जं अहाँ UAE मे Dubai वा Sharjah जयबाक प्लानिंग क’ रहल छी त’ अहाँक लेल इ जनतब अत्यंत आवश्यक अछि. अहाँ टूरिस्ट वीजा पर दुबई वा शारजाह वा दुनू ठाम जयबाक प्लानिंग क’ रहल छी त’ अहाँक लग यात्रा काल एहि प्रकारक ट्रेवल इंश्योरेंस होयब आवश्यक अछि जाहिमे हेल्थ कवरेज सेहो होअय. एयर इंडिया एक्सप्रेस दिस स’ यात्री सभके इ जनतब देल गेल अछि. कोरोना वायरस महामारीके ध्यानमे रखैत कतेको देश यात्री लोकनिक लेल कतेको प्रकारक नियम जारी क’ रहल अछि.
आबू धाबी जयबाक लेल इ अछि नियम
एयर इंडिया एक्सप्रेस दिस स’ जनतब देल गेल अछि जे आबूधाबीक फेड्रल एथॉरिटी दिस स’ जनतब देल गेल अछि जे जाहि यात्री लग वैलिड रेजिडेंस वीजा अछि मात्र हुनके आबूधाबी अयबाक अनुमति देल जायत. बाकी सभ तरहक वीजा पूरा तरहे कैंसिल क’ देल गेल अछि. इ निर्देश तत्काल प्रभाव स’ लागू क’ देल गेल अछि.
नेगेटिव कोरोना रिपोर्ट होमय पर क’ सकब यात्रा
अहाँक कोनो परिजनके UAE स’ आपस भारत अयबाक अछि आ ओ शारजाह वा आबूधाबी एयरपोर्ट स’ यात्रा करयवला छथि त’ हुनका लग COVID-19 PCR test केर नेगेटिव रिपोर्ट होयब आवश्यक अछि. ज’ हुनका लग इ रिपोर्ट नहि अछि त’ हुनका यात्रा नहि करय देल जायत. UAE MOH दिस स’ शारजाह एयरपोर्टक लेल एहि नियमके तत्काल प्रभाव स’ लागू क’ देल गेल अछि.
सेनेटाइजरके ल’ पैघ छूट
सामान्य रूप स’ फ्लाइटमे लिक्विट आइटम जेना जैल, पेस्ट आ एहि तरहक कतेको उत्पाद 100 एमएल स’ बेसी ल’ जयबाक अनुमति नहि अछि मुदा कोरोना महामारीके ध्यानमे रखैत एयर 350 एमएलक सेनेटाइजरक बोतल केबिन बैगेजमे ल’ जयबाक अनुमति देल जा रहल अछि. सेनेटाइजरक अलावा आन सभ उत्पादक लेल एखनहुँ बेसी सीमा 100 एमएल अछि.
इंडियन मोबाइल नम्बर देब अछि आवश्यक
अहाँ डोमेस्टिक फ्लाइटमे यात्रा क’ रहल छी वा देशक बाहर वंदे भारत अभियानक अंतर्गत यात्रा क’ रहन छी? अहाँके अनिवार्य रूपेँ अपन इंडियन मोबाइल नम्बर टिकट बुक करैत काल देबय पडत. एयरलाइंस दिस स’ यात्री लोकनिक रिकॉर्ड राखल जा रहल अछि जाहि स’ आवश्यकता पड़ला पर हुनका स’ संपर्क कयल जा सकय.
फ्लाइट काल ज’ अहाँके थकान, बोखार, बेचैनी वा सांसमे दिक्कत सन शिकायत रहैत अछि त’ अहाँ शांत रहू आ शीघ्र एकर जनतब केबिन क्रू के दिय. फ्लाइटमे एहि तरहक स्तिथिके सम्हारबाक लेल केबिन क्रू के खास तरहक ट्रेनिंग देल गेल अछि. केबिन क्रू के एहि बातक सेहो ट्रेनिंग देल गेल अछि जे कोनो यात्रीमे ज’ कोरोना वायरसक लक्षण देखबामे अबैत अछि त’ ओहिके कोन तरहे नियंत्रित करबाक अछि.