भेल छलाह। सहरसा मे फिल्म क प्रति सकारात्मक माहौल बनल छल। कोशी फिल्म फेस्टिवल क आयोजन क्षेत्र मे फिल्म निर्माता कए आकर्षित केलक अछि।

फिल्म फ्रीवे क माध्यम स आमंत्रित कैल गेल अछि फिल्म

आयोजन स जुडल इ’समाद फाउंडेशनक प्रबंध संपादक सुनील कुमार झा कहला जे एहि साल फिल्म फेस्टिवल मे फिल्म मंगेबा लेल सबस चर्चित माध्यम फिल्म फ्रीवे क चुनाव भेल अछि। एहि माध्यम स फिल्म आमंत्रित कैल गेल अछि। जाहि स देश-विदेश स फिल्म एबाक उम्मीद अछि। हिंदी आ मैथिली क आलावा अन्य भारतीय भाषा क फिल्म सेहो आमंत्रित कैल गेल अछि, बशर्ते ओकर सबटाइटिल हिंदी मे हो । एखन धरि कुल 24टा फिल्म प्राप्त भेल अछि। फिल्म क एंट्री क अंतिम तारीख 30 सितंबर अछि। 30 सितंबर तक प्राप्त फिल्म मे स ज्यूरी क द्वारा चयनित फिल्म क प्रदर्शन कैल जायत। सुनील कहला जे एहि बेर कोशी फिल्म फेस्टिवल मे दर्शक नीक सिनेमा क आनंद ल सकताह।

क्षेत्र क कलाकार कए भेटत मंच

फिल्म फेस्टिवल मे फिल्म क प्रदर्शन क आलावा स्थानीय कलाकार क प्रस्तुति सेहो मुख्य आकर्षण होएत। विदित हो जे गत वर्ष कोशी फिल्म फेस्टिवल मे जाहि कलाकार द्वारा प्रस्तुति देल गेल हुनका स्थानीय आ देश स्तर पर पहचान भेटल। एहन मे कोशी फिल्म फेस्टिवल क आयोजन मे स्थानीय कलाकार कए मंच देबा जिम्मेदारी बनैत अछि। एहि बेर ग्रामीण क्षेत्र स सेहो प्रतिभा कए आमंत्रित कैल जायत।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

कोशी फिल्म फेस्टिवल क मंच स भेटत मेरिट अवार्ड    

विदेश मे स्थापित सैफ श्री आशीष झा कोशी फिल्म फेस्टिवल टीम स संपर्क केलथि अछि आ कहला अछि जे जे.झा.मेरिट अवार्ड क तहत कोशी फिल्म फेस्टिवल क मंच स एकटा चयनित प्रतिभावान छात्र कए रू 5000/- क मेरिट अवार्ड आ प्रशस्ति पत्र प्रदान कैल जाएत।

फिल्म राइटिंग तथा मोबाइल फिल्म मेकिंग वर्कशाप पर विचार

सुनील कहला जे एहि बेर सहरसा मे फिल्म राइटिंग आ मोबाइल फिल्म मेकिंग वर्कशाप क आयोजन पर सेहो विचार भ रहल अछि। एहि वर्कशाप मे फिल्म क लेखक द्वारा फिल्म क कहानी लिखबाक हुनर सिखाउल जायत। ओतहि मोबाइल स केना फिल्म बनाउल जा सकैत अछि एहि पर सेहो वर्कशाप मे गुर बताउल जायत। प्रतिभागी के स्थानीय लोकेशन पर मोबाइल स बनल चयनित फिल्म क प्रदर्शन एहि आयोजन मुख्‍य आकर्षण रहत। एकरा लेल विप्लव विशाल कई गोटा स संपर्क क रहल छथि।

सहरसा ग्रुप क एडमिन साकेत आनंद कहला जे विगत 8 साल स सहरसा ग्रुप सहरसा क निवासी आओर प्रवासी कए जोड़बाक कार्य क रहल अछि। लगातार 4 वर्ष सहरसा ग्रुप मिलन समारोह क आयोजन क बाद वर्ष 2018 मे कोशी फिल्म फेस्टिवल क नींव रखलक,जेकरा खूब समर्थन भेटल। एहि तरह क आयोजन हमर सबहक सामाजिक जिम्मेदारी अछि।

आयोजन क तैयारी पर विचार करबा लेल एकटा बैसार सेहो भेल अछि जाहि मे साकेत आनंद, आनंद झा, सुनील कुमार भानु, अमन पराशर, दीपक कुमार झा, अजय कुमार,कुणाल, अश्विनी कुमार, विनय कुमार, कुमार विक्रमादित्य, अमरेंद्र कुमार, अमरज्योति जयसवाल, अनुज कुमार, मनीष कुमार, शुभम भारती, रौशन झा, शालिनी सिंह, मयंक कुमार, बिपिन कुमार सिंह, दिलीप कुमार, अविजित आनंद, रौशन कुमार भगत आ अन्य कई गोटे उपस्थित छलाह।

Tags: filmfilm festivalkoshikosimithilasahrsa
Share63TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
बाट लेल बाट पर उतरल लोक, जनांदोलन स सचेत भेल प्रशासन

बाट लेल बाट पर उतरल लोक, जनांदोलन स सचेत भेल प्रशासन

‘मौलाना’ स ‘भक्‍त’ तक रहल जगन्नाथक राजनीतिक सफर

'मौलाना' स ‘भक्‍त’ तक रहल जगन्नाथक राजनीतिक सफर

मैथिली कए भेटल सम्‍मान, एसटीआईटी परीक्षा मे भेल शामिल

मैथिली कए भेटल सम्‍मान, एसटीआईटी परीक्षा मे भेल शामिल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

by संपादक
June 4, 2021
0
कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

पटना : कोरोना मामलाक सुनवाई क दौरान राज्य सरकार दिस स देल गेल हलफनामा मे हाईकोर्ट कए कहल गेल अछि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि