पटना । कुमार शैलेन्द्र, शैलेन्द्र जी, शैलू भैया नाम स’ जगजियार आब हमरा सबहक बीच नहि रहला । सोमदिन राति हुनक कोलकाता मे लंबा बीमारीक बाद निधन भ गेल। शुद्ध मैथिलकर्मी, अभिनेता, निर्देशक, नाटककार, पत्रकार आर जानि ने की-की। सदैव मैथिली संस्कृति के उत्थान लेल सकारात्मक सोच रखनिहार शैलेन्द्र जी क आकस्मिक निधन पर समूचा मैथिली कला संस्कृति जगत शोकाकुल अछि। बहुआयामी व्यक्तित्व क धनी कुमार शैलेन्द्र (1964-2014) लोकप्रिय रंगकर्मी , सशक्त अभिनेता , जुझारू पत्रकार छलैथ। मिथिला मिहिर, प्रभात खबर, सौभाग्य मिथिला आ मिथिला आवाज समेत कईटा हिंदी आ मैथिली संस्थान स ओ जुडल रहलाह अछि। रेडियो पर मैथिली समाचार पढनिहार कुमार शैलेन्द्र मैथिलीक प्रसिद्द गीतकार रविंद्रनाथ ठाकुर द्वारा निर्मित अ निर्देशित हिंदी डोक्युमेंटरी फिल्म ” आयुर्वेद की अमर कहानी ” स अपन अभिनय यात्रा प्रारंभ केने रहैथ। तकरबाद, मैथिली फिल्म ‘ सिन्दूरदान ” में हुनक अभिनय क्षमताक बड्ड प्रशंसा भेटल छल। सौभाग्य मिथिला पर प्रसारित धारावाहिक ” दियर -भाऊज ” क षडयंत्री कक्का कए के बिसरत। हुनक अंतिम फिल्म ” घोघ में चांद” छल। मैथिली सिनेमाक प्रेमी वर्ग दिस सं हुनका भावभीनी श्रद्धांजलि देल गेल। सदैव नाट्यकर्म लेल तत्पर आ समर्पित रंगकर्मी कुमार शैलेन्द्र भंगिमा आ मिथिलांगन स जुडल रहला अछि। मैलोरंग क कलाकर्मी सब सेहो शोक सभा आयोजित क श्रद्धा सुमन अर्पित करबाक सूचना देलथि अछि। इसमाद सेहो मिथिला क एहि पुत्र कए शत शत नमन करैत अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa