पटना । मोदी सरकार एहि बेरका बजट मे परियोजना पूरा करबा लेल टका त खूब देलक, मुदा ट्रेन देबा मे कंजूसी क लेल अछि। दरभंगा एहि बेर परियोजना लेल टका लेबा मे सबस ऊपर रहल। दोहरीकरण, विद्युतीकरण, आमान परिवर्तन आ आरओबी समेत तमाम परियोजना लेल दरभंगा कए प्रयाप्त धनराशि मुहैया कराउल गेल अछि। दरभंगा आ समस्तीपुर क बीच दोहरीकरण लेल टका देल गेल अछि। समस्तीपुर स जयनगर आ सीतामढी तक विद्युतीकरण लेल टका देल गेल अछि। सकरी लोकहा आमान परिवर्तन का कुशेश्वरस्थान खगडिया नब लाइन लेल सेहो टका देल गेल अछि। 60 करोड टका कोसी पुल लेल देल गेल अछि, जाहि स एहि पुल कए अगिला वित्त वर्ष धरि चालू भ जेबाक उम्मीद जगल अछि। कुल मिला कए दरभंगा मे रेलवेक आधारभूत संरचनाक विकास लेल कईटा परियोजना कए प्रयाप्त धन मुहैया कराउल गेल अछि।
पूर्व मध्य रेलवे हाजीपुर क महाप्रबंधन एके मित्तल क अनुसार एहि साल कुल आमदनी 11446 करोड भेल अछि। एहि मे 2 हजार करोड यात्री भाडा स प्राप्त भेल अछि। आब आउ गप करि एहि जोन कए भेटल बजट आवंटन पर । एहि बजट मे कुल 3,171 करोड एहि जोन कए भेटल अछि। पिछला साल 2489 करोड भेटल छल। नब रेल लाइन लेल 867 करोड, दोहरीकरण लेल 185 करोड आ आमान परिवर्तन लेल महज 150 करोड । 50 करोड यात्री सुविधा बढेबा लेल सेहो देल गेल अछि। एकटा नीक समाद जे बिहार कए गंगा पर एकटा आओर रेलपुल भेटल अछि। भागलपुर क पीपरैती आ नौगछिया क बीच एहि सेतु स बिक्रमशिला आ खगडिया क दूरी कम होएत। एकर अलावा 25 रेल ओवर ब्रिज आ 4टा सबवे बनेबा लेल सेहो कहल गेल अछि। ओ कहला जे बिहार-झारखंड क कइटा चालू परियोजना लेल एहि बेर 5406 करोड़ देल
गेल अछि, जाहि मे 3171 करोड़ बिहार मे खर्च होएत। पिछला साल क मुकाबला मे बिहार कए 29 फीसदी बेसी राशि भेटल अछि। मित्तल कहला जे धार्मिक महत्व क जाहि स्टेशन सब कए विकसित करबाक अछि ओहि मे बिहार शरीफ, गया, पारसनाथ सहित किछु आर स्टेशन अछि।
रेल बजट क खास गप
नब स्वीकृत परियोजना (नव लाइन)
नब लाइन लंबाई लागत आवंटन
बिक्रमशिला-कटिहार 18 किमी 160.1 करोड़ दू लाख
दोहरीकरण लंबाई लागत आवंटन
करौटा पटनेर-मनक 10 किमी 130.90 करोड एक लाख
सरफेस ट्रैंगल लाइन
परियोजना लंबाई लागत आवंटन
सगौली-बालमिकीनगर 109.7 किमी 744.04 करोड़ दू लाख
गया-मानपुर बाइपास 2 किमी 12.56 करोड़ दू लाख
मुजफफरपुर-सगौली 100.6 किमी 731.64 करोड़ दू लाख
गढ़वा रोड-रेल ओवर रेल 10 किमी 48.73 करोड़ दू लाख
गोमो-खानुडीह व तेलो मतारी 15 किमी 94.56 करोड़ दू लाख
विद्युतीकरण (लागत करोड़ में)
परियोजना लंबाई लागत
मानसी-सहरसा-दौरम एवं मधेपुरा-पूणिज़्या-कटिहार 172 किमी 227.14
आरा-सासाराम 97 किमी 76.51
दरभंगा – जयनगर 81 किमी 106.00
रक्सौल सीतामढ़ी-दरभंगा-समस्तीपुर 231 किमी 305.05
कप्तानगंज-थावे-करैया-छपरा कचहरी 206 किमी 144.18
चालू परियोजना लेल बजट (लागत करोड़ में)
नब लाइन लागत
रेल सह सड़क पुल मुंगेर 375
सकरी हसनपुर 30
गिरीडीह कोडरमा 120
खगडिय़ा कुश्शेवरस्थान 30
राजगीर तिलैया 75
कोडरमा रांची 175
बिहार शरीफ-बरबीघा 176
कोसी पुल 60
कोडरमा-तिलैया 100
हाजीपुर-सगौली 100
छपरा-मुजफफरपुर 20
मोतिहारी-सीतामढ़ी 20
आमान परिवर्तन लागत
बनमंखी-पूर्णिया-बिहारीगंज 40
लौकहा बाजार-निर्मली एवं सहरसा फारबिसगंज 100
जयनगर -बिजलपुरा 50
रक्सौल-नरकटियागंज 60
दोहरीकरण लागत
कटिहार-कुरसेला 30
गढ़वा रोड-रमणा रोड 100
दानियां-रांची रोड 100
जरंगाडीह-दानियां 100
हाजीपुर-रामदयालू 160
रेणूकूट-चोपन 25
करेला रोड-शक्तिनगर 06
रांची रोड -पतरातु 30
मोकामा अतिरिक्त पुल 51
रमणा-सिंगरौली 160
धनबाद-सोननगर 250
हाजीपुर-बछवारा 70
समस्तीपुर-दरभंगा 45
किउल-गया 125
नऽव ट्रेनसँ बेसी आवश्यकता अछि मिथिलामे आधारभूत सुविधाक विकास केर ।
तकरा बाद तँऽ नऽव ट्रेन अएबे करतै ।
नीक रेल बजट ।