• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

एक संग होएत एयरपोर्टक उदघाटन आ एम्‍सक शिलान्‍यास

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी दरभंगा एयरपोर्टक उदघाटन आ दरभंगा एम्‍स क शिलान्‍यास एक संग करताह।

January 6, 2020
in समाचार
A A

सावित्री राय

दरभंगा । आखिरकार नीतीश कुमार क आग्रह केंद्र मानलक आ बिहारक दोसर एम्‍स दरभंगा मे खोलबा पर केंद्रीय मंत्रिमंडल अपन मुहर लगा देलक अछि। अगिला सप्‍ताह एकर अधिसूचना जारी क देल जायत। दरभंगा एयरपोर्ट क बाद मिथिला लेल मोदी सरकारक इ दोसर पैघ सनेस अछि। सूत्रक कहब अछि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी दरभंगा एयरपोर्टक उदघाटन आ दरभंगा एम्‍स क शिलान्‍यास एक संग करताह। काफी वर्ष स बिहारक दोसर एम्‍स लेल जगहक चयन नहि भ सकल छल आ नीतीश सरकार दरभंगा मे एम्‍स बनेबा लेल जिद ठानी देने छल। केंद्रीय स्वास्थ्य व परिवार कल्याण राज्य मंत्री अश्विनी चौबे रविदिन कहने छलाह जे दरभंगा एम्स क सबटा प्रक्रिया पूरा क लेल गेल अछि। ओ कहला जे शनिदिन क राति मे ओ एम्स क फाइल पर साइन के देलथि अछि। सप्ताह भरिक अंदरएकर अधिसूचना जारी क देल जायत।

उत्तर बिहार लेल इ अस्पताल वरदान साबित होएत। ओ कहला जे काफी समय स उत्‍तर बिहार मे एम्स खोलबा पर विचार कैल जा रहल छल। जमीन क उपलब्धता क कारण मामला अटकल छल। बिहार सरकार दिस स प्रस्तावित जमीन क गुणवत्ता आ रास्ता क सुगमता सहित तीन बिन्दु पर मंत्रालय क तकनीकी कमेटी दरभंगा मेडिकल कॉलेज क जमीन क स्वीकृति पर मुहर लगा देलक अछि। राज्य सरकार नीच जमीन मे मिट्टी भरान आ ओवरब्रिज बनेबा लेल तैयार भ गेल अछि। अन्य औपचारिकता सेहो पूरा क लेल गेल अछि। आब केंद्र सरकार अधिसूचना जारी क देत।

मंत्री श्री चौबे कहला जे पटना क बाद बिहार क इ दोसर एम्स होएत। बेतिया स लकए सहरसा, सुपौल आ पूर्णियां तक क लोग लेल इ वरदान साबित होएत। संगहि पटना पर सेहो भार कम होएत। श्री चौबे मुजफ्फरपुर क एसकेएमसीएच मे नवनिर्मित वायरोलॉजी लैब क उदघाटन क बाद पत्रकार स गप क रहल छलाह। ओ कहला जे पटना एम्स अटल बिहारी वाजपेयी क देन छी आ दरभंगा एम्स प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी क देन होएत।

एम्‍हर केंद्रीय लोक निर्माण विभाग (सीपीडब्ल्यूडी) क महानिदेशक स्वास्थ्य मंत्रालय स अनुरोध केलथि अछि जे दरभंगा मे एम्स क भवन बनेबा क काज हुनकर एजेंसी कए देल जाये। सीपीडब्ल्यूडी क महानिदेशक प्रभाकर सिंह स्वास्थ्य एवं परिवार कल्याण मंत्रालय सचिव प्रीति सुदान कए पत्र लिखकए कहला अछि जे सीपीडब्ल्यूडी बिना कोनो परेशानी कए परियोजना कए पूरा क सकैत अछि।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

 

केंद्रीय लोक निर्माण विभाग क महानिदेशक कहला जे मंत्रालय दरभंगा मेडिकल कॉलेज परिसर मे एम्स लेल नव भवन बनाउत। सिंह ने कहला जे हमरा लग बिहार मे काज करबाक अनुभव अछि। हम एहि काज कए करबा लेल सक्षम छी।

 

एम्स लेल डीएमसीएच क 200 एकड़ जमीन उपलब्ध

1878 मे दरभंगा मे तत्‍कालीन बंगालक दोसर सबस पैघ अस्‍पताल महाराजा लक्ष्‍मीश्‍वर सिंह खोलने छलाह। 200 बेडक ओहि अस्‍पताल मे नि:शुल्‍क ईलाजक देश मे पहिल बेर सुविधा देल गेल छल। 1938 मे बिहारक पहिल ऑपरेशन थियेटर एहि अस्‍पताल मे बनल आ एम्‍बुलेंस सुविधा सेहो सबसे पहिने दरभंगाक एहि अस्‍पताल मे देल गेल। 1925 मे दरभंगाक महाराजा रमेश्‍वर सिंह करीब 280 एकड जमीन पर दरभंगा मेडिकल स्‍कूल क स्‍थापना केलथि। 1946 में दरभंगा क तत्‍कालीन महाराजा कामेश्‍वर सिंह दरभंगा मेडिकल स्‍कूल कए दरभंगा मेडिकल कॉलेज एंव अस्पताल में बदलि देलथि। एहि संस्‍थान लग एखन कुल 227 एकड़ जमीन अछि। दरभंगा मेडिकल कॉलेज एंव अस्पताल कए 27 एकड़ जमीन क आवश्‍यकता छै, जे एकरा लग रहत, शेष 200 एकड़ जमीन एम्स लेल उपलब्ध कैल गेल अछि। केंद्र सरकार क नियम क अनुसार एम्स लेल न्यूनतम 150 एकड़ जमीन चाही, जखन कि दरभंगा मे एम्‍स लेल 200 एकड जमीन देल जा रहल अछि।

दरभंगा एम्‍स लेल सामूहिक प्रयास भेल। जलसंसाधन मंत्री संजय झा, दरभंगाक नगर विधायक संजय सरावगी लगातार एहि मसला कए उठबैत रहलाह। सांसद बनलाक बाद गोपाल जी ठाकुर सेहो एहि मसला कए गंभीरता स लेलथि। जालेक विधायक समेत कईटा अन्‍य विधायक सेहो एकरा लेल प्रयास केलथि। मुदा सबस महत्‍वपूर्ण रहल मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमारक जिद, जाहि कारण स केंद्र सरकार दरभंगा मे एम्‍स खोलबा लेल तैयार भेल।

Tags: AIIMSdarbhanganarendra modinitish

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
जयनगर द कए 30 कए जनकपुर पहुंचत पहिल ट्रेन

जयनगर द कए 30 कए जनकपुर पहुंचत पहिल ट्रेन

कविता : कुमुद रंजन क आब आओर कतेक प्रतीक्षा?

कविता: कुमुद रंजनक कियै छै ,यौ?

कविता :  मतिनाथ मिश्रक प्रलय काल

कविता : मतिनाथ मिश्रक प्रलय काल

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि