• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दिल्लीक स्कूल मे होएत मैथिलीक पढाई, भोजपुरी लेल तेज होएत लडाई

July 16, 2019
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सुनील कुमार झा
नयी दिल्ली । दिल्ली में सत्तासीन आम आदमी पार्टी की सरकार कहलक अछि जे राज्यक सब स्कूल मे मैथिलीक भाषाक रूप मे पढाई होएत, जखन कि भोजपुरी कए 8वीं अनुसूचि मे शामिल करेबा लेल लडाई तेज होएत।

मैथिली भोजपुरी अकादमीक कार्यकरणीक बैसारक बाद पत्रकार स गप करैत उपमुख्यमंत्री मनीष सिसोदिया सरकार दिस इ घोषणा करैत कहला जे मैथिली भाषा आब दिल्ली मे 8वीं स 12वीं तक क बच्चा कए वैकल्पिक विषय क रूप मे पढ़ाउल जायत। ओ कहला जे उर्दू आ पंजाबी जेकां मैथिली भाषा सेहो स्कूल मे पढ़ाउल जायत। सरकारक एहि निर्णय स दिल्लीक मे मैथिली शिक्षकक बहाली होएत आ दिल्ली देशक एहन दोसर राज्य होएत जाहि ठामक स्कूल मे मैथिली भाषाक शिक्षक नियुक्त हेताह। मैथिली मे रोजगारक इ एकटा नव बाट खोललक अछि। श्री सिसोदिया एकर संगहि कहला जे दिल्ली सरकार आईएएस आ अन्य सिविल सेवा परीक्षा लेल जे कियो मैथिली विषय क कोचिंग चाहैत छथि हुनका लेल अकादमी ओ उपलब्ध कराउत। श्री सिसोदिया कहला जे मैथिली भाषा क अपन लिपि अछि मुदा ओ कंप्यूटर लेल उपलब्धि नहि अछि जाहि स ओकर प्रचार प्रसार नहि भ पाबि रहल अछि। एखन बेसीतर लोक नागरी लिपि मे मैथिली लिखैत छथि। दिल्ली सरकार मैथिली लेल तिरहुतिया लिपिक कंप्यूटर फॉन्ट् सेहो शीघ्र उपलब्ध हो ताहि लेल प्रयास तेज करत।

श्री सिसोदिया कहला जे मैथिली 8वीं अनुसूचि मे दर्ज अछि मुदा भोजपुरी एखन धरि इ स्थान नहि पाबि सकल अछि, जाहि स भोजपुरी मे पढाई आ सिविल सेवा सन परीक्षा मे एहि भाषाक समावेश नहि भ सकल अछि। संसद मे शपथ तक लेबा मे जनप्रतिनिधि कए बाधा पहुंच रहल अछि। दिल्ली सरकार आब भोजपुरी कए संविधान मे स्थान लेल लडाई कए तेज करत। ओ कहला जे एहन एहि भाषा सब लेल कोनो पुरस्कार नहि छल। आब मैथिली आ भोजपुरी कए बढ़ावा देबा लेल सरकार अवार्ड सेहो शुरू करत। एकरा लेल दूनू भाषा मिला कए कुल 12टा पुरस्कार देल जायत, जाहि मे साहित्य, पत्रकारिता आ लाइफ टाइम एचीवमेंट अवार्ड् शामिल अछि। लोकक भागीदारी बढ़ेबा लेल सरकार एहि साल मैथिली-भोजपुरी उत्सव दिल्ली क सबस प्रसिद्ध जगह कनाट प्लेस मे आयोजित करत। इ पूरा पांच दिन तक चलत। एहि अवसर पर मैथिली-भोजपुरी अकादमीक उपाध्यक्ष नीरज पाठक सेहो उपस्थित छलाह।

Tags: aapdelhimaithilimithilaSchool

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

कि विवाद स दूर रहत मैथि‍ली क सबस पैघ राशिक पुरस्कार ?

मिथिला मे जे खसल ओ बिहार संग्राहलय मे जा बसल

जयप्रकाश नारायणक बाद दोसर बिहारी बनल रवीश कुमार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि