सच होबए जा रहल अछि सीएम नीतीशक सपना
दरभंगा । राज्य आ राज्यक बाहर किछु अन्य जिला सभ मे सरकारी आउटलेट पर नवंबर मास सं तरकारी भेटब शुरू भ जायत। एहि योजना पर काम करबा लेल जल्द टीमक गठन कयल जायत। सरकार सुधा दूध जकां तरकारिए टा नहि जमा करत अपितु बड़का बड़का शहर मे सरकार दुकान खोलि क एकरा बेचबो करत। जानकारी अनुसार एहि पूरा प्रोजेक्ट पर 487 करोड़ खर्च होयत। चालू वित्तीय वर्ष मे एकरा लेल सहकारिता विभाग अपना बजट मे 50 करोड़क प्रावधान केलक अछि।
राज्य सरकार सब्जी उत्पादन केनिहार किसान सभक सुविधा कें ध्यान मे राखि सहकारी समितिक गठन क रहल अछि। प्रखंड सं ल क जिला स्तर पर समिति आ राज्य स्तर पर सब्जी उत्पादक सभक फेडरेशन बनाओल जायत। पायलट प्रोजेक्ट के तहत राज्यक पांच टा जिला पटना, बेगूसराय, नालंदा, वैशाली आ समस्तीपुर मे एहि योजना पर काज शुरू भ गेल अछि। एहि जिला सभ मे एखन धरि 97 ब्लाक मे सं 83 गोट मे समिति गठित भ चुकल अछि।
एहि मामला मे जानकारी दैत बिहार सरकारक सहकारिता मंत्र राण रंधीन सिंह कहलनि जे बिहार तरकारी उत्पादन मे एखन तेसर स्थान पर अछि। नीतीश सरकार पहिल स्थान पर एबा लेल प्रयास क रहल अछि। जगह जगह सहकारी समिति आ फेडरेशनक गठन कयल जा रहल अछि। एहि योजनाक माध्यमे किसान सभसं तरकारी किनल जायत आ ओकरा बेचल जायत।
नीतीश सरकार क रहल अछि जोर शोर सं तैयारी
एहि प्रोजेक्ट के सफल बनेबा लेल नीतीश सरकार जोर शोर सं काज क रहल अछि। कहल जा रहल अछि तरकारी कें ताजा रखबा लेल जगह जगह कोल्ड स्टोरेज सेहो बनाओल जायत। हाट बजारक निर्माण कयल जायत। जाहि सं तरकारी कें आसानी सं नीक दाम पर बेचल जा सकय। एहि लेल सरकारी स्तर पर ठाम ठाम आउटलेट खोलल जायत। जाहि पांच जिला मे ई प्रोजेक्ट शुरू भ रहल अछि ओहि सभ स्थान पर तं तरकारी बेचले जायत एकरा अतिरिक्त राजधानी पटना सहित गया, भागलपुर, दरभंगा, मुजफ्फरपुर आ अन्य जिला सभ मे सेहो एकरा बेचबा लेल आउटलेट खोलल जायत। एकरा अतिरिक्त दिल्ली, बेंगलुरु सहित अन्य प्रमुख शहर सभमे सेहो सरकारी स्तर पर दुकान खोलल जायत।