रिजर्व बैंक कच्चा तेलक मांग आ आपूर्ति बदलाव सँ व्यापार घाटा में बढ़ोत्तरी के आशंका जतेलक
मणिभूषण राजू
नई दिल्ली । रिजर्व बैंक आशंका जतेलक अछि कि एहि साल महंगाई में आर बढ़ोत्तरी होयत। केन्द्रीय बैंक बुधदिन भेल जारी 2017-18 के सालाना रिपोर्ट में कहलक कि अन्तर्राष्ट्रीय बाजार में कच्चा तेलक दाम में वृद्धि आ तेल बजार में माँग आ आपूर्ति में भय रहल बदलाव के सबसँ बेसी प्रभाव देश के व्यपार घाटा पर होबयवला अछि।
आरबीआई सरकार के महंगाई के मोर्चा पर चेताबैत कहलक कि आबयवला दिन में महंगाई ऊपर जाय के आशंका अछि आ एहि लेल तैयारी आ सावधानी दूनूक जरूरत अछि।
आरबीआई महंगाई पर काबू करयलेल तत्काल कदम उठाबय के सलाह दैत कहलक कि वर्तमान में देश के व्यापार घाटा पाँच सालक उच्चतम स्तर पर पहुँचकय 18 अरब डॉलर भय गेल अछि।
एहि तरह बीतल जुलाई में थोक महंगाई सूचकांक के दर बढ़िकय 5.09% पहुँच गेल छल, जखन कि सब्जी आ फल सबहक दाम में बेसी बढ़ोत्तरी नहिं भेल छल। साल 2017 के जुलाई में ई दर मात्र 1.88% पर छल। खुदरा महंगाई दर 2017 के मध्य सँ लगातार बढ़ि रहल अछि आ एखन ई 5% के आसपास अछि।
नोटबंदी सँ जाली नोट घटल
कालाधन आ भ्रष्टाचार पर अंकुश लगाबय के मकसद सँ कयल गेल नोटबंदी सँ जाली नोटक संख्या में कमी आयल अछि। आरबीआई अपन वार्षिक रिपोर्ट 2017-18 में कहलक कि जाली नोट पकड़ायब के मामला में बढ़ोत्तरी भेल जहिसँ ई नोट तेजी सँ चलन सँ बाहर भेल अछि। हालांकि एहि दौरान चलन में आयल नबका नोट सबहक नकली करेंसी सेहो आबि गेल अछि।
* 632926 जाली नोट के पहचान भेल छल 2015-16 में
* 762072 जाली नोटक पहचान भेल 2016-17 में
* 522783 जाली नोट पकड़ायल 2017-18 के दौरान
* 59.5% कमी आओल 500 टका के जाली नोटक संख्या में
* 35% सँ बेसी पकड़ायल 100 टका के जाली नोट
* 59.6% कम भेल एक हजार टका के जाली नोटक संख्या
* 154.3% बढ़ोतरी भेल 50 टका के जाली नोटक संख्या में
नबका नोट सबके सेहो भेल नकल
* 9892 जाली नोट पकड़ल गेल नबका 500 टका के 2017-2018 में
* 17929 जाली नोट एहि दौरान 2000 के पकड़ल गेल
* 199 जाली नोट पकड़ल गेल छल 2016-17 में नबका 500 के नोटक
* 638 जाली नोट पकड़ल गेल एहि दौरान 2000 टका के
* 31.4 प्रतिशत कमी आयल जाली नोटक संख्या में नोटबंदी के बाद सँ