सुदर्शनजयपुर । ईको टूरिज्म कए बढ़ावा देबाक लेल वन आ पर्यावरण विभाग सुल्तानगंज स कहलगांव तक गंगा मे नौका विहार करबैत। एकरा लेल15 लाख क लागत स 25 सीट बला मोटर बोट खरीद लेल गेलहन। मार्च क अंत तक डॉल्फिन अभयारण्य क्षेत्र मे इको टूरिज्म शुरू भ जेत। कुदरतक गोद मे 50 किलोमीटर क ई सफर पर्यटन कए बढ़ावा देबए मे मील क पत्थर साबित हैत। गंगा विहार कराबए क जिम्मेदारी एजेंसी कए देल जायत। एकरा लेल सरकार लग टेंडर क प्रस्ताव पठा देल गेल छै । निर्देश होइते एजेंसी चयन क प्रक्रिया शुरू क देल जायत। मार्च क अंत तक नौका विहार शुरू भ जायत । डीएफओ एस सुधाकर कहला जे इको टूरिज्म क तहत नौका विहार क लेल एक टा बोट खरीदी लेल गेल जे आधुनिक संसाधन स लैस अछि । 15 लाखक अइ बोट मे 25 गोटे बैस सकैत अछि इ बोट रुढ़की स आनल गेल अछि। मार्च क अंत तक नौका विहार शुरू करा देल जायत । लोग मोटर बोट क सहारे जलीय जीव डॉल्फिन सहित प्रवासी पक्षिय क सहजता स न सिर्फ देख पैता, बल्कि पर्यावरण क सुरक्षा मे हुनकर योगदान क सेहो जैन पेता। विक्रमशिला महाविहार क देखवाक लेल बड़ संख्या मे विदेशी सैलानी भागलपुर स होईत कहलगांव जाई छथि । लेकिन भागलपुर मे गंगा घाट पर नौका विहार क साधन नै भेल स सैलानी जलीय जीव आ ओकर विशेषता नई जानी पाबै छलिथ। इको टूरिज्म शुरू होइते बड़ संख्या में देसी – विदेशी पर्यटक एकर लाभ उठेता। एना मे भागलपुर मे पर्यटन कए बढ़ावा भेटत।