पटना । आईटी स्टार्ट अप कए आगाँ बढ़ेबाक लेल राज्य सरकार प्रतिबद्ध अछि । बिहार क डिजिटल मार्केटिंग क क्षेत्र मे दिल्ली स्कूल ऑफ़ इंटरनेट मार्केटिंग क स्थापना राज्य कए सुचना तकनीक आ इंटरनेट मार्केटिंग मे आर आँगा लए जाएत । उक्त गप राज्य क शिक्षा मंत्री बिहार क पहिल डिजिटल मार्केटिंग इंस्टीच्यूट दिल्ली स्कूल ऑफ़ इंटरनेट मार्केटिंग क स्थापना मे कहलथि । ओ कहलथि जे राज्य सरकार अपेक्षा करैत अछि जे दिल्ली स्कूल ऑफ़ इंटरनेट मार्केटिंग कुशल प्रोफेशनल तैयार करबा मे राज्य सरकार मदद करतथि ।
एहि अवसर पर बिहार क सहकारिता मंत्री आलोक कुमार मेहता कहलथि जे नब नब क्षेत्र आओर नब नब विधा सोझा आबि रहल अछि । हमरा सबहक आर आगाँ क सोचबाक बेगरता अछि । राज्य सरकार एहिमे हर संभव मदद लेल तैयार अछि । बिहार क युवा क बीच नब रोजगार सृजित करबाक आवश्यक्ता अछि । सबसे पैघ गप अछि इंटरनेट मार्केटिंग क क्षेत्र मे बिहार क युवा स्व रोजगारक संभावना कए विकसित करि देश मे नब-नब कीर्तिमान आओर प्रतिमान स्थापित करय । हम एहन प्रयास क समर्थन करैत छी । ओ कहलाह जे नौकरी निदान नहीं अछि, निदान अछि स्व रोजगार ।
एहि मौका पर कटिहार मेडिकल कॉलेज क संस्थापक अहमद असफ के करीम कहलथि जे बिहार क नए भविष्य क तामीर लेल ऐहन संगठन कए आगाँ एबाक चाही । युवा कए ऐहन विषिष्ठ कौशल क क्षेत्र मे कुशल बनाकए बिहार आगू बढ़ि सकैत अछि |
सेंटर हेड रौशन सिंह एहि अवसर पर डिजिटल मार्केटिंग क व्याख्या करैत कहलाह जे 2020 तक 18 लाख प्रोफेशनल क आवयश्कता अछि आओर एहि केंद्र क स्थापना क मुख्य उदेश्य बिहार क युवा कए प्रशिक्षित कए हुनका रोजगारक नब अवसर प्रदान केनाय अछि ।
एहि कार्यक्रम क मंच संचालन सेण्टर डायरेक्टर राजेश कमल केलथि । एहि अवसर पर अमित कुमार, कुणाल पराशर, सुमित कुमार, इमरान खान, साकेत, संजय कुमार इत्यादि उपस्थित छलाह ।