• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह – अहल्या

March 11, 2016
in फीचर
A A

दोसरसमाचार

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020

मिथि‍ला प्रकृतिपूजक संस्कृति रहल अछि। ई इलाका शाक्त साम्प्रादाय क इलाका रहल अछि। जे साम्प्रदाय सबसे पहिने महिलाक महत्व कए चिन्हलक आओर उपासना क अधिकार टा नहि बल्कि‍ पुरोहित क काज मे सेहो महिला क सहभागिता शामिल केलक । सनातन हो, बौद्ध हो वा फेर जैन, मिथि‍लाक महिला सब ठाम अपन एकटा खास महत्व रखैत छथि। हम आम तौर पर सीता, गार्गी, आओर मैत्री क चर्च करैत छलहूँ, मुदा ठेरिका, मल्लि‍नाथा आओर बौद्ध धर्म वा जैन धर्म मे मिथि‍लानी कए नजरअंदाज कए दैत छी। एना नहि अछि, जैन धर्मांवली क 19म तीर्थंकर मिथि‍ला क बेटी छलीह। बौद्ध धर्म मे सेहो मिथि‍लाक कईकटा बेटी अपन महत्वपूर्ण जगह बनेलीह। जतय धरि सनातन धर्म क सवाल अछि न्याय, धर्म आ साहित्‍य आदि विषय पर मिथि‍लाक बेटी क अपन एकटा अलग नजरिया हमेशा देखबा लेल भेटैत अछि । मिथि‍लाक राजनीतिक वजूद मे सेहो मिथि‍लानी क योगदान महत्वपूर्ण अछि। एक स बेसी बेर महिलानी मिथि‍ला क सिंहासन पर बैसि चुकल छथि। इसमाद मिथि‍लाक महिला पर एकटा पूरा श्रृंखला अहाँक सोझा राखय जा रहल अछि। एक माह धरि हम अहाँ कए मिथि‍लाक ओ तमाम महिला क संबंध मे बतायब जे धर्म, राजनीति आओर समाज क निर्माण, विकास मे महत्वपूर्ण भूमिका निभौने छथि‍। हम ओ महिला क बारे मे अहाँ कए जानकारी देब जे नहि खाली मिथि‍ला बल्कि‍ विश्व स्तर पर अपन नाम स्थापित केलथि‍ आओर धार्मिक, सामाजिक और राजनीतिक दिशा कए नब ठेकान देलथि।प्रस्तुत अछि एहि इसमाद क शोध संपादक सुनील कुमार झाक एहि श्रृंखला क खास प्रस्तुति। ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह – समदिया

महासती अहल्या

Sati Ahilyaब्रह्माजी  अहल्या कए सबसे सुंदर स्त्री बनेने छलाह । सभटा देवता हुनका स विवाह करबाक इक्षुक छल । तखन ब्रह्माजी एकटा शर्त राखलथि‍ जे सबसे पहि‍ने त्रिलोक क भ्रमण करि एताह वैह अहल्या क वरण करताह । इंद्र अपन सभटा चमत्कारी शक्ति स सबसे पहि‍ने त्रिलोक भ्रमण कए एलाह । मुदा तखने नारद ब्रह्माजी कए बतौलथि‍ की ऋषि गौतम इंद्र से पहि‍ने त्रि‍लोक भ्रमण कए लेने छथि‍ । नारदजी ब्रह्माजी कए बतेलथि‍ की अपन दैनिक पूजा क्रम मे ऋषि गौतम गौ माता क परिक्रमा करि‍ रहल छलाह ओहि समय ओ गौ माता बछडा कए जन्म देलथि‍ । वेदानुसार एहि अवस्था मे गौ क परिक्रमा करब त्रिलोक परिक्रमा समान होएत अछि । एहि तरह माता अहल्या क शादी अत्रि ऋषि क पुत्र ऋषि गौतम स भेलथि‍ ।

