समदिया
सहरसा । बिहार क ईटा सांसद अपन सरकारी फंड क पूरा उपयोग पांच साल मे नहि क सकलाह। राज्य क 40टा सांसद कए जेतबा फंड भेटल, ओकर दस फीसदी राशि बचि गेल, खर्च नहि भ सकल। कुछेक सांसद क त पांच करोड़ स अधिक राशि बचल अछि। हुनकर हिस्सा क 20 फीसदी अछि।
चुनाव आचार संहिता लागि गेल। एहन मे आब ओ राशि खर्च नहि भ सकैत अछि। सांसद आब कोनो अनुंशसा नहि क सकताह। जे सांसद अपन कोटाक राशि नहि खर्च क सकलाह ओ की विकास करताह। उल्लेखनीय अछि जे सांसद फंड क निगरानी बिहार मे योजना एवं विकास विभाग करैत अछि। लोकसभा क वेबसाइट पर एकर ब्योरा जारी होइत अछि। हरेक सांसद कए सब साल पांच-पांच करोड़ सांसद निधि मे भेटैत अछि। बिहार क 40टा सांसद कए पांच साल मे एक हजार करोड़ भेटल। 15वीं लोकसभा क किछु राशि बचबाक कारण वर्ममान सांसद सब कए 1012 करोड़ भेटल।
छह मार्च तक बिहारक सांसद कुल 822 करोड़ खर्च केलथि आ 131 करोड़ बचल अछि। सबस बेसी राशि राजीव प्रताप रूडी क 15 करोड़ त सबस कम राशि सुशील सिंह क 25 लाख बचल अछि।
कौन सांसद क कोष मे केतबा बचल राशि
1- राजीव प्रताप रूडी-15.60 करोड़
2- तारिक अनवर-5.01 करोड़
3- सतीश चंद्र दूबे- 5.42 करोड़
4- भोला सिंह (दिवंगत) -3.27 करोड़
5- महबूब अली कैसर- 2.97 करोड़
6- हरि मांझी-3.58 करोड़
7- कौशलेन्द्र कुमार-3.95 करोड़
8- चिराग पासवान-2.50 करोड़
9- रामकुमार शर्मा-4.84 करोड़
10- राधामोहन सिंह- 4.03 करोड़
11- अजय निषाद-2.59 करोड़
12- डॉ. अरुण कुमार- 5.70 करोड़
13- रमा देवी- 4.27 करोड़
14- संतोष कुमार- 5.21 करोड़
15- जयप्रकाश नारायण यादव-4.86 करोड़
16- बुलो मंडल- 3.67 करोड़
17- पप्पू यादव-3.80 करोड़
17- रामकृपाल यादव-2.50 करोड़
18- रामविलास पासवान-2.67 करोड़
19- शत्रुघ्न सिन्हा-2.34 करोड़