• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कोशी शोक नहि कोष अछि : संजय पासवान

June 3, 2018
in समाचार
A A

दू दिवसीय कोशी शिखर सम्‍मेलनक पहिल दिन जुटलाह दिग्‍गज
उद्धाटन भाषण मे संजय पासवान कहलाल कोशी कोष अछि आओर शोक सेहो नतीजा एकर इस्‍तेमाल पर अछि ।
मैथिली क समकाल आ नवतुरिया पर अलग सत्र भेल आयोजित
मैथिली कवि गोष्‍टी स पहिल दिनका सत्र समाप्‍त

सहरसा । पूर्व केन्‍द्रीय मंत्री, विधान पार्षद आ भाजपा क दलित प्रकोष्‍ट क नेता श्री संजय पासवान कहलाह जे कोशी बिहार लेल शोक कहल जाएत अछि । हरेक साल एकर बाढ़ि जीवन आ संपत्‍ति क नुकसान करैत अछि । निरंतर चंचला रहबाक लेल कोशी क कैकटा विध्‍वंसक किस्‍सा इतिहास मे दफन अछि । मुदा हमरा जनैत कोसी शोक नहि कोष अछि जरूरत अछि अहाँ एकर केना उपयोग करैत छी । श्री पासवान दू दिवसीय कोशी शिखर सम्‍मेलन क पहिल दिन अपन उदघाटन अभिभाषण मे उक्‍त गप कहलाह । कार्यक्रम कए संबोधित करैत ओ लोकसभा आ विधानसभा क तर्ज पर आयोजित युवा संसद कए युवाक लेल महत्‍वपूर्ण आ चेतना जागृत करय बला कार्यक्रम बतेलथि । ओ कहलाह जे कोसी क विकास लेल ओ राजनीति स उपर उठिकए काज करताह । श्री पासवान कहलाह जे आयोजन क सफल संचालन कहियो जे उद्धाटन मे पक्ष क लोग अछि त समापन विपक्ष करताह । एहि शानदार आयोजन लेल ओ सोमू आनंद आ टीम कए धन्‍यवाद ज्ञापित केलथि ।

एहि स पहिने सम्‍मेलन का उद्घाटन इस्‍ट एंड वेस्‍ट कॉलेज क संस्‍थापक श्री रजनीश रंजन, आर.एम. कॉलेज क पूर्व प्राचार्य अनिल कुमार मिश्र, पूर्व केन्‍द्रीय मंत्री, आ विधान पार्षद श्री संजय पासवान, संतोष झा आदि संयुक्‍त रूप स केलथि ।

श्री संजय पासवान आयोजन समिति क सदस्य अभिनव नारायण झा, सोमू आनंद, राजा रवि आओर सुमित प्रकाश कए धन्यवाद दैत बजलाह जे कोशी क्षेत्र मे एहन आयोजन साल मे कम से कम दू बेर हेबाक चाहि । संगे एहि आयोजन क एकटा स्‍मारिका निकलबा क गप सेहो ओ कहलथि । कार्यक्रम मे बतौर मुख्य अतिथि अनिल कुमार मिश्र एहि आयोजन कए एकटा शानदार आयोजन बतेलाह आ कार्यक्रम क सफल संचालन लेल संपूर्ण टीम कए शुभकामना देलाह । इस्‍ट एंड वेस्‍ट टीचर ट्रेनिंग क संस्‍थापक श्री रजनीश रंजन कहलाह जे देश मे बदलाव युवे टा आनि सकैत अछि । और युवाक एहि सम्‍मेलन एहि गप कए चरितार्थ सेहो करैत अछि । कोशी शिखर सम्‍मेलन सहरसा आ कोशी मे विकास मे अपन एकटा अहम भूमिका निभाओत । अपन अभिभाषण मे एक बेर फेर ओ सहरसा विश्‍वविद्यालय लेल कृ‍त संक्‍ल‍प देखेलाह । ओ कहलाह जे बनारस मे जखैन ओ ऑटो बला कए बीएचयू लंका बीएचयू लंका बजैत सुनैत छल त हुनका एक्‍केटा गप मोन पड़ैत जे सहरसा टीशन पर सेहो एहिना ऑटो बला सहरसा युनिर्सिटी करैत खोलतिए ।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सम्मेलन मे स्वागत भाषण संस्थापक अभिनव नारायण झा आ धन्यवाद ज्ञापन सोमू आनंद देलथि । सम्मेलन मे आयोजन समिति क सदस्य राजा रवि कार्यक्रम मंच संचालन कए रहल छलाह ।

दोसर सत्र मे लोकसभा मे आ विधानसभा क तर्ज पर एकटा युवा संसद बैसाओल गेल जाहि मे एक तरफ जतय विधान सभा मे शराबबंदी कानून क समीक्षा आ प्राथमिक शि‍क्षा क दशा आ दिशा पर परिचर्चा भेल ओतहि लोकसभा नोटबंदी आ महिला आरक्षण पर परिचर्चा भेल । कार्यक्रम क तेसर सत्र मे मैथिली विषय पर एकटा विशेष सत्र राखल गेल छल जाहिक विषय छल मैथिली क समकाल आ युवा कबि जाहि मे मैथिली क युवा कवि विकाश वत्‍सनाभ, अरूणाभ सौरभ, आ रधुनाथ मुखिया अपन विचार राखलथि । पहिल दिनक सत्र क समापन मैथिली कवि गोष्‍टी स भेल जाहि मे अरविंद मिश्र नीरज, अरूणाभ सौरभ, विकास वत्‍सनाभ, आंनद झा, मुख्‍तार, रजनीश प्रियदर्शी आदि अपन कविता पाठ केलाह ।

Tags: Koshi Shikhar SammelanKSS18saharsasanjay paswan

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मिथिला छाति मे अछि भूगोल मे नहि : अरूणाभ सौरभ

इलेक्ट्रिक इंजन सँग सहरसाक प्रमुख ट्रेन सबहक परिचालन शुरू

नि:शुल्क चिकित्सा जांच शिविर क आयोजन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि