मधुबनी। जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक बुध दिन बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र सबहक निरीक्षण कयलन्हि। एन एच १०४ के तेनुआही आ योगिया – पदुमा क बीच टूटल डायवर्सन क निरीक्षण क समय ओ स्थल पर उपस्थित एस डी ओ श्री शंकर शरण ओमी, बीडीओ श्री नवल किशोर ठाकुर आ सीओ जे पी राय सबके आवश्यक निर्देश देलनि। मौका पर एन एच क पदाधिकारी सब उपस्थित नहि छलाह, तेँ सीतामढ़ी जोन क कार्यपालक अभियंता श्री एन के सिंह फोन पर कहलनि जे पानि कम भेला संता मरम्मति काज शीघ्रे पूरा क लेल जायत। तत्पश्चात जिला पदाधिकारी एसडीओ आ बीडीओ सेबाढ़ि प्रभावित मोतनाजय, कुमरखत, दोनवारी, पथलगाढ़ा, जानकीनगर, तेनुआही आ बरहा आदि गाँव सबमे नुकसान क जानकारी लेलनि ।
जिला पदाधिकारी ,पदाधिकारी सबके सजग रहि काज करबाक सुझाव देलनि आ आवश्यकता अनुसार ह्यूम पाईप लगेबाक निर्देश देलनि। स्थल पर उपस्थित डा.आनन्द अररिया, शिवनाथ यादव, श्याम यादव सबसे बाढ़ि से भेल नुकसान क जानकारी लेलनि।