• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

तेल पर लगान बढा दाम पर नियंत्रण करैत रहल सरकार

May 28, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
पेट्रोल-डीजल केर दाम रोज रोज एना बढ़ि रहल अछि जेना लोक ऑक्सी-टॉक्सी सुइया द क फल आ तरकारीकें नित बढ़ा दैत अछि। अहि तरहक फल आ तरकारी स्वास्थ लेल माहुर बराबरि होयत अछि तहिना नित नव ऊँचाई छुबैत दाम पर भराओल गेल तेल सँ लोकक मन आक्रोशित आ माहुर भेल जा रहल अछि। कर्नाटक चुनाव सँ लगभग तीन सप्ताह पहिने धरि दाम थिर रहल मुदा जखनहि चुनाव प्रक्रिया खतम भेल तखनहि तेलक खेल बला नाटक शुरू भ’ गेल आ से बरोबरि गती सँग बढ़ल जा रहल अछि। मंत्री जी एकर कारण अंतरराष्ट्रीय बजारमे कच्चा तेल केर दाममे बढ़ोतरी कहि रहल छथि। अचानक एना किएक नितदिन 40 -50 पाय बढय लागल? कर्नाटक चुनावक प्रचार कालमे सान्दर्भित संस्था कि मलेमासक छुट्टीमे चलि गेल छलाह ,की दुर्गापूजा आ छठी पर्व मनाब’ चलि गेल छलाह? एहि पूरा मामला पर विस्तार स प्रस्तुत अछि स्तंंभकार रामबाबू झाक इ आलेख – समदिया
पेट्रोल -डीजल सँ सभसँ बेसी मध्यम वर्गीय पीसल जा रहल अछि। रोजी-रोटी, शिक्षा, स्वास्थ, सुरक्षा, महगाई सभ एहन विषय अछि जाहिसँ आमजन नितदिन दु चारि होयत रहैत अछि मुदा ताहि पर बात करबा लेल नेता जी बाम दहिन ताक’ लगैत अछि आ मूल मुद्दासँ भटकेबाक लेल हिन्दू-मुसलमान ( खतरेमे) भारत-पाकिस्तान पर उत्तेजक विमर्श आदि इत्यादि फालतुके राग अलाप’ लगैत अछि।  पेट्रोल -डीजल क सन्दर्भमे मीडियाक सबालकें जबाबमे शाह जी तेलमे भ’ रहल खेल लेल मीडिया केर जिम्मेदार कहि अपन हाथ धो लेलक। मुदा पुरान किछु सरकारी आंकड़ा सँ अहि खेलकें एतय बुझबाक प्रयास करैत छी।
साल 2011 मे जखन मनमोहन सिंह प्रधानमंत्री छलाह तखन कच्चा तेलक दाम $118.64 डॉलर प्रति बैरल छल आओर दिल्लीमे पेट्रोलकें दाम 58.37 रुपैया छल। साल 2014 मे जखन मोदी प्रधानमंत्री बनलाह तखन कच्चा तेलक दाम $106.85 डॉलर प्रति बैरल तखन दिल्लीमे पेट्रोलकें दाम 71.41 रुपैया छल। किछु आरो पछाति ल क चलैत छी, साल 2008 मे जखन मनमोहन सिंह प्रधानमंत्री छलाह तखन कच्चा तेलक दाम $145 डॉलर प्रति बैरल छल तखन दिल्लीमे पेट्रोलकें दाम 50.01 छल। जखन कि साल 2015 मे मोदी प्रधानमंत्री छलाह आ कच्चा तेलक दाम $40.62 प्रति बैरल छल तखन दिल्लीमे पेट्रोलकें दाम 60.48 छल। $104 डॉलर प्रति बैरल सस्ता भेटलाक बादो 10 रुपैया पेट्रोल महँगा भेटैत छल।
स्मृतिमे अबैत अछि चुनावी सभाके सम्बोधित करैत सरकार अपन भाग्य केर चमत्कार कहि अपन पिट्ठी थपथपबैत नहि थकैत छलाह। सबाल एतय ई अछि की जतय $100 डॉलर पार कएलाक बादो मनमोहन सरकार आम आदमी पर भार नहि दS दोसर उपाय करैत छलाह। वर्तमानमे मात्र $80 डॉलर प्रति बैरल अंतरराष्ट्रीय बजारमे कच्चा तेलक दाम पर खरीद कS आम आदमी केर खून पिब’ पर उतारू भेल अछि। जखन मनमोहन $115 डॉलर प्रति बैरल पर ख़रीदकS जे आम आदमी लेल कS सकलाह से मोदी $80 पर किएक नहि कS पाबि रहल अछि। सबाल ई अछि जे पेट्रोल ₹85 रुपैया के’ पार किएल भागल जा रहल अछि।