महासती अहल्या गायत्रीनिष्ठ, न्याय सूत्रप्रणेता, महामुनि गौतम क धर्मपत्नी छलीह । कमतौल स दक्षि‍ण – पूर्व अहियारी गाँव अछि, ओतहिं गौतम ऋषि‍ क आश्रम अछि । एक समय क गप अछि मिथि‍ला मे दुर्भिक्ष भए गेल । पानि लेल हाहाकार मचि‍ गेल  । मिथि‍ला क ई दशा देख गौतम ऋषि‍  वरूण देव क उग्र तपस्या केलाह । तपस्या स प्रसन्न भेलापर वरूण देव प्रकट भेलाह आओर वरदान मांगबाक लेल कहलाह । गौतम निवेदन केलथि‍ कि मिथि‍ला कए जलदान दकए मिथि‍ला क रक्षा करि‍यौन ‍। एहि पर वरूण देव कहलाह ई हमर वश कए गप नहि अछि । एहि पर चिन्ति‍त भए गौतम वरूण देव से कहलथि‍ कि हम एकटा कुण्ड खोदैत छी अहाँ एहन कृपा करू जे ओहि मे पानिक कहियो कमी नहि होए । वरूण तथास्तु कहि‍कए अंतर्धान भए गेलाह । ऋषि‍ एकटा कुण्ड खुन्हलक । वरूण देव क कृपा स कुण्ड पानि‍ स लबालब भरि‍ गेल । पानि‍ क लोभ मे कैकटा ऋषि‍ गौतम क कुटिया लग कुटी बनाकए रहय लागल । ऋषि‍ क पत्नी अहल्या क पति‍भक्ति‍ देखि‍ सभटा ऋषि‍ मने मन जरय लगलाह । अहल्या जतेक सुदंर छलीह, ओतबे स्वमीभक्त , ऋषि‍गण हुनकर स्वामी भक्ति स हार्दिक द्वेश रखैत छलाह । देवता क राजा इंद्र त किनको तपस्या स प्रसन्न होएते नहि छलाह, अपि‍तु हुनकर अपन आसन कए खतरा देखा जाएत छथि‍ । संगे अहल्या क सुदंरता पर ओ आसक्त भए गेल रहथि‍ । एक दिन सुअवसर देखि‍कए इन्द्र गौतम क रूप मे अहल्या लग एलाह । ‍अहिल्या पहि‍ने त गौतमरूपी इन्द्र कए चिन्ही न सकलीह आओर ओ इन्द्र क संगे कामरत भए गेलीह । हुनकर एहि अज्ञात अपराध पर गौतम कुपित भए कए हुनका श्राप दए देलाह – जाउ पत्थर क बनि‍ जाउ ।  पति क कठोर वचन सुनि‍ अहल्या गौतम क पाइर पर लोटय लगलीह । ऋषि‍ जखन ध्यानस्थ भेलाह तखन हुनका पता चलल कि गलती अहल्या क नहि‍ छथि‍ मुदा, ‘’मृषा न होहि‍ देव ऋषि‍ वाणी ‘’। गौतम ऋषि‍ अहल्या स कहलथि‍ जाउ श्रीरामचंद्र अहाँक उद्धार करत ।  त्रेता मे रामे स अहल्या क उद्धार भेल आओर अहल्या स्वामी क लग घुरि सकलीह ।  इति‍हास में महासती अहिल्या पतिधर्म क लेल एकटा मिसाल बनि‍कए रहि‍ गेलीह ।

Tags: AhilyaMithila WomenMithilaaniअहल्याकमतौलगौतम ऋषि‍

Related Posts

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
कविता : तारानंद वियोगी क विस्मयादि

कविता : तारानंद वियोगीक क्यो नहि पसंद करै छनि हुनका

January 11, 2020
Next Post

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - मैत्रैयी

रेलवे क माध्यम स होएत बिहार क कायाकल्प : मोदी

Esamaad Epaper Website

कानून क राज लेल स्वतंत्र न्यायपालिका जरुरी : मुख्य न्यायाधीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि