• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

हम सब बना देलहुं सरकार

April 25, 2014
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

 

hamsabbanadelhusarkar

सरकार त 16 कए बनत, मुदा  छह चरण मे 40 टा लोकसभा क्षेत्रक मतदाता अपन मत दए एक प्रकार स सरकार बना देतथि। एकरा एक प्रकार स सरकार क गर्भ धारण कही सकैत छी। मतदानक बाद आब इ बहुत हद तक साफ सेहो देखा रहल अछि जे लोकसभा क तसवीर मे केहन अंतर हुए जा रहल अछि‍। पहि‍ल चरण शांति स गुजरल। ओना सब चरण क क्षेत्र मे  दलान परका गप आ अंगनाक चर्चा मे भारी अंतर देखल गेल। दलान परका चुनावी मुद्दा मे जाति प्रबल छल, मुदा अंगना मे जाति कमजोर देखल गेल। गाछी मे खेलाइत नव मतदाता लेल विकास सबस पैघ चुनावी मुद्दा रहल। राजदक स्थिति सबसे नीक देखा रहल अछि‍, मुदा जदयू कए उम्‍मीद स बेसी सीट भेटबाक उम्‍मीद कम अछि‍। ओना सरकार विरोधी तत्व स अपन लालटेन बचेबा मे लालू कारगर देखा रहल छथि। लालू कए इ पता लगेबा मे आब दिक्कत नहि रहल जे रामविलासक झोपडी मे राखल हुनकर लालटेनक तेल के निकाली रहल छल। कुल मि‍ला कए राजद एखन धरि भेल मतदान में चरण मे 8 स 11 टा सीट लेबा मे सफल रहत, जखन कि‍ भाजपा क झोली मे सेहो 21 स 27 टा सीट आबि सकैत अछि‍। जदयू क हिस्‍सा केवल 4 स  6 टा सीट आउत। आन पार्टी वोट कटवाक भूमि‍का मे आबि‍ गेल अछि‍। ओना इ नहि त ओपिनियन पोलक आंकडा छी आ ने एक्जिट पोलक सर्वे, इ केवल एकटा चर्चाक बाद तय कैल गिनती छी, जे आगू बदलि सकैत अछि। चुनाव के बाद आब लोक सभ कए नजर वोटक गिनती पर लागल छनि। गिनती 16 मई कए अछि। 16 तारीख कए दुपहरियाक बाद तक तस्वीर काफी किछु साफ भ जाएत। पैघ कवरेजक मुकाबला करबा लेल हम तैयार नहि छी, मुदा इसमाद अपन सामर्थ स अहां तक समाद पहुंचेबा मे लगल अछि। पिछला विधानसभा जेकां गया स जहाआंरा, शेखपुरा स रश्‍मी, बिहारशरीफ स अनामिका, जहानाबाद स अमीता, अरवल स नंदनी, आरा स रजनी, नवादा स हेमा, दरभंगा स ज्‍योति श्रीवास्‍तव, सीतामढ़ी स नगमा, समस्तीपुर स आबिदा, मुजफ्फरपुर स गुंजन, पूर्वी चंपारण स सुजाता, मधेपुरा स सरिता सुमन, कटिहार स रिंकू कुमारी, पूर्णिया स सुषमा राय, अररिया स माया ठाकुर, मधुबनी स छाया मिश्रा, किशनगंज स नेहा खातून, सुपौल स ममता शंकर, सहरसा स नीलू कुमारी, पटना स कुमुद सिंह क संग सुनील, प्रीतिलता मल्लिक, अनंत आओर आशीष कहतथि कोना जनता कहलक ‘’हम सब बना देलहुं सरकार’’।

एजेंसी                राजग               संप्रग          जदयू
सीवोटर                       28                        10                       2
टाइम्‍स नाउ                28                         2                       10
आइबीएन                 21-27                 11-15                2- 4
एवीपी                         21                       14                         5
जी न्‍यूज                    21                        14                        5
एनडीटीवी                  24                      12                         4

छठम चरण – 

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

बिहार मे लोकसभा लेल छठम आ अंतिम चरण क मतदान 12 मई कए भेल। छहटा जिला मे छहटा सीट लेल भेल चुनाव मे कुल 90टा उम्‍मीदवारक भाग्‍य तय भेल। एहि मे 5टा महिला छथि। वैशाली (57.7), गोपालगंज (54), सीवान (56), बाल्‍मीकिनगर (57), पूर्वी चंपारण (56) आ पश्चिमी चंपारण (60) मे वोट पडल। एहि चरण मे सहो महिला मतदाता पुरुष स बेसी मताधिकारक प्रयोग केलथि। एहि चरण मे सबस पैघ मुकाबला वैशाली क रहल। पांच बेर चुनाव जीत चुकल राजद क रघुवंश प्रसाद सिंह क मुकाबला लोजपा क बाहुवली उम्‍मीदवार रमा सिंह आ जदयू क विजय सहनी स भेल। विजय सहनी वैशाली स चुनाव लड़निहार पहिल अतिपिछडी जाति क नेता छथि। जदयू छोडि निर्दलीय मैदान मे उतरल अन्‍नू शुक्‍ला मुकाबला कए बहुकोणीय बना देबाक प्रयास केलथि। अन्‍नू शुक्‍ला बाहुवली मुन्‍ना शुक्‍ला क कनिया छथि जे पिछला चुनाव महज 22 हजार वोट स हारि गेल छलाह। राज्‍य कए तीनटा मुख्‍यमंत्री द चुकल गोपालगंज मे सेहो मुकाबला त्रिकोणीय रहल। एहि ठाम जदयू क अनिल कुमार क मुकाबला भाजपा क जनक चमार स भेल। कांग्रेस क डॉ ज्‍योति मुकाबला कए त्रिकोणीय बना देलथि। एहि चरण क दोसर पैघ मुकाबला सीवान मे मे भेल। पिछला बेर निर्दलीय चुनाव जीतनिहार ओमप्रकाश यादव एहि बेर भाजपा स उम्‍मीदवार छथि। राजद बाहुवली शहाबुद्दीन क कनिया हीना साहिब कए उतारलक अछि। जदयू मनोज कुमार सिंह कए टिकट देलक अछि। ओ मुकाबला कए त्रिकोणीय बनेबाक प्रयास केलथि अछि। वाल्‍मीकिनगर मे मुख्‍य मुकाबला जदयू क बैद्यनाथ महतो आ कांग्रेस क पूर्णमासी राम क बीच अछि। भाजपा क सतीशचंद्र दुबे एहि ठाम मुकाबला कए त्रिकोणीय बना देलथि अछि। पश्चिम चंपारण मे पिछला बेर लोपजा क उम्‍मीदवार प्रकाश झा एहि बेर जदयू क टिकट पर भाजपा क संजय जायसवाल कए चुनौती देलथि अछि। राजद स कद्दावर नेता रघुनाथ झा मैदान मे छथि। एहि सीट पर तीनू उम्‍मीदवार में कड़ा मुकाबला देखल गेल। पूर्वी चंपारण स भाजपा राधामोहन सिंह कए एक बेर फेर मैदान मे उतारलक अछि। जदयू भाजपा विधायक रहल अवनीशकुमार सिंह कए टिकट देलक अछि। राजद लालू क पीए रहल विनोद श्रीवास्‍तव कए मैदान मे उतारलक अछि। ओ मुकाबला कए त्रिकोणीय बना देलथि बा नहि इ त 16 कए पता चलत।
पांचम चरण –

बिहार मे लोकसभा पांचवे चरण क मतदान 7 मई कए भेल। आठ जिला मे सात सीट लेल भेल चुनाव मे कुल 118 उम्‍मीदवार छथि। एहिमे 10टा महिला छथि। सारण (56.15), हाजीपुर(54.10), मुजफफरपुर(61.27), उजियारपुर 60.26), सीतामढ़ी(56.92), शिवहर(56.27) आ महाराजगंज(51.65) मे मतदान भेल। एहि चरण मे सबस पैघ मुकाबला सारण क अछि। एहि ठाम स बिहार क पूर्व मुख्‍यमंत्री राबड़ी देवी चुनाव मैदान मे छथि। भाजपा एक बेर फेर राजीव प्रताप रुडी कए टिकट देलक अछि। जदयू सलीम परवेज कए मुकाबला मे उतारलक अछि। किछु एहने स्थिति हाजीपुर क सेहो अछि। रामविलास पासवान एहि ठाम जदयू क रामसुंदर दास कए सीधा टक्‍कर द रहल छथि। पिछला चुनाव हारि चुकल पासवान लेल इ सीट जीतब राजनीतिक कॅरियर लेल जरूरी अछि। 93 साल क रामसुंदर दास क इ आखिरी चुनाव छी। कांग्रेस एहि ठाम स संजीव टोनी कए उतारलक अछि। उजियारपुर मे जदयू क अश्‍वमेघ देवी क मुकाबला राजद क आलोक मेहता स अछि। यादव बहुल मधेपुरा मे कुशवाहा कए टिकट देनिहारि भाजपा कुशवाहा बहुल उजियारपुर मे यादव नित्‍यानंद राय कए टिकट देलक अछि। सीतामढ़ी मे जदयू क अर्जुन राय क तीर कए राजद क सीताराम यादव भटका सकैत छथि। ओना रालोसपा उम्‍मीदवार राम कुमार शर्मा मुकाबला कए त्रिकोणीय बनेबाक कोशिश केलथि अछि। शिवहर सीट पर मुकाबला मुख्‍य रूप स भाजपा आ राजद क बीच अछि। भाजपा क रमा देवी कए राजद क अनवारूल हक टक्‍कर द रहल अछि। जदयू क साहिद अली खान मुकाबला कए त्रिकोणीय बना सकलाह बा नहि इ 16 कए पता चलत। बाहुबली आनंद मोहन क कनिया लबली आंनद मुकाबला कए बहुकोणीय बनेबा मे सफल भेलीह इ कहब मुश्किल। महाराजगंज मे राजद उम्‍मीदवार प्रभुनाथ सिंह कए भाजपा उम्‍मीदवार जनार्दन सिंह सिग्रिवाल आ जदयू क धूमल सिंह स दू तरफा चुनौती अछि। राजपूत बहुल महाराजगंज मे आब यादव वोट स परिणाम तय होएत, अगर राजपूत वोट क विभाजन भेल अछि त धूमल क राह आसान भ सकैत अछि। मुजफफरपुर मे भाजपा पूर्व सांसद जयनारायण निषाद क पुत्र अजय निषाद कए टिकट देलक अछि। जदयू बिजेंद्र चौधरी कए उतारलक अछि। कांग्रेस क अखिलेश सिंह एहि मुकाबला कए त्रिकोणीय बनेबाक भरसक कोशिश केलथि अछि।

चारिम चरण – 

बिहार मे लोकसभा लेल चारिम चरण क मतदान 30 अप्रैल कए भेल। सातटा जिला मे सातटा सीट लेल भेल चुनाव मे कुल 94 उम्‍मीदवार छ‍थि। एहिमे पांचटा  महिला छथि। मधेपुरा (60), खगडि़या(55), बेगूसराय(64), समस्‍तीपुर(55), दरभंगा(57), मधुबनी(56) आ झांझारपुर(56) मे मतदान भेल। एहि इलाका मे स्‍थानीय मुद्दे गायब रहल। एहि चरण मे सबस पैघ मुकाबला मधेपुरा में अछि। एहि ठाम स जदयू क राष्‍ट्रीय अध्‍यक्ष शरद यादव क मुकाबला राजद क पप्‍पू यादव स अछि। यादव बहुल एहि इलाका मे भाजपा कुशवाहा समाज स नीतीश सरकार मे मंत्री रहल रेणु कुमारी क पति विजय सिंह कए उतारलक अछि। इ एहि इलाका मे नव सामाजिक प्रयोग अछि। खगडि़या मे जदयू क दिनेश चंद्र यादव क मुकाबला कांग्रेस क महबूब अली कैसर स अछि। राजद बाहुबली रणवीर यादव क पहिल कनिया कृष्‍णा यादव कए मैदान मे उतारलक अछि। बिहार क मास्‍को बेगूसराय मे एहि बेर भाजपा अपन पुरान खिलाड़ी भोला सिंह कए उतारलक अछि। गठबंधन क तहत इ सीट भाकपा क हिस्‍सा मे अछि। भाकपा अपन कद्दावर नेता राजेंद्र सिंह कए उतारलक अछि। राजद क तनवीर हसन अल्‍पसंख्‍यक आ यादव क आधार वोट संग मुकाबला कए रोचक बना देलथि अछि। समस्‍तीपुर स जदयू क महेश्‍वर हजारी क मुकाबला कांग्रेस क अशोक राम स अछि। लोजपा क रामचंद्र पासवान मुकाबला कए त्रिकोणीय बनेबाक कोशिश जरूर केलथि अछि। दरभंगा मे भाजपा उम्‍मीदवार कीर्ति आजाद क प्रति लोक मे तामस अछि। राजद क अली अशरफ फातमी एहि बेर इ सीट भाजपा स छीनबाक प्रयास मे छथि। जदयू एहि ठाम स नीतीश क करीबी रहल संजय झा कए टिकट देलक अछि। संजय झा एहि लड़ाई कए त्रिकोणीय बना देलथि अछि। मधुबनी मे भाजपा क हुकुमदेव यादव क सीधा मुकाबला राजद क पूर्व प्रदेश अध्‍यक्ष अब्‍दुलबारी सिद्दीकी स अछि। सिद्दीकी पिछला बेर बहुत कम वोट स चुनाव हारि गेल छलाह। ओना जदयू एहि ठाम स राजद स आयल गुलाम गौस कए टिकट द कए सिद्दीकी क बाट कठिन क देलक अछि। झंझारपुर क मुकाबला एहि इलाका क सबस कठिन मुकाबला अछि। इ सीट अधिकतर क्षेत्रीय दल क कब्‍जा मे रहल अछि। जदयू स राजद आयल मंगनीलाल मंडल कए राजद स जदयू मे गेल देवेंद्र प्रसाद यादव चुनौती देलथि अछि। भाजपा सेहो जदयू स आयल वीरेंद्र चौधरी कए मैदान मे उतारि मुकाबला कए त्रिकोणीय करबा मे सफल रहल अछि।