चलु किछु उदाहरण देखबाक प्रयास करैत छी- अंतरराष्ट्रीय बजारमे कच्चा तेलक दाम $80 डॉलर प्रति बैरल अछि। डॉलर केर दाम अछि ₹68 रुपैया। अहि तरहे कच्चा तेलक दाम 80×68= 5440 भेल आ एक बैरल मे 159 लीटर होयत अछि। एकर मतलब एल लीटर कच्चा तेलक दाम 34.21 भेल। विदेश सँ भारतके रिफाइनरी इकाई धरि आ ततपश्चात पेट्रोल पंप धरि पहुँचय मे  किछु खरचा होयत अछि जे अहि प्रकार अछि जेना एंट्री टैक्स, रिफाइनरी प्रोसेसिंग, लैंडिंग कॉस्ट आ मार्जिन समेत कुल लागत 3.68 रुपैया होयत अछि। आ तखन पेट्रोलकें दाम 37.89 रुपैया भ’ जाएत अछि। ततपश्चात तेल कम्पनीक मार्जिन ढुलाई आ भाड़ाक खर्च जकर लागत 3.32 रुपैया  होयत अछि आब पेट्रोलकें दाम 41.21 रुपैया भेल। एकर बाद केंद्र सरकारकें  एक्साइज टैक्स जुड़ितहि दाममे आगि लगि जाएत अछि जे 19.48 रुपैया होयत अछि। आब पेट्रोलकें दाम 60.69 रुपैया तकर बाद डीलर केर दलाली 3.59 रुपैया जुड़ि जाएत अछि। आब पेट्रोलकें दाम 64.18 रुपैया भेल। तकराबाद राज्य सरकार मनमाफिक तरीकाक वैटस आ प्रदूषण सेस लगबैत अछि जे 25 प्रतिशत सँ लSक 35 प्रतिशत धरि पहुँच जाएत अछि। अहि तरहे पेट्रोलकें दाम 80 केर पार पहुँच जाएत अछि।
आश्चर्यजनक गप्प ई अछि जे जखन अंतरराष्ट्रीय बजारमे कचचा तेलक दाम बहुत कम छलै तखनहुँ ओ आम आदमीक लेल नहि सोचलक आ एक्साइज टैक्स सँ दाम बढाकS आमजन केर विकासकें नाम पर खून चुसैत रहल। टैक्स केर दाममे अप्रत्याशित बढ़ोतरी आंकड़ा देखि चौंकि सकैत छी। साल 2013 मे डीलर केर दलाली 1.79 रुपैया प्रति लीटर छल से 2018 में बढिकय 3.66 रुपैया भ’ गेल जे सीधे 102 प्रतिशत। साल 2013 मे राज्य सरकारक टैक्स 12.68 रुपैया प्रति लीटर छल से साल 2018 मे बढिकय 16.29 रुपैया प्रति लीटर मतलब सीधे 28 प्रतिशत केर छलाँग। साल 2013 मे केंद्र सरकार ₹9.48 रुपैया प्रति लीटर टैक्स लैत छल से साल 2018 मे बढिकय 19.49 रुपैया भ’ गेल मतलब सीधे 105 प्रतिशत केर छलाँग।
साल 2014-15 मे तेलक खेल सँ आमदनी 1.72,066 करोड़, 2015-16 मे 2,58,442 करोड़, 2016-17 मे 3,34,533 करोड़, 2017- सँ एखन धरि मे 2,30,807 करोड़ । मतलब सरकार चारि सालमे  9,95,848 करोड़ कमा चुकल अछि। अहि खेलमे सरकारक संगहि तेल कम्पनी सेहो हजारो करोड़ कमाई कS अपन जेब भरि चुकल अछि। अहि बीच आईओसी केर वित्त वर्ष 2018 केर चौथा तिमाही रिपोट आएल। अहि मोताबिक कम्पनी 5,218 करोड़ केर आमदनी सँग 40 प्रतिशत केर छलाँग लगेलक। अहिसँ सोचि सकैत छी जे तेल कम्पनी सेहो हजारो करोड़क कमाई कएलक। 2017 केर चौथा तिमाहिमे तेल कम्पनी केर 3720 करोड़क फायदा भेल छल। आब सरकारकें एहन विकल्प खोजबाक चाहि जाहिसँ आगि लागल पेट्रोलकें दाम सँ लोककेँ शीतलता भेटैए।
Tags: dieselmodioilPetrol Rate

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

गामे-गाम गृह उद्योग स्थापित करबाक अछि योजना : अमरनाथ

बिहारक टका स आन राज्य राज्यव में कर्ज बांटब बंद हो : नीतीश

नि:शुल्क चिकित्सा शिविर मे भेल 300 स बेसी लोकक इलाज

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि