दरभंगा। राज्य सरकारक जल संसाधन मंत्री संजय झा क पहल पर निविदाक प्रक्रिया पूर्ण भेलाक बाद पहिल चरण मे जीवछ धारक उड़ाही क काज शुरू कए देल गेल अछि । ई काज दरभंगा बाढ़ नियंत्रण प्रमंडलक कार्यपालक अभियंता अशोक कुमार ठाकुर क देख-रेख मे पटनाक बीएन सिंह कंस्ट्रक्शन कए रहल छथि ।
काज शूरू हेबा स स्थानीय लोग मे खुशी अछि आओर एहिक लेल ओ मंत्री संजय झाक प्रति आभार जता रहल छथि । लोगक कहनाय अछि जे नदी क उड़ाहीकरण भेला स बाढ़-सुखाड़ से लोग कए निजात भेटत।
शनि दिन नारबांध चौक लग शुरू केल गेल जीवछ नदी क उड़ाहीकरण क निरीक्षण बाढ़ नियंत्रण प्रमंडल क अभियंताओं केलथि । निरीक्षणक क्रम मे कनीय अभियंता मुरलीधर सुधांशु बतौलथि जे प्रथम चरण मे सदर प्रखंड क एनएच-57 लग से बेनीपुर प्रखंड क नारबांध चौक क लगीच सँ जीवछ नदी क उड़ाहीकरण शुरू कैल गेल अछि । ओ बतेलथि जे जीवछ नदीक उड़ाहीकरणक प्रथम चरण मे बेनीपुर प्रखंड क नारबांध क लगीच सँ बलनी गामक बारा जमींदारी बांध धरि कराओल जाएत । बारिश क बाद जखन नदी मे पानी कम रहत, तखन दोसर चरण मे आगू बहेड़ी आ बिरौल प्रखंड धरि उड़ाही होएत ।
बता दी जे जल संसाधन मंत्री संजय झाक पहल पर 965 करोड़ क लागत से दरभंगाक सदर, बहादुरपुर, बेनीपुर, बहेडी आ बिरौल प्रखंड मे जीवछ नदीक उड़ाहीकरण, नदी मे प्रत्येक तीन किलोमीटर पर स्लुईस गेट आ चेकडैम निर्माण कए स्वीकृति विभाग चारि महिना पहिने देने छल। ओहिक बाद निविदा क प्रक्रिया पूरा हेबाक बाद आब पहिल चरण क काज शुरू कए देल गेल अछि । काज कए जून 2021 धरि पूरा करेबाक लक्ष्य विभाग दिस सँ निर्धारित केने अछि ।