तेसर चरण –

एहि इस चरण मे भागलपुर, बांका, पूर्णिया, कटिहार, अररिया, सुपौल आ किशनगंज मे मतदान भेल । एहि सचरण मे एखन धरिक सबसे बेसी 59.43  फीसदी मतदान भेल । कटिहार मे 64 फीसदी, भागलपुर मे 55 फीसदी, बांका मे 56 फीसदी, अररिया मे 60 फीसदी, सुपौल मे 59 फीसदी, पूर्णिया मे 59 फीसदी आ किशनगंज मे 64 फीसदी वोटिंग भेल । संगहि कोचाधामन आ बायसी विस उपचुनाव लेल कुल मतदान 60.59 फीसदी रहल  । कोचाधामन मे 59 फीसदी आ बायसी मे 63 फीसदी वोटिंग भेल ।

पिछला दू चरण क भांति एहि चरण मे सेहो मुद्दा मतदान क आधार नहि बनल। किशनगंज स जदयू उम्‍मीदवार कए मैदान स हटलाक बाद किछु हद तक ध्रुवीकरण क प्रयास भेल, मुदा ओहि मे कोनो विशेष सफलता नहि भेटल। एहि चरण मे पुरुष स बसेी महिला मतदान केलथि। नरेंद्र मोदी क सबस बेसी सभा सेहो एहि चरण मे भेल मुदा नमो लहर क असर कम भेल जा रहल अछि। सुपौल मे कांग्रेस उम्‍मीदवार रंजीता रंजन आ जदयू क दिलेश्‍वर कामत क बीच कड़ा मुकाबला अछि। मोदी क सभा क बावजूद भाजपा क कामेश्‍वर चौपाल एकरा मात्र त्रिकोणीय बनेबा मे सफल रहलाह। भागलपुर स लगातार तेसर बेर जीत लेल शाहनवाज हुसैन क राह सेहो आसान नहि रहत, जदयू इ झटकबा मे हुनका परेशान करत। राजद क बूलो मंडल परिणाम कए अपना पक्ष मे करबा लेल बहुत प्रयास केलथि अछि। पूर्णिया मे भाजपा क उदय सिंह क राह मे जदयू क संतोष कुशवाहा परेशानी पैदा क देलथि अछि। ओना कांग्रेस क अमरनाथ तिवारी मुकाबला कए त्रिकोणीय बनेबाक प्रयास केलथि अछि। कटिहार मे भाजपा क निखिल चौधरी क राह मुश्किल अछि। एनसीपी क तारिक अनवर आ जदयू क रामप्रकाश महतो त्रिकोणीय मुकाबला मे हिनका घेर लेलथि अछि। लगातार तीन बेर चुनाव जीत चुकल चौधरी क प्रति लोक मे तमस अछि जे देखार भेल। अररिया मे राजद क तस्‍लीमुद्दीन आ जदयू क विजय मंडल क बीच सीधा मुकाबला रहल। ओना भाजपा क प्रदीप सिंह मुकाबला कए त्रिकोणीय बनेलथि अछि। किशनगंज मे भाजपा क दिलीप जायसवाल कांग्रेस क असरारूल हक कए टक्‍कर त देलथि मुदा जीत मुश्किल अछि। एहि चरण मे सबस आसान मुकाबला अगर किशनगंज क रहल त सबस कठिन मुकाबला बांका क रहल। एहि ठाम भाजपा क पुतुल सिंह एहि बेर दूटा मजबूत दावेदार क बीच फंसल छथि। सीपीआइ क संजय यादव आ राजद क जयप्रकाश यादव मुकाबला कए त्रिकोणीय नहि बल्कि बराबर क बना देलथि अछि। ऐहन मे पुतुलक स्थिति कमजोर भ गेल अछि। ओना परिणाम केकर पक्ष मे होएत इ 16 मई कए पता चलत।

दोसर चरण –

बिहार मे दोसर चरण क मतदान संपन्‍न भेल । राज्‍य मे सातटा सीट पर 54.04 फीसद मतदान भेल । 2009 स इ 12 फीसद  बेसी अछि।  2009 मे 39.33 फीसदी वोट पडल छल। मुंगेर मे 55 फीसद(पिछला बेर 41.64 ), नालंदा मे 55 फीसद(पिछला बेर 33.04 ), पटना साहिब में 52 फीसद(पिछला बेर 33.64 ), पाटलिपुत्रा मे 52 फीसद(पिछला बेर 41.14), आरा मे 53 फीसद(पिछला बेर 35.77 ), बक्सर मे 57 फीसद (पिछला बेर 46.50 ) आ जहानाबाद मे 56 फीसद (पिछला बेर 39.33 ) वोटिंग भेल। एहि बेर नालंदा मे 22, पटना साहेब मे 19 आ आरा मे 17 फीसद वोट पिछला बेर क तुलना मे बेसी भेल अपर चुनाव आयुक्‍त आर लक्ष्‍मण क अनुसार मतदान शांतिपूर्ण रहल। 11 जिलाक सातटा सीट पर भेल मतदान मे  कुल 117टा उम्‍मीदवार क भाग्‍य क फैसला भेल। एहि मे 108टा पुरुष आ 9टा महिला छथि। एहि चरण मे सबस कठिन मुकाबला बक्सर मे रहल। एहि ठाम राजद क जगदानंद सिंह कए भाजपा स अश्विनी चौबे परेशान क देलथि। पिछला चुनाव मे करीब एक लाख वोट अननिहार बसपा क ददन पहलवान एहि बेर सेहो मुकाबला कए त्रिकोणीय बना देलथि अछि। जदयू क श्यामलाल कुशवाहा लड़ाई मे कमजोर भ गेला, मुदा हुनकर मत नतीजा तय करत। एहिना पाटलिपुत्र सीट पर लालू क बेटी राजद क मीसा भारती कए भाजपा क रामकृपाल यादव टक्कर देलथि अछि। एहि सीट पर लालू अपन ताकत लगा देने छलाह। पिछला बेर लालू अपन पूर्व सिपासालार रंजन यादव स हारि गेल छलाह। एहि बेर लालू क दूटा पूर्व सिपासालार जदयू स रंजन यादव आ भाजपा स रामकृपाल यादव चुनाव मैदान मे छलाह। मुख्य मुकाबला भले राजद आ भाजपा क बीच भेल, मुदा जीत मीसा क बुझा रहल अछि। नीतीश क सिपासालार रहल आ चुनाव प्रबंधन मे माहिर ललन सिंह एहि बेर मुंगेर मे आरामदायक स्थिति मे नहि छथि मुदा लोजपा क बीना देवी क टक्कर ओ सहि लेताह। बीना देवी बाहुबली नेता सुरजभाव सिंह क कनिया छथि। ओना राजद क प्रगति मेहता जातीय समीकरण क आधार पर मुकाबला कए त्रिकोणीय क सकैत छथि। नालंदा मे जदयू क कौशलेंद्र कए भाजपा क सत्यानंद शर्मा स सीधा मुकाबला कहल जा रहल छल मुदा एहि ठाम पूर्व नौकरशाह आ कांग्रेस क आशीष रंजन सिन्हा मुकाबले कए त्रिकोणीय बना देलथि। आरा स सेहो पूर्व नौकरशाह आरके सिंह भाजपा क टिकट पर चुनाव मैदान मे छथि मुदा एहि ठाम जदयू क मीना सिंह स हिनकर सीधा मुकाबला नहि भेल। राजद क भगवान सिंह कुशवाहा सब पर भारी भ सकैत छथि। माले क राजू यादव सेहो वोट क एकटा पैघ टुकड़ा अपन पक्ष मे केलथि अछि। जहानाबाद मे सेहो लड़ाई त्रिकोणीय रहल। राजद क सुरेंद्र यादव आगू बुझा रहल छथि, मुदा लोजपा क अरूण कुमार आ जदयू उम्मीदार अनिल शर्मा बेसी पाछु नहि छथि। एहि चरण क सबस रोचक मुकाबला पटना साहेब रहल। दूनू फिल्म अभिनेता भाजपा स शत्रुघ्न सिन्हा आ कांग्रेस क कुणाल सिंह क बीच मुकाबला कहल जा रहल अछि। जदयू क डॉ गोपाल प्रसाद सिन्हा एहि मुकाबला कए त्रिकोणीय बनेबा मे सफल नहि भ सकलाह। नीतीश सरकार स त्यागपत्र द चुनाव मैदान मे उतरल आप क प्रवीन अमानुल्लाह किछु वोट कटलथि। एहन मे इ सीट अगर कांग्रेस क खाता मे चल जाये त आश्‍चर्य नहि।

पहिल चरण –

बिहार मे पहिल चरण क मतदान संपन्‍न भेल । राज्‍य मे छह सीट पर 53 फीसद मतदान भेल । 2009 स इ किछु बेसी अछि। सासाराम मे 54, नवादा मे 51,काराकाट मे 51, औरंगाबाद 47.5, जमुई मे 50 आ गया मे 51.64 फीसद वोट खसाउल गेल। अपर चुनाव आयुक्‍त आर लक्ष्‍मण क अनुसार मतदान शांतिपूर्ण रहल। आठ जिलाक क छहटा सीट पर भेल मतदान मे कुल 80टा उम्‍मीदवार क भाग्‍य क फैसला भेल। एहि मे 70टा पुरुष आ 10टा महिला छथि। पहिल चरण सब पार्टी लेल निर्णायक साबित भेल। संगहि एहि चरण क बाद मतदाता क ट्रेंड क सेहो पता चलल। ओना ससाराम में कांग्रेस स मीरा और भाजपा स छेदी के बीच मुख्‍य मुकाबला अछि, एहन मे अगर जदयू स रम्‍मैया मुकाबला कए त्रिकोण बना दथि त कोनो आश्‍चर्य  नहि। औरंगाबाद मे मुकाबला कांग्रेस स निखिल आ राजग स सुशील क बीच देखा रहल अछि, मुदा एहि ठाम सेहो जदयू स बागी जीतनिहारक नाम तय करबाक स्थिति मे छथि। गया मे राजद स रामजी मांझी भाजपा स हरि मांझी कए हरेबा लेल तैयार छथि, ओना जदयू स जीतन राम मांझी वोट लैलथि अछि आ ओ जीत हार तय करताह। नवादा सीट पर मुकाबला सेहो लगभग साफ नहि अछि। एहि ठाम भाजपा क फायरब्रांड नेता गिरिराज सिंह आराम क स्थिति मे छलाह मुदा जदयू स कौशल यादव हुनका लेल बहुत परेशानी ढार क देलथि। राजद स राजवल्‍लव यादव एहि ठाम गिरिराज आ कौशन क बीच फासला तय करताह। जमुई में लोजपा क चिराग पासवान क स्थिति नीक कहल जाइत अछि,  मुदा जदयू स उदय नारायण चौधरी हुनका टक्‍कर द रहल छथि। लाख प्रयासक बावजूद लोजपा एहि ठाम सुधांशु शेखर कए दोसर नंबर पर नहि आनि सकल। एहन मे जीत हारिक फासला एतबा रहत इ कहब कठिन अछि। काराकाट मे राजद स कांति सिंह  मजबूत लागि रहल छथि, ओना रालोसपा स उपेंद्र कुशवाहा रेस में शामिल छथि। जदयू क महाबली सिंह एहि ठाम बहुत कमजोर नहि देखा रहल छथि। एहन में कहल जा सकैत अछि जे एहि छह टा सीट में अगर नवादा सबस साफ अछि त काराकाट मे स्थिति सबस धुंधरा देखा रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

नहि रहलाह तारा बाबू

अपन ‘ख्याल’ मे जा बसल बनैली

Esamaad Epaper Website

विधान परिषदक महाभारत आ संजयक भूमिका

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

भागलपुर मे विकसित होएत ईको टूरिज्म, डाल्फिन क दर्शन लेल चलत बोट

by संपादक
January 29, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि